Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

धुरियान एक्सप्रेसक नव रूप, एलएचबी कोचक संग हावड़ाक यात्रा होयत बेसी सुरक्षित आ आरामदायक

Avatar
By Samadiya Mithila
September 7, 2026 2 Min Read
0

समस्तीपुर। समस्तीपुर जंक्शन होइत हावड़ा जाए वाली प्रमुख आ पुरान ट्रेन सभ मे शामिल धुरियान एक्सप्रेसक स्वरूप शीघ्र बदल’ बला अछि। ट्रेन कें आधुनिक एलएचबी रैक सं चलाब’क प्रक्रिया आखरी चरण मे अछि। पूर्व रेलवे दिस सं रैक बदलबाक प्रक्रिया शुरू कएल गेल अछि।
वर्तमान मे ई ट्रेन पुरान आईसीएफ रैक सं संचालित भए रहल अछि। पहिने पैसेंजर ट्रेनक रूप मे परिचालित होमय वाली धुरियान एक्सप्रेस कें किछु वर्ष पहिने एक्सप्रेस ट्रेनक दर्जा देल गेल छल। भागलपुरक रास्ता हावड़ा जाए वाली ई ट्रेन दशक सं यात्री सभ कें सेवा दैत आबि रहल अछि।
समस्तीपुर जंक्शन सं चलय वाली पुरान ट्रेन सभ मे धुरियान एक्सप्रेसक प्रमुख स्थान अछि। कतेको ट्रेनक स्वरूप आ रैक बदलि चुकल अछि, मुदा धुरियान एक्सप्रेस एखन धरि पुरान रैक सं परिचालित भए रहल अछि। आब एलएचबी रैक भेटलाक बाद ट्रेनक कोच सभक संरचना मे सेहो बदलाव होयबाक संभावना अछि।
धुरियान एक्सप्रेस समस्तीपुर आ आसपासक यात्री सभक लेल हावड़ा आ कोलकाता जाएबाक महत्वपूर्ण साधन अछि। दीर्घ समय सं ई ट्रेन यात्री सभक पसंद बनल अछि। वर्तमान मे एकर रैक कें उत्कृष्ट रैकक संग परिचालित कएल जा रहल अछि।
एलएचबी कोच सं बढ़त सुरक्षा आ आराम
एलएचबी कोच आधुनिक तकनीक सं तैयार कएल जाइत अछि। एकर नाम जर्मनीक कंपनी लिंक हॉफमैन बुशक नाम पर पड़ल अछि। आईसीएफ कोचक तुलना मे एलएचबी कोच बेसी सुरक्षित आ आरामदायक मानल जाइत अछि। एकर डिजाइन 160 किलोमीटर प्रति घंटा सं बेसी गतिए लेल कएल गेल अछि।
एलएचबी स्लीपर कोच मे सामान्यतः 80 बर्थ होइत अछि, जखनकि आईसीएफ स्लीपर कोच मे 72 बर्थ होइत अछि। हाइड्रोलिक सस्पेंशन आ नीक सस्पेंशन प्रणालीक कारण ट्रेन मे झटका आ कंपन कम महसूस होइत अछि। एहि सं यात्री सभक यात्रा बेसी आरामदायक होइत अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

आईसीएफ कोचएलएचबी कोचएलएचबी कोचक फायदाधुरियान एक्सप्रेसधुरियान एक्सप्रेस एलएचबी रैकबिहार रेलवेसमस्तीपुर ट्रेनसमस्तीपुर रेलवेसमस्तीपुर हावड़ा ट्रेनहावड़ा ट्रेन
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बिहार मे बाढ़िक दबाव बरकरार, सात नदी खतरा निशान सं ऊपर

Next

स्वच्छ वायु सर्वेक्षण मे पटनाक हवा दिल्ली-मुंबई आ चेन्नई सं नीक, हासिल कएल 16म स्थान

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech