अतिक्रमण पर चलल नगर परिषदक बुलडोजर, नाला भेल मुक्त
वार्ड 7 आ 14 मे तीन घंटा चलल अभियान झंझारपुर, समदिया झंझारपुर शहर मे नाला आ सार्वजनिक जमीन पर कब्जा करय बला लोकक विरुद्ध नगर परिषद प्रशासन एक बेर फेर बुलडोजर कारबाइ शुरू कए देलक अछि। शनिदिन वार्ड नंबर-7 आ 14 सं होइत मुख्य पथ पर सरस्वती शिशु विद्या…
कॉमनवेल्थ खेल मे स्वर्ण-ब्रॉन्ज पदक जीतनिहार खेलाड़ी सम्मानित
झंडू कें 15 आ सोमन कें 30 लाखक चेक देलनि मुख्यमंत्री पटना, समदिया पटना मे राष्ट्रीय खेल दिवसक अवसर पर शनिदिन मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कॉमनवेल्थ गेम्स-2026 मे पदक जीतनिहार पैरा खेलाड़ी सोमन राणा आ झंडू कुमार कें सम्मानित केलनि। सोमन राणा…
चारू कात लहास, टूटि रहल अछि आस…
जाहि बाजार मे पहिने खूब चहल-पहल भेल करैत छल, आइ ओकर अस्तित्वे मेटा गेल अछि संजय झा, रसुवागढ़ी/काठमांडू नेपालक रसुवागढ़ी बाजार तिब्बत-चीन सीमाक बहुत समीप बसल अछि। ई रसुवा जिलाक एकटा प्रमुख बाजार सेहो अछि। स्थानीय लोक सभक लेल एहि बाजारक महत्व बहुत बेसी रहल…
आरक्षणक मुद्दा पर एनडीए मे घमासान, चिराग मंगलनि मांझीक इस्तीफा
दलित आरक्षण मे क्रीमी लेयरक सवाल पर भिड़लाह दुनू नेता फोटो : चिराग पटना, समदिया एनडीए मे दलित आरक्षण मे क्रीमी लेयरक मुद्दा पर विवाद बढ़ि गेल अछि। केंद्रीय मंत्री चिराग पासवान नरेंद्र मोदीक मंत्रिमंडल मे अपन सहयोगी जीतनराम मांझीक इस्तीफाक…
संभावित जल संकट सं निपटबाक लेल सभ विभाग पूरा तत्परता सं काज करय : डीएम
सीतामढ़ी, समदिया कम वर्षाक कारण संभावित जल संकटक स्थिति कें देखैत जिलाधिकारी तनय सुल्तानियाक अध्यक्षता मे विमर्श सभा कक्ष मे लोक स्वास्थ्य प्रमंडल, सीतामढ़ीद्वारा संचालित पेयजलापूर्ति योजनाक विस्तृत समीक्षा बैसार आयोजित कएल गेल। बैसार मे…
मंत्री बुलो मंडलक घर सं 500 मीटर दूर कटाव, 60 मीटर धरि तटबंध टूटल गंगा मे समायल ट्रैक्टर, करीब 5 हजार लोक प्रभावित
भागलपुर। भागलपुरक बिहपुर विधानसभा क्षेत्र मे जल संसाधन विभाग बिहार सरकारक ऊर्जा मंत्री बुलो मंडलक घर सं महज 500 मीटरक दूरी पर भ’ रहल कटाव कें नहि रोकि पाबि रहल अछि। ई कटाव तखन भ’ रहल अछि, जखन विभाग पहिनेसं पूरी तैयारीक संग अलर्ट पर छल। पछिला…
आईआरसीटीसी मनी लॉन्ड्रिंग मामिला: लालू परिवारक विरुद्ध आरोप तय करबाक फैसला टरल, 30 सितंबर कें आदेश
्र पटना/नई दिल्ली। दिल्लीक राउज एवेन्यू कोर्ट कथित आईआरसीटीसी होटल घोटाला सं जुड़ल मनी लॉन्ड्रिंग मामिला मे राजद सुप्रीमो लालू यादव, हुनकर परिवारक सदस्य आ अन्य आरोपितक विरुद्ध आरोप तय करबाक फैसला फिलहाल टारि देलक अछि। प्रवर्तन निदेशालय मामिला मे लालू…
बिहार मे बाढ़ि सं 5 जिला प्रभावित, 5600 लोकक भेल रेस्क्यू
पूर्वी-पश्चिमी चंपारण आ सीतामढ़ी मे विशेष सतर्कता पटना। नेपाल मे बाढ़िक बाद बिहारक नदी सभक जलस्तर कें लए प्रशासन हाई अलर्ट पर अछि। मुदा, पछिला 24 घंटा मे गंडक-गंगा सहित कतेको नदीक जलस्तर मे मामूली गिरावट आएल अछि। तथापि खतरा एखन पूरा…
गोपालगंज मे सेप्टिक टैंक मे चारि श्रमिकक दम घुटला सं मृत्यु
गोपालगंज। बिहारक गोपालगंज जिला मे शनिदिन एकटा दर्दनाक दुर्घटना मे सेप्टिक टैंकक भीतर दम घुटला सं चारि श्रमिकक मौत भए गेल। घटना गोपालपुर थाना क्षेत्रक सवनही गोपाल गांवक अछि। हादसाक बाद गांव मे मातम पसरल अछि। घटना की सूचना भेटितहि प्रशासनिक आ पुलिस…
नेपाल सं बहि कए आबि रहल अछि शव, बगहा मे खतराक निशान सं ऊपर बहि रहल अछि गंडक
जनकपुरधाम/सीतामढ़ी/पटना, समदिया तिब्बत मे विशाल ग्लेशियर फटला सं मिथिला सहित बिहारक विभिन्न नदी सभ मे बाढ़िक खतरा अछि। बगहाक डुमरिया घाट पर गंडकक जलस्तर खतराक निशान सं 62.2 मीटर सं 44 सेंटमीटर ऊपर बहि रहल अछि। स्थिति कें देखैत बिहार सरकार 6 जिला कें हाई…