रीतलाल यादवक जमानत याचिका सुप्रीम कोर्ट मे खारिज
ट्रायल कोर्ट कें शीघ्र आरोप तय करबाक आदेश
पटना हाईकोर्ट सेहो जमानत केने छल खारिज
फेाटो 201
पटना। आरजेडी नेता आ पूर्व विधायक रीतलाल यादव कें सुप्रीम कोर्ट सं राहति नहि भेटल अछि। कोर्ट हुनकर जमानत याचिका खारिज कए देलक अछि।
संगठित अपराध आ रंगदारी सं जुड़ल मामिला मे पटना हाईकोर्ट हुनकर जमानत याचिका खारिज केने छल। एकर बाद ओ सुप्रीम कोर्ट मे याचिका दाखिल केने छलाह। 3 सितंबर कें एहि मामिलाक सुनवाइ भेल। रीतलाल यादवक दिस सं वरिष्ठ वकील कपिल सिब्बल कोर्ट मे पक्ष रखलनि।
सुप्रीम कोर्ट मे जस्टिस दीपांकर दत्ता आ जस्टिस शील नागूक पीठ मामिलाक सुनवाइ कएलनि। कोर्ट कहलनि, ‘पटना हाईकोर्टक ओहि आदेश मे हस्तक्षेप नहि कए सकैत छी, जाहि मे रीतलाल यादवक जमानत याचिका खारिज कएल गेल छल।’
एकर बाद सुप्रीम कोर्ट रीतलाल यादवक विशेष जमानत याचिका खारिज कए देलक।
सुप्रीम कोर्ट ट्रायल कोर्ट कें निर्देश देलक जे मामिला मे आरोप तय करबाक प्रक्रिया शीघ्र पूरा कएल जाए। कोर्ट ई सेहो कहलनि जे आरोप तय होयबाक तारीख सं अगिला एक वर्ष मे जं ट्रायल मे प्रगति नहि होइत अछि, तं रीतलाल यादव फेर पटना हाईकोर्ट सं जमानत मांगि सकैत छथि।
सुप्रीम कोर्ट जमानतक अगिला संभावना संग एकटा शर्त सेहो राखलक अछि। जं रीतलाल यादव एक वर्ष बाद हाईकोर्ट मे जमानतक मांग करैत छथि, तं हुनका ट्रायल कें शीघ्र आगू बढ़ेबाक प्रक्रिया मे पूरा सहयोग करय पड़त।
अर्थात् एखन हुनका जमानत नहि भेटल अछि, मुदा आरोप तय भेलाक बाद एक वर्ष धरि मुकदमा मे पर्याप्त प्रगति नहि होइत अछि, तं हुनकर फेर हाईकोर्ट जाएबाक बाट खुलल रहत।
कपिल सिब्बल रखलनि रीतलाल यादवक पक्ष
सुनवाइक दौरान रीतलाल यादवक दिस सं वरिष्ठ अधिवक्ता कपिल सिब्बल दलील रखलनि। कोर्टक सुनवाइ सं जुड़ल रिपोर्ट मे सिब्बलक दिस सं पीठक समक्ष अपन बात रखबाक सेहो उल्लेख अछि। रिपोर्ट मे हुनकर एकटा टिप्पणीक अंश सामने आएल अछि, मुदा ओकर पूरा संदर्भ उपलब्ध नहि अछि।
संगठित अपराध आ रंगदारी सं जुड़ल अछि मामिला
रीतलाल यादवक विरुद्ध संगठित अपराध आ रंगदारीक आरोप सं जुड़ल मामिला अछि। अभियोजन पक्षक आरोप अछि जे रीतलाल यादव अन्य लोकक संग एकटा संगठित गिरोहक हिस्सा रहलाह। आरोप अछि जे रियल एस्टेट कारोबारी आ व्यवसायी सभ सं धमकी दए पाइक मांग कएल जाइत छल।
जांच एजेंसी सभ ई आरोप सेहो लगौने अछि जे एहि गतिविधि सभक माध्यम सं ज्ञात आय सं बेसी संपत्ति अर्जित कएल गेल अछि। मुदा ई सभ आरोप मात्र अछि आ मामिला मे आखरी फैसला ट्रायल दौरान होयत।
हाईकोर्टक बाद सुप्रीम कोर्ट पहुंचल छलाह
पटना हाईकोर्ट सं जमानत नहि भेटलाक बाद रीतलाल यादव सुप्रीम कोर्टक दरवाजा खटखटौने छलाह। सुप्रीम कोर्ट फिलहाल हाईकोर्टक जमानत सं जुड़ल आदेश मे हस्तक्षेप नहि कएलक अछि। आब मामिलाक आगूक दिशा ट्रायल कोर्ट मे आरोप तय होयब आ ओकर बाद मुकदमाक गति पर निर्भर करत।
भागलपुर जेल मे बंद छथि रीतलाल यादव
पटना पुलिस रंगदारी मांगबाक आरोप मे गिरफ्तार कए हुनका बेउर जेल पठौने छल। एकर बाद सुरक्षा कारण सं भागलपुर स्थित विशेष केंद्रीय कारा मे स्थानांतरित कएल गेल। हुनका जेलक तेसर खंडक टी सेल मे राखल गेल अछि। एतहि जेपी आंदोलनक दौरान नीतीश कुमार, राजबल्लभ यादव, मुंगेरक कुख्यात अशोक महतो, इंदिरा गांधीक हत्यारा जसवंत सिंह आ बाहुबली विधायक अनंत सिंह कें सेहो स्थानांतरित कएल गेल छल।
रीतलाल पर बिल्डर सं रंगदारी मांगबाक आरोप लागल छल
रीतलाल यादव पर एकटा बिल्डर सं रंगदारी मांगबाक गंभीर आरोप लागल छल। बिल्डर सं 50 लाखक रंगदारी मांगबाक मामिला मे पटना पुलिस केस दर्ज केने छल। एकर बाद सं रीतलाल फरार छलाह। फेर 17 अप्रैल कें कोर्ट मे आत्मसमर्पण कएलनि। आत्मसमर्पणक बाद हुनका न्यायिक हिरासत मे लए बेऊर जेल पठाओल गेल छल।