समुद्र मे भारतीय युद्धपोत सं टकरायल पाकिस्तानी नौसेनाक जहाज, भारत राजनयिक कें केलक तलब
टक्कर मे कोनो पैघ क्षतिक सूचना नहि अछि
नई दिल्ली, एजेंसी
भारत आ पाकिस्तानक बीच समुद्री मोर्चापर तनाव बढ़ेबाक एकटा घटना सोझां आयल अछि। 15 सितंबरक सांझ उत्तर अरब सागर मे भारतीय नौसेनाक एकटा अग्रिम पांतिक युद्धपोत आ पाकिस्तान नौसेनाक एकटा जहाजक बीच टक्कर भए गेल। सूत्रक अनुसार, नियमित निगरानी अभियान मे तैनात भारतीय युद्धपोतक अत्यंत समीप पाकिस्तानी नौसैनिक जहाज तेज गति सं पहुंचल आ असुरक्षित तथा गैर-पेशेवर ढंग सं दिशा बदलैत रहल। एहि क्रम मे दुनू जहाजक टक्कर भए गेल। हालांकि, टक्कर मे कोनो पैघ क्षतिक सूचना नहि अछि।
घटनाक बाद भारत एकरा गंभीरता सं लैत पाकिस्तानक राजनयिक कें तलब कए कड़ा विरोध दर्ज करौलक। भारतक विदेश मंत्रालय नई दिल्ली मे पाकिस्तान उच्चायोगक कार्यवाहक राजदूत कें तलब कए पाकिस्तानी नौसैनिक इकाइक व्यवहार कें अस्वीकार्य आ गैर-पेशेवर बतौलनि।
कोना भेल टक्कर?
सूत्रक अनुसार, भारतीय नौसेनाक युद्धपोत उत्तर अरब सागर मे नियमित निगरानी अभियान पर छल। तखने पाकिस्तान नौसेनाक जहाज तेज गति सं ओकर नजदीक आबि गेल। पाकिस्तानी जहाजक संचालन कें असुरक्षित मानल गेल आ दुनू जहाजक बीच पर्याप्त दूरी नहि बचल, जाहि कारण टक्कर भए गेल। अखन धरि दुनू जहाजक नाम आ टक्करक सटीक स्थानक तकनीकी जानकारी सार्वजनिक नहि भेल अछि।
1991क समझौता की कहैत अछि?
भारत आ पाकिस्तान अप्रैल 1991 मे सैन्य गतिविधि सं जुड़ल गलतफहमी आ दुर्घटना रोकबाक लेल एकटा समझौता केने छल। एहि समझौता मे अंतरराष्ट्रीय जलक्षेत्र मे दुनू देशक नौसैनिक जहाज आ पनडुब्बीक संचालन लेल विशेष प्रावधान अछि। समझौताक अनुच्छेद 10 अनुसार, दुनू देशक नौसैनिक जहाज कें एक-दोसरक तीन नॉटिकल मील सं कम दूरीपर नहि आबबाक चाही। तीन नॉटिकल मील करीब 5.56 किलोमीटर होइत अछि। भारतक आपत्ति मात्र टक्कर भेला सं नहि, बल्कि एहि बात पर सेहो अछि जे पाकिस्तानी जहाज अंतरराष्ट्रीय समुद्र मे सुरक्षित संचालन सं जुड़ल द्विपक्षीय व्यवस्थाक पालन नहि केलक।