पटना यूनिवर्सिटीक दीक्षांत समारोह मे बिना भाषण देने घुरलाह राज्यपाल
पटना। पटना यूनिवर्सिटीक दीक्षांत समारोह शनि दिन पटना वीमेन्स कॉलेजक मदर वेरोनिका ऑडिटोरियम मे आयोजित भेल। कार्यक्रमक दौरान मंच पर बजाकए डिग्री देबाक मांग करैत छात्र सभ हंगामा शुरू कए देलक, जाहिक कारण राज्यपाल अपन संबोधन देने बिना कार्यक्रम बीचहि मे छोड़ि कए चलि गेलाह।
समारोह मे मंच पर मात्र गोल्ड मेडल विजेता आ पीएचडी उपाधिधारी छात्र सभ केँ डिग्री प्रदान कयल गेल। पीजी सत्र 2023-25क टॉपर 38 विद्यार्थी सभ केँ गोल्ड मेडल दए सम्मानित कयल गेल।
गोल्ड मेडल प्राप्त करनिहार सभ मे 28 छात्रा आ 10 छात्र शामिल छलाह। एकरा अतिरिक्त 155 पीएचडी उपाधिधारी सहित कुल 1305 विद्यार्थी सभ केँ उपाधि प्रदान कयल गेल।
एहि समारोह मे राज्यपाल सह कुलाधिपति सैय्यद अता हसनैन मुख्य अतिथि केर रूप मे उपस्थित छलाह। मुदा छात्र सभक हंगामाक कारण ओ अपन संबोधन नहि दए सकलाह आ कार्यक्रम छोड़ि कए चलि गेलाह।
दीन दयाल उपाध्याय विश्वविद्यालय, गोरखपुरक कुलपति प्रो. पूनम टंडन विशिष्ट अतिथि केर रूप मे उपस्थित रहलीह। ओ दीक्षांत भाषणक दौरान विद्यार्थी सभ केँ संबोधित कयलनि आ हुनका सभ केँ भविष्य लेल शुभकामना देलनि।
समारोहक दौरान उपाधि प्राप्त कएला उपरांत कतेको विद्यार्थी राज्यपाल सं आशीर्वाद सेहो लेलनि। दीक्षांत समारोह मे विश्वविद्यालयक अधिकारी, शिक्षक आ विद्यार्थी सभक पैघ उपस्थिति रहल।