Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

‘लौटलहुं तं गामे नहि छल…’ बाढ़ि सं बचि गेल प्राण, मुदा आंखिक सोझां बहि गेल सब समांग

Avatar
By Samadiya Mithila
August 30, 2026 3 Min Read
0

 

 

  • बिजलीक तार पकड़ि आधा घंटा लटकल रहलाह रामबचन

– सचिनक पूरा परिवार लापता, पहाड़ पर ट्रक चढ़ा राजकुमार कार्की बचौलनि जान

 

 

जनकपुरधाम, मिश्री लाल मधुकर

भोटेकोशी नदी मे अनचोके उफना गेल। एहि सं बचबाक लेल किछु लोक कें भागबाक अवसर भेटल,  मुदा किछु लोक कें एकर मौका धरि नहि भेटि सकल। बाढ़िक खबरि पसरिते भारी संख्या मे लोक सड़क पर अपन जान बचबैत दौड़ैत देखल गेलाह। एतबे नहि, बाढ़ि सं प्राण बचेबा लेल किछु लोक पहाड़ पर सेहो चढ़ि गेलाह। एक व्यक्ति बिजलीक तार पकड़ि कए अपन जान बचौलनि। एहि भयानक आपदा सं जकर प्राण बांचि गेल, ओ सभ अपन आंखिक सोझां बस्ती कें गायब होइत, मित्र-नातेदार कें बाढ़िक धार मे बहैत आ अपन लोक कें गमबैत देखलनि।

बिजलीक तार देलक नव जीवन

रौतहटक राजदेवी नगरपालिका-2 स्थित हजमीनिया गामक 36 वर्षीय रामबचन साहक तस्वीर सोशल मीडिया पर खूब प्रसारित भेल। ओ कादो सं सनल,  खाली पैरे सड़क पर मोसकिल सं चलैत देखल गेलाह। पंद्रह बरख सं त्रिशूली बाजार लग श्याम मिठाइ दोकान मे काज करैत रामबचन बुधदिन भोर मे मिठाई बना रहल छलाह। तखने बाढ़िक पानि दोकान मे घुसि गेल। पानिक तेज धार हुनका बहा लए गेल। एहि बीच हुनकर हाथ बिजलीक तार पर पड़ि गेल।

रामबचन कहलनि जे हम तार पकड़ि लेलहुं। आधा घंटा धरि तार संग लटकल रहलहुं। नीचा बाढ़ि गरजि रहल छल। हाथ छूटि जाइत तं जीवित नहि बचितहुं। एहि तरहें बिजलीक तार हुनकर जान बचा लेलक। मुदा दोकान मे काज करयबाली संगीता, हुनकर पुत्र राहुल आ दोसर कर्मचारी बिनोद भगत एखनहुं लापता छथि। रामबचन एखन एकटा मित्रक घर पर ठहरल छथि। डरक ओ भयानक अनुभव एखनहुं हुनकर आंखिक आगू नाचि रहल अछि।

हुनकर पैघ भाइ रविंद्र बतौलनि जे दिन भरि हुनकर कोनो समाचार नहि भेटल। सांझ मे पता चलल जे रामबचन सुरक्षित छथि। रामबचनक दूटा छोट बच्चा अछि। रौतहटक मुख्य जिला अधिकारी दिनेश सागर भुसालक अनुसार जिलाक 12 लोकक लापता होएबाक जानकारी भेटल अछि।

हम बांचि गेलहुं, मुदा मामाक पूरा परिवार चलि गेल

दोसर दिस,  झापाक सचिन खाती बाढ़ि अएबाक पहिने काज पर पठा देल गेल छलाह, एहि कारण हुनकर जान बचि गेल। हुनकर मामा 33 वर्षीय राजकुमार दियाली रसुवाक स्याब्रुबेसी मे पंद्रह बरख सं आभूषणक काज करैत छलाह। ओ अपन पत्नी श्रीति आ चारि वर्षक पुत्र श्रीराजक संग रहैत छलाह। सचिन सेहो हुनका संग रहि कए काज मे सहयोग करैत छलाह। बुधदिन भोर मे मामाजी सचिन कें चिलि मे काज पर पठा देलनि। बाढ़िक खबरि भेटिते सचिन वापस दौड़ल। मुदा ताधरि हुनकर बस्ती बाढ़िक धार मे बहि गेल छल।

लौटलहुं तं गामे नहि छल

सचिन कहलनि, लौटलहुं तं गामे नहि छल। ओ एखन धुन्चे मे नेपाली सेनाक सुरक्षा मे छथि। राजकुमार, श्रीति आ श्रीराज लापता छथि। सचिनक बहिन राधा खाती कनैत कहलनि जे कम सं कम लहासे भेटि जाए। पूरा परिवार हुनकर प्रतीक्षा कए रहल अछि। झापा पुलिसक अनुसार रसुवा मे काज अथवा व्यापारक लेल गेल 13 लोक सं संपर्क नहि भए रहल अछि।

बाढ़ि हमर पाछां-पाछां दौड़ि रहल छल

मकवानपुरक थाहा नगरपालिका-2 स्थित फेदी गामक राजकुमार कार्की ट्रक दौड़ा कए अपन जान बचौलनि। ओ मंगलदिन बेत्रावती पहुंचल छलाह। अगिला भोर तिमुरे सामान लादय लेल जा रहल छलाह। तखने माइकिंग कएल गेल जे बाढ़ि आबि रहल अछि।

पहाड़ पर चढ़ा देलनि ट्रक

धुंगे बाजार सं पहिने ओ ट्रक कें पहाड़ पर चढ़ा देलनि। राति ओतहि बितौलनि। बेत्रावती आ लगपासक बस्ती नदी मे बदलि गेल। मित्र सभ कें बाढ़िक धार मे बहैत देखलनि। बृहस्पति कें सुरक्षाकर्मीक सहयोग सं ओ काठमांडू पहुंचलाह आ शुक्रदिन दिनक बाद घर वापस अयलाह।

36 वर्षीय कार्की कें ट्रक चलेबाक 20 वर्षक अनुभव अछि। ओ पछिला पांच बरख सं रसुवा सं सामान ढोऐत छथि। ट्रक सुरक्षित हुनकर घर पर ठाढ़ अछि, मुदा आंखि सं देखल ओ भयानक दृश्य एखनहुं हुनकर मस्तिष्क सं नहि निकलि रहल अछि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#नेपालफ्लड#नेपालबाढ़#नेपालबाढ़ि
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दिल्लीक होटल मे मंत्री संजय सिंह केलनि महिला सं बदसलूकी, 25 लाख मे मामिला दबाओल गेल :  तेज प्रताप

Next

नेपाल त्रासदीक बाद सीतामढ़ी हाई अलर्ट पर: छह सीमावर्ती प्रखंड मे निगरानी; आपदा मंत्री रत्नेश सदा बाढ़ि तैयारिक केलनि समीक्षा

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech