विक्रमशिला सेतु 1 अक्टूबर सं बंद, जनवरी 2027 धरि स्थायी मरम्मतिक लक्ष्य
भागलपुर : भागलपुरक विक्रमशिला सेतु कें क्षतिग्रस्त हिस्साक स्थायी मरम्मतिक लेल 1 अक्टूबर सं बंद कएल जाएत। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सड़क निर्माणक समीक्षा करैत बेली ब्रिज हटा कए जनवरी 2027 धरि मरम्मतिक काज पूरा करबाक निर्देश देने छथि। मुख्यमंत्री कहलनि जे एखन बेली ब्रिजक माध्यम सं लोकक आवागमन भए रहल अछि, मुदा ई स्थायी व्यवस्था नहि अछि। आब बेली ब्रिज हटा कए सेतुक क्षतिग्रस्त हिस्साक स्थायी मरम्मति कएल जाएत। काज अक्टूबर मे शुरू कए जनवरी धरि पूरा करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि।
विक्रमशिला सेतुक मरम्मतिक तैयारी लगभग पूरा भए गेल अछि। गंगाक जलस्तर घटिते 1 अक्टूबर सं बेली ब्रिज हटेबाक काज शुरू होएत। एहि दौरान मुख्य सेतु पर सेहो आवागमन पूर्ण रूप सं बंद रहत। मरम्मतिक लेल आवश्यक अधिकांश सामग्री पंजाब आ हरियाणा सं भागलपुर पहुंचि गेल अछि। शेष सामग्री सेहो काज शुरू होय सं पहिने पहुंचि जाएत। प्रशासन आ निर्माण एजेंसी गंगाक जलस्तर पर लगातार नजरि रखने अछि।
पहिने स्थायी मरम्मतिक काज पूरा करबाक लक्ष्य 30 नवंबर धरि राखल गेल छल, मुदा आब मुख्यमंत्री जनवरी 2027 धरि काज पूरा करबाक निर्देश देने छथि। अक्टूबर सं जनवरी धरि सेतुक क्षतिग्रस्त हिस्सा ठीक करबाक संग अन्य तकनीकी काज सेहो पूरा कएल जाएत।
सेतु बंद रहला पर गंगा मे चलत यात्री आ मालवाहक जहाज
विक्रमशिला सेतु बंद रहला पर भागलपुर आ नवगछिया बीच आवागमन कायम रखबाक लेल प्रशासन नदी परिवहनक वैकल्पिक व्यवस्था कए रहल अछि। एखन धरि सातटा यात्री जहाज चलाबय लेल आवेदन प्राप्त भेल अछि, जखन कि मालवाहक जहाज लेल आवेदनक प्रक्रिया जारी अछि। 20 सितंबरक बाद जिला प्रशासनक बैसार प्रस्तावित अछि। एहि बैसार मे सेतु बंदी आ वैकल्पिक आवागमनक व्यवस्था पर आखरी निर्णय लेल जाएत।
यात्री आ मालवाहक जहाजक संचालनक दौरान सुरक्षाक विशेष व्यवस्था रहत। जहाज पर गोताखोर, जीवन रक्षक जैकेट आ सुरक्षा बल तैनात रहत। पर्व-त्योहारक समय बढ़ैत भीड़ कें ध्यान मे राखि नदी पार करबाक सुरक्षित व्यवस्था कएल जाएत।
ओवरलोड ट्रक पर सेहो होयत कारबाइ
बाबूपुर आ हाई लेवल घाट पर ओवरलोड वाहनक विरुद्ध विशेष अभियान चलाओल जाएत। मालवाहक जहाज संचालक सभ कें प्रत्येक ट्रकक लोडिंग बिलक जांच करबाक निर्देश देल जाएत। ओवरलोड भेटला पर संबंधित वाहन कें गंगा पार नहि कराओल जाएत।
टोल वसूली मे भारी गिरावट
सेतु बंदी आ बाढ़िक कारण एनएचएआइक बायपास टोल प्लाजा पर वसूली मे सेहो भारी कमी आएल अछि। सेतु बंद भेलाक बाद टोल वसूली मे 79.2 प्रतिशत कमी बताओल गेल अछि। बाढ़िक बाद एहि मे आरो 38.46 प्रतिशत कमी दर्ज भेल। एहि स्थिति कें देखैत एनएचएआइ टोल एजेंसी सं लेल जाएवला दैनिक राशि करीब 6.25 लाख सं घटाकऽ 1.30 लाख टका कए देने अछि। तैयो एजेंसी कें प्रतिदिन करीब 80 हजार टका धरि टोल वसूली भए रहल अछि।
क्षतिग्रस्त हिस्सा केर कारण लोकक आवागमन लेल बनाओल गेल अस्थायी बेली ब्रिज आब हटाओल जाएत आ सेतुक स्थायी पुनर्स्थापनक काज शुरू होएत। एहि दौरान भागलपुर-नवगछिया बीच सुरक्षित आ सुचारु आवागमन कायम रखब प्रशासनक प्रमुख चुनौती रहत।