लखीसराय, समदिया
लखीसराय जिलाक प्रसिद्ध अशोक धाम मंदिर मे साओनक तेसर सोमारीक अवसर पर भोरहि मे भगदड़ मचि गेल, जाहि मे सात महिला श्रद्धालुक मृत्यु भए गेल। लखीसराय डीएम शैलेंद्र कुमार भगदड़ आ मृतकक संख्या पुष्टि कयलनि अछि। एहि दुर्घटना मे 19 लोक घायल भेल छथि, जाहि मे पांच गोटेक अवस्था गंभीर रहबाक कारण उच्चतर चिकित्सा केंद्र पठाओल गेल अछि। जलाभिषेक लेल भोरहि सं श्रद्धालुक लंबा लाइन लागल छल। कांवड़ियाक पांतिक लग खेत मे बिजलीक खंभा खसि गेलाक बाद ओतय करंट पसरबाक अफवाह पसरल, जाहि सं भगदड़ मचि गेल। मृतक सातो महिला छथि। डीएम शैलेंद्र कुमार अस्पताल मे आ एसपी प्रेरणा कुमार मंदिर परिसर मे कैंप कए रहल छथि।
डीएमक अनुसार सभ घायल लोकक उपचार चलि रहल अछि। भगदड़क बाद मंदिर परिसर आ अस्पताल मे चीत्कार मचल अछि। मृतकक परिजनक विलाप सं अस्पताल आ मंदिर परिसरक वातावरण शोकाकुल भए गेल अछि। जिला प्रशासन आ आसपासक लोक राहति आ बचाव कार्य मे जुटल छथि। मृतक मे एक महिलाक पहिचान एखन धरि नहि भए सकल अछि।
खंभा खसबाक बाद मचल भगदड़
प्रत्यक्षदर्शीक अनुसार बैरिकेडिंगक लग एकटा बिजलीक खंभा छल। भीड़क दबाव सं बांसक खुट्टा टूटि कए खंभा पर अटकि गेल, जाहि कारण खुट्टा खसि पड़ल। एकर बाद करंट पसरबाक अफवाह पसरि गेल आ लोक प्राण बचेबाक लेल भागय लगलाह। एक-दोसराक ऊपर सं दौड़ि कए भागबाक क्रम मे बहुत लोक कुचलि कए घायल भए गेलाह। एखन धरि सात गोटेक मृत्यु भए चुकल अछि। जानकारीक अनुसार अशोक धाम मंदिर सं अशोक धाम रेलवे हॉल्ट धरि लगभग दू किलोमीटर क्षेत्र मे श्रद्धालुक लाइन लगेबा लेल बांस सं बैरिकेडिंग कयल गेल छल।
मृतक सातो महिला छथि। घायल मे खुशबु कुमारी बायपास, शबनम कुमारी इंदुपुर आ स्वीटी कुमारी पिपरियाक नाम सामने आयल अछि। हुनकर उपचार मंदिर परिसर मे बनाओल गेल स्वास्थ्य शिविर मे चलि रहल अछि। अन्य घायल लोक कें सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। एहि मामिला मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी दु:ख व्यक्त केलनि अछि। ओ कामना कएलनि अछि जे घायल सभ शीघ्र स्वस्थ्य होइथ।
पूर्वक दुर्घटना सं नहि लेल गेल सीख
एहि सं पूर्व 12 अगस्त 2019 कें सेहो अशोक धाम मंदिर मे भगदड़क घटना भेल छल। तकर बाद मंदिर परिसर मे लोहाक पाइप सं बैरिकेडिंग कयल गेल छल। मुदा मंदिरक बाहर बांसक सहारा सं सुरक्षा व्यवस्था कयल गेल, जे भीड़क दबाव मे कमजोर पड़ि गेल। कहल जा रहल अछि जे सुरक्षाक लेल लगभग 400 जवान तैनात कयल गेल छलाह। प्रत्यक्षदर्शीक कहब अछि जे मंदिर परिसरक बाहर पर्याप्त सुरक्षाकर्मी नहि देखाइ पड़लाह।
एकहि समय दू ट्रेन पहुंचल, बढ़ि गेल भीड़
बताओल गेल अछि जे लखीसराय मे एकहि समय दू गोट ट्रेन पहुंचि गेल। लगपासक जिला सं भारी संख्या मे श्रद्धालु एक संग पहुंचि गेलाह आ जलार्पण लेल लाइन मे ठाढ़ भए गेलाह। प्रशासनक कहब अछि जे तेसर सोमारीक संभावित भीड़क दृष्टिएं सुरक्षा व्यवस्था कयल गेल छल, मुदा भीड़क तुलना मे व्यवस्था कम पड़ि गेल।
स्थानीय लोक व्यवस्था मे कमी आ लापरवाहीक आरोप लगा रहल छथि। हुनकर कहब अछि जे सोमावारीक दिन अशोक धाम मे लाखो श्रद्धालु अबैत छथि आ प्रशासन कें एहि भीड़क पूर्व सं जानकारी रहैत अछि। तैयो तैयारी पर्याप्त नहि छल। पूर्वक बैठक मे पैघ-पैघ दाबी कयल गेल, मुदा वास्तविक व्यवस्था कमजोर रहल, जाहि कारण ई दुःखद घटना घटल।