Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

‘प्लीज… हम हुनकर बेस्ट फ्रेंड छी’, जमुई मे हाथ जोड़ि विनती करैत रहल छात्रा, साथी छात्रक पिटाइ करैत रहल शैतान

Avatar
By Samadiya Mithila
September 21, 2026 3 Min Read
0

 

  • सोशल मीडिया पर वीडियो वायरल भेलाक बाद डीएम आ एसपी लेलनि संज्ञान

  • गठित कएल गेल एसआइटी, तीन आरोपी कें पकड़ल गेल

जमुई, समदिया

जमुई मे नाबालिग छात्र-छात्राक संग भेल अभद्रता आ दुर्व्यवहारक घटनाक नव वीडियो सामने आयल अछि। वीडियो मे छात्रा आरोपित युवक सभक आगू हाथ जोड़ि अपन साथी कें छोड़ि देबाक लेल विनती करैत देखाइ पड़ैत छथि। मुदा आरोपित सभ हुनकर आग्रहक कोनो परवाह नहि करैत साथी छात्रक पिटाइ करैत रहैत अछि।

वीडियो मे छात्रा आरोपित सभ सं कहैत सुनाइ पड़ैत अछि, प्लीज, अंतिम बेर छोड़ि दिअ। हम हुनकर बेस्ट फ्रेंड छी। एहि पर आरोपित सभ विवाहक बात करैत छथि। छात्रा जवाब दैत अछि जे बेस्ट फ्रेंडक अर्थ विवाह नहि होइत अछि। ओ लगातार हाथ जोड़ि साथी कें छोड़ि देबाक लेल आग्रह करैत छथि, मुदा आरोपित सभ पिटाइ जारी रखैत अछि।

वीडियो मे छात्र सेहो कहैत छथि जे दुनू एकहि विद्यालय मे पढ़ैत अछि आ घरक लोक सभ कें सेहो एहि संबंध मे जानकारी अछि। एकरा बाद आरोपित सभ ओकर पिटाइ करैत अछि आ घर मे फोन लगेबा लेल कहैत अछि।

की अछि पूरा मामिला

बताओल गेल अछि जे 19 सितंबरक सांझ दुनू नाबालिग स्कूटी सं घर दिस लौटि रहल छलाह। एहि बीच रस्ता मे किछु युवक सभ ओकरा रोकि देलक आ ओकरा संग अभद्र व्यवहार कएलक। आरोपित सभ दुनू बच्चा सं गारि-गरौवलि कएलक आ नाबालिग छात्राक संग अनुचित व्यवहार सेहो कएलक।

घटनाक वीडियो सोशल मीडिया पर प्रसारित भेलाक बाद मामिला चर्चा मे आएल आ लोक मे आक्रोश देखल गेल। पुलिस एहि मामिला मे कारबाइ शुरू करैत अखन धरि तीन आरोपित कें गिरफ्तार कए चुकल अछि। अन्य आरोपितक खोज जारी अछि।

जिलाधिकारीक निर्देश पर पुलिस भेल सक्रिय

घटनाक वीडियो तेजी सं सोशल मीडिया पर प्रसारित भेलाक बाद जिलाधिकारी नवीन मामिलाक तत्काल संज्ञान लेलनि। पीड़ित पक्षक दिस सं तत्काल लिखित शिकायत नहि देल गेल छल। मुदा घटनाक गंभीरता कें देखैत जिलाधिकारी पुलिस कें स्वतः कारबाइ करबाक निर्देश देलनि। निर्देशक बाद जमुई सदर थाना पुलिस वायरल वीडियो कें आधार बना कए तकनीकी जांच शुरू केलक। साइबर सेल आ गुप्तचरक सहयोग सं पुलिस पीड़ित छात्र-छात्राक पहिचान कए हुनकर घर पहुंचि गोपनीय ढंग सं बयान दर्ज केलक। एकर बाद सदर थाना मे पोक्सो अधिनियम आ भारतीय न्याय संहिताक संबंधित गैर-जमानती धारा मे प्राथमिकी दर्ज कएल गेल।

एसआइटी गठित, तीन आरोपित गिरफ्तार

एसपी विश्वजीत दयाल घटना कें अत्यंत दुर्भाग्यपूर्ण आ निंदनीय बतौलनि। हुनकर अनुसार, नाबालिगक गरिमा सं खिलवाड़ करबाक अनुमति ककरो नहि देल जा सकैत अछि। पुलिस पीड़ितक सुरक्षा आ पहिचानक गोपनीयताक प्रति सतर्क अछि।

एसपीक निर्देश पर एसडीपीओ दीप्ति मोनालीक नेतृत्व मे विशेष जांच दल यानी एसआइटी गठित कएल गेल अछि। पुलिस पोक्सो आ बीएनएसक धारा मे प्राथमिकी दर्ज कए तीन आरोपित कें गिरफ्तार केने अछि। शेष आरोपितक गिरफ्तारी लेल छापेमारी जारी अछि। पुलिस वायरल वीडियो कें सोशल मीडिया सं हटेबाक कारबाइ सेहो कए रहल अछि।

पुलिसक अनुसार, घटना 19 सितंबरक सांझ करीब 7 बजे भेल छल। दुनू नाबालिग कोचिंगक पढ़ाइ समाप्त केलाक बाद जमुई थाना क्षेत्रक एकटा इलाका मे फोटो खिंचबाक लेल गेल छल। ओतहि स्थानीय युवकक एकटा समूह दुनू कें घेरि लेलक आ अभद्र व्यवहार केलक। पुलिस वीडियो मे देखाइ पड़ैत सभ आरोपितक पहिचान कए लेने अछि आ मामिलाक जांच आगू बढ़ा रहल अछि।

बाक्स

गरमायल राजनीति, राहुल आ तेजस्वी सरकार कें घेरलनि

लोकसभा मे नेता प्रतिपक्ष घटनाक एहि वीडियो कें बेचैन करयबला बतौलनि। राहुल गांधी कहलनि जे वीडियो मे देखाइ पड़ैत प्रत्येक व्यक्तिक पहिचान होयबाक चाही आ आरोपित अपराधी सभ पर पोक्सो अधिनियम अंतर्गत मुकदमा चला कए हुनका सभ कें यथाशीघ्र सजा देल जएबाक चाही। तेजस्वी यादव एक्स पर लिखलनि जे बिहार मे अराजक स्थिति उत्पन्न भए गेल अछि। बिहार मे आब कतहु, कखनहु कोनो छात्रा आ महिला सुरक्षित नहि छथि। गुंडा आ अपराधी आब दिन-देखाड़ विद्यालय, महाविद्यालय आ घर मे घुसि अपराध कए रहल अछि। एनडीएक सरकार मे महिला, छात्र, गरीब आ दलित पर अत्याचारक घटना मे अप्रत्याशित वृद्धि भेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

करमा-धरमा पूजाक समय 8 बच्चाक डूबला सं मृत्यु

Next

गामक ईंटा-भट्ठा, निजी स्कूल आ मोबाइल टावर पर लागत टैक्स

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • बेनीपट्टीक अकौर मे बच्चाक हत्या, बोरी मे बंद कए खदहा मे फेकबाक आरोप, पितियौत मामी हिरासत मे
  • सारेगामापाक मंच पर सहरसाक श्रद्धा श्री बिखेरलनि सुरक जादू
  • ग्राम संसद बिहार चैप्टर मे कोइलखक मुखिया शेखर सुमन सम्मानित
  • गामक ईंटा-भट्ठा, निजी स्कूल आ मोबाइल टावर पर लागत टैक्स
  • ‘प्लीज… हम हुनकर बेस्ट फ्रेंड छी’, जमुई मे हाथ जोड़ि विनती करैत रहल छात्रा, साथी छात्रक पिटाइ करैत रहल शैतान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • बेनीपट्टीक अकौर मे बच्चाक हत्या, बोरी मे बंद कए खदहा मे फेकबाक आरोप, पितियौत मामी हिरासत मे
  • सारेगामापाक मंच पर सहरसाक श्रद्धा श्री बिखेरलनि सुरक जादू
  • ग्राम संसद बिहार चैप्टर मे कोइलखक मुखिया शेखर सुमन सम्मानित
  • गामक ईंटा-भट्ठा, निजी स्कूल आ मोबाइल टावर पर लागत टैक्स
  • ‘प्लीज… हम हुनकर बेस्ट फ्रेंड छी’, जमुई मे हाथ जोड़ि विनती करैत रहल छात्रा, साथी छात्रक पिटाइ करैत रहल शैतान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech