Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

सहयोग शिविरक माध्यम सं आमजनक समस्याक निष्पादन करब मुख्य उद्देश्य  : एसडीएम

Avatar
By Samadiya Mithila
August 5, 2026 1 Min Read
0

 

बिस्फी, समदिया

बिस्फी प्रखंड क्षेत्रक नूरचक पंचायत मे अनुमंडल पदाधिकारी (एसडीएम) सारंग पाणि पांडेय, साइबर डीएसपी अंकुर कुमार, बीडीओ बसंत कुमार सिंह, सीओ संतोष कुमार सिंह तथा श्रम प्रवर्तन पदाधिकारी हमीद गफूर सहयोग शिविरक शुभारंभ केलनि। तहिना खैरी बांका दक्षिणी पंचायत मे जिला सहकारिता पदाधिकारी राकेश कुमार झा, बीपीआरओ शेखर कुमार तथा राजस्व पदाधिकारी सबिता कुमारी पंचायत सरकार भवन परिसर मे सहयोग शिविरक उद्घाटन केलनि। शिविर मे स्थानीय ग्रामीणसभ, जनप्रतिनिधिसभ, महिला समूहक सदस्य सभ तथा विभिन्न विभागक पदाधिकारी आ कर्मी सभ पर्याप्त संख्या मे उपस्थित छलथि। सहयोग शिविर मे पोर्टलक माध्यम सं प्राप्त विभिन्न समस्या सं संबंधित आवेदन सभ आ ऑनलाइन प्राप्त आवेदनसभक सुनवाइ आ निष्पादन कएल गेल। एहि मे प्रधानमंत्री आवास, पेंशन, नल-जल, स्वास्थ्य सेवा तथा जमीन विवाद सं संबंधित आवेदनक संख्या बेसी छल। जकरा मे कतेको आवेदनक निष्पादन तत्क्षण कए देल गेल। एहि अवसर पर विभिन्न विभाग द्वारा स्टॉल लगाकए सरकारी योजनासभक जानकारी सेहो देल गेल। शिविर मे उपस्थित ग्रामीण सभ सं एक-एक कए संवाद कएल गेल आ हुनक समस्या कें गंभीरतापूर्वक सुनल गेल। एसडीएम सारंग पाणि पांडेय कहलनि जे पंचायत आ प्रखंड स्तरक सभ पदाधिकारी आ कर्मी अपन दायित्वक निर्वहन पूर्ण जिम्मेदारी सं करथि तथा आमजनक समस्याक निर्धारित समयसीमाक भीतर निष्पादन सुनिश्चित करथि। एहि अवसर पर उषा कुमारी, मुखिया गुलशन खातून, मोहम्मद नियाज, पंचायत सचिव शशि रंजन सहित बहुतो गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलथि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

यमनक तट लग हमला मे भारतीय जहाज डूबल, यमन सरकार हूती विद्रोही सभ कें ठहरौलक जिम्मेदार

Next

सड़क सुरक्षा जागरूकता अभियान लेल विद्यालय मे कार्यक्रमक आयोजन

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
  • समुद्र मे भारतीय युद्धपोत सं टकरायल पाकिस्तानी नौसेनाक जहाज, भारत राजनयिक कें केलक तलब
  • स्वच्छ आ प्रदूषणमुक्त वातावरण लेल घोघरडीहा मे जागरूकता अभियान
  • 20 सितंबर धरि छाएल रहत बादल, हल्का सं मध्यम बारिशक संभावना; किसानक लेल जारी भेल कृषि सलाह
  • भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंताक घर विजिलेंसक छापा

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
  • समुद्र मे भारतीय युद्धपोत सं टकरायल पाकिस्तानी नौसेनाक जहाज, भारत राजनयिक कें केलक तलब
  • स्वच्छ आ प्रदूषणमुक्त वातावरण लेल घोघरडीहा मे जागरूकता अभियान
  • 20 सितंबर धरि छाएल रहत बादल, हल्का सं मध्यम बारिशक संभावना; किसानक लेल जारी भेल कृषि सलाह
  • भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंताक घर विजिलेंसक छापा

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech