स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना मे आब मात्र 2 लाख टाकाक भेटत लोन, सरकार कहलक, ऋण देबाक तरीका बदलल गेल अछि
- दू लाख सं बेसीक लोन कॉमर्शियल बैंकक माध्यम सं देल जायत मुदा ओहि पर ब्याज देमय पड़त
फोटो : पटना
पटना, समदिया
बिहारक छात्र-छात्रा सभक पढ़ाइ मे सहायता लेल चलाओल जा रहल स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना मे आब मात्र 2 लाख रुपैयाक ऋण भेटत। ओना एहि संबंध मे बिहार सरकारक कहब अछि जे स्टूडेंट क्रेडिट कार्डक सीमा घटाओल नहि गेल अछि, बल्कि ऋण उपलब्ध करेबाक तरीका बदलल गेल अछि। सरकारक कहब अछि जे पहिने एहि योजनाक अंतर्गत बिहार राज्य शिक्षा वित्त निगम द्वारा 4 लाख रुपैया धरि ऋण देल जाइत छल। आब निगमक माध्यम सं 2 लाख रुपैया धरि ऋण देल जाएत। जं कोनो विद्यार्थी कें 2 लाख सं बेसी ऋणक आवश्यकता अछि, तं ओकरा वाणिज्यिक बैंकक माध्यम सं ऋण उपलब्ध कराओल जाएत। एहि तरहें 2 सं 4 लाख रुपैया धरि शिक्षा ऋण बैंकक माध्यम सं भेटत।
उच्च शिक्षा विभागक सचिव शुक्रदिन जारी बयान मे कहलनि जे आब 2 लाख रुपैया धरि शिक्षा ऋण बिहार राज्य शिक्षा वित्त निगमक माध्यम सं देल जाएत। ओतहि 2 सं 4 लाख रुपैया धरि वित्तीय सहायता अनुसूचित वाणिज्यिक बैंकक माध्यम सं उपलब्ध कराओल जाएत। एहि सं पहिने बिहार राज्य शिक्षा वित्त निगम स्वयं 4 लाख रुपैया धरि ऋण उपलब्ध करबैत छल। ओ कहलनि जे बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना कें प्रधानमंत्री उच्चतर शिक्षा प्रोत्साहन योजना, पीएम विद्यालक्ष्मी पोर्टल आ बैंक सभ सं जोड़ल गेल अछि, जाहि सं बेसी सं बेसी विद्यार्थी कें उच्च शिक्षा लेल वित्तीय सहायता भेटि सकय। सरकारक अनुसार, केंद्र सरकारक पीएम विद्यालक्ष्मी योजनाक माध्यम सं 10 लाख रुपैया धरि शिक्षा ऋण सेहो भेटैत अछि। बिहारक विद्यार्थी सभ सेहो एहि सुविधाक लाभ उठा सकताह। उच्च शिक्षा लेल वित्तीय सहायता प्राप्त करबाक आब पहिनेक अपेक्षा बेसी विकल्प उपलब्ध अछि।
एहि साल 64 करोड़ बेसी खर्च होयत
उच्च शिक्षा विभागक अनुसार बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्य योजनाक अंतर्गत वित्तीय वर्ष 2025-26 मे 886 करोड़ रुपैया खर्च करबाक स्वीकृति देल गेल छल। चालू वित्तीय वर्ष 2026-27 मे 950 करोड़ रुपैया खर्च करबाक मंजूरी देल गेल अछि। एहि तरहें पिछला सालक तुलना मे एहि वर्ष योजनापर 64 करोड़ रुपैया बेसी खर्च होयत। सरकार स्पष्ट कएलक अछि जे स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजनाक अंतर्गत वित्तीय सहायताक प्रावधान घटाओल नहि गेल अछि, बल्कि एकरा विस्तार देल गेल अछि।
2 लाख सं बेसी ऋण पर ब्याज लागत
उच्च शिक्षा विभागक नव अधिसूचनाक अनुसार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजनाक अंतर्गत वित्त निगमक माध्यम सं देल जाएबला 2 लाख रुपैया धरि ऋण पूर्णतः ब्याजमुक्त रहत। मुदा 2 लाख सं बेसी ऋण बैंकक माध्यम सं भेटत आ ताहि पर ब्याज लागत। विद्यार्थी पीएम विद्यालक्ष्मी पोर्टल पर आवेदन कए सूचीबद्ध बैंक सभ मे सं अपन पसिनक बैंक चुनि सकताह। ऋणक समय पर भुगतान कएला पर सरकारक दिस सं ब्याज मे 30 प्रतिशत धरि छूट देल जाएत।
बाक्स
खाली अछि सरकारक खजाना
पूरा मामिला कें लए कए नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव सम्राट सरकार पर निशाना सधलनि। ओ सोशल मीडिया पोस्टक माध्यम सं सरकार सं सवाल कएलनि। तेजस्वी यादव एक्स पर लिखलनि जे बिहारक वित्तीय स्थिति एतेक खराब भए गेल अछि जे सरकारी खजाना खाली भए रहल अछि। वित्तीय दबावक कारण सरकारी विभागक कर्मचारी, पेंशनधारी, ठेकेदारक बकाया भुगतान आ विकास कार्य लेल पर्याप्त राशि उपलब्ध नहि अछि। ओ आरोप लगौलनि जे आब छात्र सभक स्टूडेंट क्रेडिट कार्डक राशि सेहो घटा देल गेल अछि आ छात्रवृत्ति समाप्त कएल जा रहल अछि।
तेजस्वी यादवक दावा अछि जे वित्तीय वर्ष 2025-26 मे बिहारक राजकोषीय घाटा देशक प्रमुख राज्य सभ मे सभ सं बेसी, यानी जीएसडीपीक 5.8 प्रतिशत रहल। ओ सरकार सं राजस्व संग्रह बढ़ेबाक, बजटीय व्यवस्था सुधारबाक आ राजकोषीय घाटा नियंत्रित करबाक लेल दीर्घकालीन योजना बनेबाक मांग कएलनि।