Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

 आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित

Avatar
By Samadiya Mithila
September 13, 2026 1 Min Read
0

 

406

सीतामढ़ी, समदिया

 

केंद्रीय महिला एवं बाल विकास मंत्री श्रीमती अन्नपूर्णा देवीक अध्यक्षता मे आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल आ प्रभावी आयोजनक संबंध मे वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगक माध्यम सं समीक्षा बैसार आयोजित भेल। बैसार मे बिहार सरकारक समाज कल्याण विभागक डॉ. श्वेता गुप्ता उपस्थित छलीह। बैसार मे आगामी 25 सितंबर सं 7 अक्टूबर 2026 धरि देशक विभिन्न आंगनबाड़ी केंद्र पर आयोजित होमऽवला आंगन मिलन कार्यक्रमक तैयारी आ कार्ययोजनाक विस्तृत समीक्षा कएल गेल। निर्धारित अभियान अवधि मे प्रत्येक आंगनबाड़ी केंद्र पर तीन दिवसीय कार्यक्रम आयोजित करबाक अछि। कार्यक्रम मे माता आ बच्चाक सक्रिय भागीदारी सुनिश्चित करबाक पर विशेष जोर देल गेल। एहि अवसर पर उत्कृष्ट काज करऽवला आंगनबाड़ी कार्यकर्ता, आंगनबाड़ी सहायिका, आशा दीदी आ लाभुक कें सम्मानित करबाक सेहो प्रावधान अछि। कार्यक्रमक माध्यम सं पोषण, मातृ सहायता, टीकाकरण, स्वास्थ्य सेवा तथा महिला आ बच्चा सं संबंधित विभिन्न कल्याणकारी योजनाक जानकारी आम लोक आ लाभुक कें सरल आ सहज भाषा मे देल जाएत। एहि लेल स्वास्थ्य विभाग सहित संबंधित विभागक संग समन्वय आ सहयोग सुनिश्चित करबाक निर्देश देल गेल। बैसार मे कहल गेल जे अभियानक सफल संचालन लेल प्रत्येक जिला मे आंगनबाड़ी केंद्रवार विस्तृत कार्यक्रम आ तिथिवार कार्ययोजना तैयार कएल जाए। समाज कल्याण विभागक डॉ. श्वेता गुप्ता केंद्रीय मंत्री कें आश्वस्त कएलनि जे बिहार मे आंगन मिलन कार्यक्रम कें व्यापक आ सफल बनेबाक लेल सुदृढ़ तैयारी कएल जा रहल अछि। ओ संबंधित सभ विभागक पदाधिकारी कें आपसी समन्वयक संग काज करबाक निर्देश सेहो देलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता

Next

अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा
  •  आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
  • गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
  • दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech