Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

सेवा संकल्प अभियानक सफल आयोजन लेल जिलाधिकारी केलनि बैसार

Avatar
By Samadiya Mithila
September 15, 2026 3 Min Read
0

 

  • अभियानक पहिल घटकक रूप मे आशीर्वादक दीया कार्यक्रमक आयोजनक रूपरेखा तैयार

 

मधुबनी, समदिया

प्रधानमंत्रीक 25 वर्षक सेवा आ समर्पण आ बरख 2047 धरि विकसित भारतक संकल्प पर आधारित सेवा संकल्प अभियान केर सफल, सुचारु आ प्रभावी क्रियान्वयन लेल जिलाधिकारी, मधुबनी आनंद शर्मा संबंधित विभागक पदाधिकारिसभक संग समीक्षात्मक बैसार केलनि। अभियानक आयोजन 17 सितंबर सं 17 अक्टूबर धरि निर्धारित कार्यक्रमक अनुसार करबाक अछि। बैसार मे अभियानक विभिन्न घटक, विभागवार दायित्व, कार्यक्रमक तैयारी, जनभागीदारी, योजना आ सेवाक पहुंच, प्रचार-प्रसार, मीडिया आ सोशल मीडिया कवरेज आ अनुश्रवण व्यवस्थाक विस्तृत समीक्षा कएल गेल। जिलाधिकारी सभ संबंधित जिला स्तरीय पदाधिकारी सभ के सरकारी मार्गदर्शिकाक अनुरूप समयबद्ध, गुणवत्तापूर्ण, पारदर्शी आ जनोन्मुखी ढंग सं अभियानक प्रत्येक घटकक क्रियान्वयन सुनिश्चित करबाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे अभियानक माध्यम सं सरकारक जनकल्याणकारी योजना आ सेवा आखरी पांति मे ठाढ़ व्यक्तिक धरि पहुंचाओल जाए, आम लोक के योजनासभक प्रति जागरूक कएल जाए आ सरकारी सेवाक प्रति लोकक विश्वास आ सहभागिता आरो मजबूत कएल जाए। सभ विभाग के अपन-अपन स्तर पर स्पष्ट कार्ययोजना तैयार कए निर्धारित समय-सीमा मे काज पूरा करबाक निर्देश देल गेल।

17 सितंबर कें आशीर्वादक दीया कार्यक्रमक भव्य आयोजन

बैसार मे अभियानक पहिल महत्वपूर्ण घटकक रूप मे 17 सितंबरक सांझ आयोजित होमयबला आशीर्वादक दीया कार्यक्रमक तैयारीक विस्तृत समीक्षा कएल गेल। जिलाधिकारी कार्यक्रम के व्यापक जनभागीदारीक संग आकर्षक, भव्य आ प्रभावशाली ढंग सं आयोजित करबाक निर्देश देलनि। ओ सभ जिला स्तरीय पदाधिकारी सभ के निर्देश देलनि जे अपन-अपन विभागक माध्यम सं जिला, प्रखंड आ पंचायत स्तर पर जराओल जाएबला दीपक संख्या केर आकलन कए आवश्यक कार्ययोजना तैयार करथि। ओ कहलनि जे कार्यक्रमक सफलता लेल विभागीय पदाधिकारी अपन अधीनस्थ कर्मठ, सक्रिय आ तत्पर पदाधिकारी आ कर्मी सभ के चिन्हित कए हुनका दायित्व सौंपथि आ हुनका सभक संग बैसार कए सूक्ष्म कार्ययोजना तैयार करथि। जिलाधिकारी स्पष्ट निर्देश देलनि जे सूक्ष्म कार्ययोजना मे कार्यक्रम स्थल, दीपक व्यवस्था, दीप वितरण, मानव संसाधन, समन्वय, स्वच्छता, विद्युत आ अन्य आवश्यक व्यवस्थाक स्पष्ट उल्लेख रहय। संबंधित विभाग अपन-अपन दायित्वक निर्वहन लेल पहिनहि आवश्यक तैयारी पूरा कए लेथि, जाहि सं कार्यक्रमक दिन कोनो प्रकारक अव्यवस्थाक स्थिति नहि उत्पन्न हो। ओ कहलनि जे अभियानक आयोजन मे कोनो स्तर पर कोताही, शिथिलता अथवा लापरवाही स्वीकार नहि कएल जाएत। सभ पदाधिकारी अपन दायित्वक गंभीरतापूर्वक निर्वहन करथि आ निर्धारित समय-सीमा मे तैयारी के आखरी रूप देथि। आइसीडीएस, जीविका, नगर निकाय, कृषि, सहकारिता, आपूर्ति, पंचायत आदि विभागक कर्मीसभक महत्वपूर्ण भूमिका रहत। जिलाधिकारी आशीर्वादक दीया कार्यक्रम मे अधिक सं अधिक लोकक सहभागिता सुनिश्चित करबाक लेल जीविका, नगर निकाय, पीडीएस डीलर आ अन्य कर्मी सभ के सक्रिय रूप सं जोड़बाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे धरातल पर काज करयबला सक्रिय कर्मीसभक माध्यम सं कार्यक्रमक जानकारी आम लोक धरि पहुंचाओल जाए आ बेसी सं बेसी परिवार आ समुदाय के कार्यक्रम सं जोड़ल जाए। ओ संबंधित पदाधिकारी सभ के निर्देश देलनि जे कार्यक्रमक जानकारी समय पर लोक धरि पहुंचय आ दीप वितरणक प्रक्रिया सुव्यवस्थित ढंग सं पूरा कएल जाए।

रंगोली सं सजत आयोजन स्थल, ड्रोन सं होयत व्यापक कवरेज

जिलाधिकारी निर्देश देलनि जे आशीर्वादक दीया कार्यक्रम के आकर्षक आ स्मरणीय बनयबाक लेल जिलाक विभिन्न स्थान पर आकर्षक रंगोली बनाओल जाए। आयोजन स्थल पर स्वच्छता, प्रकाश व्यवस्था आ अन्य आवश्यक तैयारी सेहो उत्तम ढंग सं सुनिश्चित करबाक निर्देश देल गेल। कार्यक्रमक भव्यता आ व्यापक जनभागीदारी के प्रभावी ढंग सं प्रदर्शित करबाक लेल ड्रोन कैमरा सं गुणवत्तापूर्ण फोटो आ वीडियो कवरेज करय पर सेहो विशेष जोर देल गेल। जिलाधिकारी कहलनि जे कार्यक्रमक दृश्यात्मक कवरेज एहि प्रकार सं तैयार कएल जाए जाहि सं जिला मे अभियानक व्यापक स्वरूप आ लोकक सहभागिता प्रभावशाली ढंग सं प्रदर्शित भए सकय। बैसार मे जिलाधिकारी सभ विभाग के अपन-अपन स्तर पर सूक्ष्म कार्ययोजना तैयार करबाक आ प्रत्येक गतिविधि लेल स्पष्ट दायित्व निर्धारित करबाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे संबंधित विभागक जिला स्तरीय पदाधिकारी अपन अधीनस्थ अधिकारी आ कर्मीसभक संग समन्वय स्थापित कए कार्यक्रम सभ के धरातल पर उतारथि।

जिलाधिकारी अभियानक प्रचार-प्रसार के विशेष प्राथमिकता दैत निर्देश देलनि जे अभियानक प्रत्येक कार्यक्रमक गुणवत्तापूर्ण फोटो, वीडियो, रील, लघु वीडियो आ सकारात्मक कथा तैयार कएल जाए। लाभार्थीसभक अनुभव, आम लोकक सहभागिता, योजना सभ सं भेटल लाभ आ जनहित मे कएल जा रहल काज के सकारात्मक कथा केर रूप मे सामने अनबाक निर्देश देल गेल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

सहयोग शिविरक माध्यम सं आमलोकक समस्याक समाधान करब उद्देश्य : एसडीएम

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल
  • आजुक ई पेपर

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल
  • आजुक ई पेपर

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech