Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

निर्मला सीतारमण आ जयशंकर सं भेंट केलनि सीएम सम्राट चौधरी

Avatar
By Samadiya Mithila
August 21, 2026 1 Min Read
0

 

  • नेपालक पानि आ बिहारक बजट पर भेल चर्चा

 

पटना, समदिया

मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी शुक्रदिन केंद्रीय वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण आ विदेश मंत्री एस. जयशंकर सं भेंट कएलनि। एहि दौरान नेपाल सं आबयबला पानि, बिहारक बजट आ पर्यटन विकास सहित कतेको महत्वपूर्ण मुद्दा पर चर्चा भेल। बैठक मे भारत-नेपाल जल आ बांध परियोजना पर सेहो विस्तार सं विचार-विमर्श कएल गेल। उपमुख्यमंत्री विजय चौधरी आ जनता दल यूनाइटेड (जेडीयू)क राज्यसभा सांसद संजय झा सेहो बैठक मे उपस्थित छलाह। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बृहस्पति सांझ पटना सं दिल्ली पहुंचल छलाह। शुक्रदिन भोर मे ओ केंद्र सरकारक मंत्री निर्मला सीतारमण आ एस. जयशंकर संग महत्वपूर्ण बैठक मे शामिल भेलाह।

मुख्यमंत्री सोशल मीडिया पर जानकारी दैत कहलनि जे बिहारक विकास, राज्यक समृद्धि आ जनहित सं जुड़ल विषय सभ कें ओ केंद्र सरकारक समक्ष मजबूती सं रखलनि। हुनकर अनुसार बैठक अत्यंत महत्वपूर्ण रहल आ केंद्र आ राज्य सरकार आपसी समन्वय सं आगू बढ़बाक दिशा मे काज कए रहल अछि।

कोसी-मेची लिंक परियोजना पर जोर

बिहार सरकार नेपाल सं आबयबला नदीक बाढ़ि रोकबाक लेल जल प्रबंधन आ किसान सभ कें सिंचाइक पानि उपलब्ध करेबाक परियोजना पर विशेष जोर दए रहल अछि। केंद्र सरकार प्रधानमंत्री कृषि सिंचाई योजनाक अंतर्गत कोसी-मेची अंतरराज्यीय नदी लिंक परियोजना लेल केंद्रीय सहायता कें हालहि मे मंजूरी देने अछि। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सेहो बीतल बुधदिन सुपौल जिलाक छातापुर प्रखंडक चैनपुर गाम मे निर्माणाधीन कोसी-मेची नदी लिंक परियोजनाक निरीक्षण केने छलाह। ओ अधिकारी सभ कें गुणवत्ता कायम रखैत निर्धारित समयसीमा मे निर्माण कार्य पूरा करबाक निर्देश देने छलाह।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

जयशंकरनिर्मला सीतारमणसीएम सम्राट चौधरी
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना मे आब मात्र 2 लाख टाकाक भेटत लोन, सरकार कहलक, ऋण देबाक तरीका बदलल गेल अछि

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • संभावित बाढ़ि सं निपटबाक लेल तैयारी अद्यतन रखबाक प्रभारी मंत्रीक निर्देश
  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • संभावित बाढ़ि सं निपटबाक लेल तैयारी अद्यतन रखबाक प्रभारी मंत्रीक निर्देश
  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech