Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

सड़क सुरक्षा जागरूकता अभियान लेल विद्यालय मे कार्यक्रमक आयोजन

Avatar
By Samadiya Mithila
August 5, 2026 1 Min Read
0

 

 

बिस्फी, समदिया

बिस्फी प्रखंड क्षेत्रक उच्च माध्यमिक विद्यालय, परसौनी उत्तरीक परिसर मे बुधदिन सड़क सुरक्षा जागरूकता कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता विद्यालयक प्रधानाध्यापक राजेश कुमार झा केलनि, जखन कि संचालन शिक्षक प्रदीप रंजन झा द्वारा कएल गेल। एहि अवसर पर छात्र-छात्रा सभ विद्यालयक पोषक क्षेत्र मे जागरूकता रैली निकालि लोक सभ कें सड़क सुरक्षा नियमक पालन करबाक संदेश देलनि। रैलीक माध्यम सं सुरक्षित यातायातक महत्व आ सड़क दुर्घटना सं बचबाक उपायक जानकारी देल गेल।

कार्यक्रमक अंतर्गत विद्यालय मे विभिन्न विधा सभ पर आधारित गतिविधिक आयोजन कएल गेल। एहि क्रम मे छात्र-छात्रा सभ ट्रैफिक गेम, क्विज प्रतियोगिता, रैली, संभाषण, पेन्टिङ, चित्रकला प्रतियोगिता आदि मे उत्साहपूर्वक सहभागिता करैत अपन प्रतिभाक प्रदर्शन केलनि तथा सड़क सुरक्षा सं संबंधित विस्तृत जानकारी प्राप्त केलनि। विभिन्न प्रतियोगिता मे उत्कृष्ट प्रदर्शन कएनिहार प्रथम, द्वितीय आ तृतीय स्थान प्राप्त छात्र-छात्रा सभ कें विद्यालयक तर्फ सं पुरस्कृत कएल गेल तथा हुनक उज्ज्वल भविष्यक कामना कएल गेल। एहि अवसर पर अरविंद कुमार, सुशांत कुमार, शोभा कुमारी, अभिलाष श्रीवास्तव, पंकज कुमार सहित विद्यालयक अनेको शिक्षक उपस्थित छलथि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सहयोग शिविरक माध्यम सं आमजनक समस्याक निष्पादन करब मुख्य उद्देश्य  : एसडीएम

Next

बिहार मंत्रिमंडलक बैठक मे कतेको पैघ निर्णय, पीपीपी मॉडल पर 16 मेडिकल कॉलेजक संचालन कें मंजूरी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी
  • आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी
  • मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि
  • डीएमसीएच मे 6 अगस्त सं अनिश्चितकालीन भूख हड़तालक घोषणा
  • दू मैचक टेस्ट सीरीज मे हिस्सा लेबाक लेल श्रीलंका पहुंचल टीम इंडिया

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी
  • आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी
  • मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि
  • डीएमसीएच मे 6 अगस्त सं अनिश्चितकालीन भूख हड़तालक घोषणा
  • दू मैचक टेस्ट सीरीज मे हिस्सा लेबाक लेल श्रीलंका पहुंचल टीम इंडिया

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech