ट्रैक्टर-जेसीबी सं घेरि पुलिस टीम पर हमला, शराब कारोबारी कें छोड़ा लेलक भीड़
- पुलिसकर्मी सभ संग माइरपीट सेहो कएल गेल
दरभंगा, समदिया
दरभंगा मे शराबक विरुद्ध छापामारी करय गेल पुलिस दल पर भीड़ द्वारा हमला कयल गेल अछि। घटना रैयाम थाना क्षेत्रक बनसरा ठीकरा टोल लग बुधदिन देर राति भेल। पुलिस करीब 2 लीटर देसी चुलाई शराब बरामद कय महावीर सहनी नामक कथित शराब कारोबारी कें हिरासत मे लए कए पुलिस वाहन मे बैसा देने छल। पुलिसक अनुसार, महावीर सहनीक परिजन आ नजदीकी लोक सभ ट्रैक्टर आ जेसीबी सं पुलिस वाहन कें घेरि लेलक। एहि दौरान पुलिसकर्मी सभक संग धक्का-मुक्की आ माइरपीट कयल गेल आ हिरासत मे लेल गेल महावीर सहनी कें पुलिसक कब्जा सं छोड़ा लेल गेल। भीड़ द्वारा पुलिसक सरकारी वाहन सेहो क्षतिग्रस्त कए देल गेल। हालांकि, कोनो पुलिसकर्मी घायल भेल छथि वा नहि, तकर आधिकारिक पुष्टि नहि भेल अछि।
घटनाक सूचना भेटिते रैयामक अतिरिक्त केवटी, कमतौल, सिमरी, सदर, मब्बी सहित सात थाना क्षेत्रक पुलिस बल घटनास्थल पर पहुंचल। जिला मुख्यालय सं सेहो अतिरिक्त पुलिस बल मंगाओल गेल।
कमतौल एसडीपीओ शुभेंद्र कुमार सुमनक अनुसार, घटनाक बाद पुलिस तत्काल कारबाइ करैत महावीर सहनी सहित कुल 10 गोटे कें गिरफ्तार केलक अछि। मामिलाक जांच आ आगांक कानूनी कारबाइ जारी अछि।