अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
शनिक रातिक घटना मे लापरवाहीक आरोप, सूचना पर पहुंचल थाना पुलिस
डीएस कहलनि जे आवेदन दिअ, जांचक बाद होयत कारबाइ
झंझारपुर, समदिया
अनुमंडल अस्पताल मे शनिक राति प्रसवक दौरान गर्भ सं बाहर निकलिते नवजात शिशुक मृत्यु भए गेल। घटना सं आक्रोशित परिजन अस्पताल परिसर मे घंटो हंगामा कएलनि। हंगामाक सूचना भेटिते झंझारपुर थाना पुलिस अस्पताल पहुंचि गेल आ परिजन कें बुझा बुझाकए मामिला शांत कराओल। जानकारीक अनुसार, शनिक राति करीब 11 बजे भैरवस्थान थाना क्षेत्रक झौआ गाम निवासी रामकुमार पासवानक पत्नी नंदनी कुमारी कें प्रसव लेल अनुमंडल अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल छल। प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु भए गेल। एकर बाद परिजन चिकित्सक आ स्वास्थ्यकर्मी पर लापरवाहीक आरोप लगबैत हंगामा शुरू कए देलनि। अस्पताल परिसर मे कतेको देर धरि अफरा-तफरीक स्थिति रहल। घटनाक जानकारी भेटिते अनुमंडल अस्पतालक उपाधीक्षक डॉ. रमण पासवान सेहो घटनास्थल पर पहुंचि परिजन सं बातचीत कएलनि आ हुनका सभ कें शांत करबाक प्रयास कएलनि। डीएस कहलनि जे जं इलाजक दौरान कोनो प्रकारक लापरवाही भेल अछि तं परिजन लिखित आवेदन दिअ। आवेदन भेटलाक बाद मामिलाक जांच कराओल जाएत आ दोषी पाओल गेल व्यक्ति पर नियमानुसार कारबाइ कएल जाएत। एहि बीच घटनाक सूचना पर झंझारपुर थाना पुलिस सेहो अस्पताल पहुंचली। पुलिसक हस्तक्षेप आ डीएसक समझेबुझेलाक बाद देर राति मामिला शांत भेल। परिजन अस्पताल प्रबंधन पर लापरवाहीक आरोप लगबैत मामिलाक निष्पक्ष जांच आ न्याय करबाक मांग केने छथि। समाचार लिखल जाए धरि एहि संबंध मे परिजनक दिस सं कोनो लिखित आवेदन अस्पताल अथवा थाना मे नहि देल गेल छल।
===========================================================================