Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

सहयोग शिविरक माध्यम सं आमलोकक समस्याक समाधान करब उद्देश्य : एसडीएम

Avatar
By Samadiya Mithila
September 15, 2026 2 Min Read
0

 

बिस्फी।

बिस्फी प्रखंड क्षेत्रक परसौनी उत्तरी पंचायत मे एसडीएम शारंग पाणि पांडेय, बीडीओ बसंत कुमार सिंह, एमओ कौशल कुमार मंडल, श्रम प्रवर्तन पदाधिकारी हमीद गफूर, बीपीएम अमर ज्योति मिश्रा आ पीएचईडी जेई रवि कुमारक द्वारा पंचायत सरकार भवन परिसर मे सहयोग शिविरक शुभारंभ कएल गेल। ओतहि रथौस पंचायत मे जिला पंचायत राज पदाधिकारी राकेश कुमार झा, बीपीआरओ शेखर कुमार आ वीएओ कौशल कुमार सिंहक उपस्थिति मे शिविरक शुभारंभ भेल।

शिविर मे पैघ संख्या मे स्थानीय ग्रामीण, जनप्रतिनिधि, महिला समूहक सदस्य आ विभिन्न विभागक पदाधिकारी आ कर्मी उपस्थित छलाह। सहयोग शिविरक माध्यम सं विभिन्न समस्या सं संबंधित आवेदन पोर्टल द्वारा ऑनलाइन आ ऑफलाइन दुनू माध्यम सं प्राप्त कएल गेल। एहि मे आवास, पेंशन, नल-जल, स्वास्थ्य आ जमीन-जायदादक विवाद सं संबंधित आवेदनक संख्या बेसी छल।

शिविर मे प्राप्त कतेको आवेदनक तत्काल निष्पादन कएल गेल। एहि संग सरकार द्वारा चलाओल जा रहल विभिन्न जनकल्याणकारी योजनाक जानकारी सेहो ग्रामीण सभ कें देल गेल। शिविर मे उपस्थित प्रत्येक ग्रामीण सं संवाद कए हुनकर समस्या कें गंभीरतापूर्वक सुनल गेल आ संबंधित विभागक पदाधिकारी कें आवश्यक कारबाइ करबाक लए निर्देश देल गेल।

एसडीएम शारंग पाणि पांडेय कहलनि जे सहयोग शिविर आमलोकक लए अत्यंत लाभकारी सिद्ध भऽ रहल अछि। शिविरक माध्यम सं आम जनक समस्या कें त्वरित गति सं समाधान कएल जा रहल अछि। सरकारी विभागक पदाधिकारी शिविर मे उपस्थित रहि आमलोकक समस्याक प्राथमिकताक आधार पर समाधान कए रहल छथि।

ओ कहलनि जे सहयोग शिविर आम अवामक लए महत्वपूर्ण अछि। लोक शिविरक माध्यम सं अपन व्यक्तिगत अथवा जनहित सं जुड़ल समस्याक समाधान करा रहल छथि। प्राप्त समस्याक निर्धारित समय-सीमा मे, अधिकतम 30 दिनक भीतर समाधान करबाक प्रयास कएल जा रहल अछि।

शिविरक प्रति लोक कें जागरूक कएल जा रहल अछि, जाहि सं लोक अपन समस्या सं संबंधित आवेदन दए ओकर निष्पादन करा सकथि। शिविर मे मुखिया अनिता कुमारी, समाजसेवी आनंद यादव, पंचायत सचिव दीपक कुमार, आवास सहायक सवाउद्दीन सहित कतेको लोक उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सेवा संकल्प अभियानक सफल आयोजन लेल जिलाधिकारी केलनि बैसार

Next

मखानक विकास लेल 90 करोड़, पांच मेडिकल कॉलेज मे 366 असिस्टेंट प्रोफेसरक होयत बहाली

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल
  • आजुक ई पेपर

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल
  • आजुक ई पेपर

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech