दिल्लीक होटल मे मंत्री संजय सिंह केलनि महिला सं बदसलूकी, 25 लाख मे मामिला दबाओल गेल : तेज प्रताप
- तेजप्रताप मंत्री संजय सिंह पर लगेलनि आरोप
-
मंत्री संजय सिंह कहलनि, विपक्ष कए रहल अछि बदनाम
पटना, समदिया
जनशक्ति जनता दलक राष्ट्रीय अध्यक्ष तेज प्रताप यादव सोशल मीडिया पर पोस्ट कए बिहार सरकारक मंत्री आ महुआ सं लोजपा (रामविलास)क विधायक संजय कुमार सिंह पर गंभीर आरोप लगौने छथि। तेज प्रताप दिल्लीक एकटा होटल मे महिला कर्मचारीक संग कथित अभद्र व्यवहार आ मामिला दबेबाक लेल टाका-पाइक लेनदेनक आरोपक जांचक मांग केने छथि। तेज प्रताप यादव प्रेस वार्ता मे कहलनि जे दिल्लीक एकटा होटल मे महिला कर्मचारीक संग कथित छेड़छाड़ कएनिहार संजय सिंह 25 लाख टाका दए मामिला दबा देने छथि। ओ ई आरोप सेहो लगौलनि जे संजय सिंह हुनका जान सं मरबाबय चाहैत छथि।
उल्लेखनीय अछि जे 2025 केर विधानसभा चुनाव मे महुआ सीट पर तेज प्रताप यादव कें संजय कुमार सिंह पराजित केने छलाह। तकर बाद संजय सिंह कें नीतीश कुमारक सरकार मे मंत्री बनाओल गेल। बाद मे सम्राट चौधरीक मंत्रिमंडल मे सेहो हुनका शामिल कएल गेल। तेज प्रतापक पोस्ट मे कहल गेल अछि जे महुआक विधायक आ मंत्री संजय सिंह पर दिल्लीक एकटा होटल मे एक युवतीक संग कथित रूप सं अभद्र व्यवहार आ ओकर शोषणक प्रयास करबाक गंभीर आरोप लगल अछि। दावा कएल जा रहल अछि जे होटल कर्मचारी सभक हस्तक्षेप सं स्थिति सम्हारल गेल। तकर बाद करीब 25 लाख टाकाक कथित लेनदेनक माध्यम सं मामिला रफा-दफा कएल गेल, एहन आरोप सेहो अछि। संजय सिंहक राजनीतिक आ सार्वजनिक जीवन कें लए कए सेहो प्रश्न उठाओल जा रहल अछि। तेज प्रताप कहलनि जे जं ई आरोप सत्य अछि तं मामिला अत्यंत गंभीर अछि आ एकर निष्पक्ष जांच होमक चाही। जनता कें सत्य जानबाक अधिकार अछि। आरोपक निष्पक्ष जांच कए दोषी पाओल गेल तं कानूनक अनुसार कारबाइ होमक चाही।
बाक्स
सबूत भेटि गेल तं राजनीति सं संन्यास लए लेब : संजय सिंह
एहि संबंध संजय सिंह कहलनि जे हुनका बदनाम करबाक लेल विपक्ष षडयंत्र रचि रहल अछि। ओ कहलनि जे एहि कांड मे जं कोइ हुनकर संलिप्तता सिद्ध कए देत तं ओ राजनीति सं संन्यास लए लेताह। ओ कहलनि जे जं ककरो लग एहि घटनाक फोटो आ वीडियो अछि तं ओ सामने आनय। ओ एकटा चैनल सं बात करैत कहलनि जे हम विश्वास दियाबैत छी जे एहन किछु नहि भेल अछि। ई सभ हुनका बदनाम करबाक विपक्षक षडयंत्र अछि। ओ कहलनि जे जं कोनो चैनल लग एहन फोटो आ वीडियो अछि तं ओ चलाबय, अन्यथा हम मुख्यमंत्री सं भेंट कए एहन चैनल सबहक विरुद्ध कारबाइ करबाक मांग करब।