बिहार मंत्रिमंडलक बैठक मे कतेको पैघ निर्णय, पीपीपी मॉडल पर 16 मेडिकल कॉलेजक संचालन कें मंजूरी

पटना। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे बुध दिन भेल बिहार मंत्रिमंडलक बैठक मे कुल 17 प्रस्ताव कें मंजूरी देल गेल। बैठक मे स्वास्थ्य, शिक्षा, उद्योग, खेल, न्यायिक व्यवस्था, जलापूर्ति, पर्यटन, संस्कृति आ प्रशासनिक संरचना सुदृढ़ बनेबा सं जुड़ल कतेको महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल।
बैठकक सबसं पैघ निर्णय ‘सात निश्चय-3’ अंतर्गत सार्वजनिक-निजी भागीदारी (पीपीपी) मॉडल पर राज्यक 16 ब्राउनफील्ड चिकित्सा महाविद्यालय आ अस्पताल, जाहि मे डेंटल कॉलेज आ अस्पताल सेहो शामिल अछि, ओकर संचालन प्रक्रियाके आगू बढ़ेबाक रहल। एहि लेल ट्रांजैक्शन एडवाइजरक रूप मे प्राइसवाटरहाउसकूपर्स प्राइवेट लिमिटेड (पीडब्ल्यूसी) कें चयन करैत 8.27 करोड़ रुपैयाक प्रशासनिक स्वीकृति देल गेल।
खेल क्षेत्र कें बढ़ावा देबाक उद्देश्य सं राजगीर स्थित राज्य खेल अकादमी परिसर मे स्पोर्ट्स साइंस सेंटर स्थापन आ संचालन कें सेहो मंजूरी देल गेल। एहि परियोजना पर लगभग 25 करोड़ रुपैया खर्च होयत।
ज्ञान भारतम मिशन अंतर्गत प्राचीन पांडुलिपि सभक डिजिटलीकरण आ मेटाडाटा निर्माण लेल 6.23 करोड़ रुपैया सं अधिकक प्रशासनिक स्वीकृति प्रदान कएल गेल।
जलापूर्ति परियोजना कें मंजूरी
शहरी जलापूर्ति व्यवस्था सुदृढ़ बनेबाक लेल अमृत 2.0 योजनाक अंतर्गत जमालपुर जलापूर्ति परियोजना लेल 102.22 करोड़ रुपैया आ मुंगेर जलापूर्ति परियोजना (फेज-1) लेल 177.72 करोड़ रुपैयाक प्रशासनिक स्वीकृति देल गेल।
उद्योग विभाग अंतर्गत सूक्ष्म, लघु आ मध्यम उद्यम (एमएसएमई) निदेशालयक पुनर्गठन कें सेहो मंजूरी भेटल। मुख्यालय आ क्षेत्रीय स्तर पर पद सभक पुनर्संरचना करबाक निर्णय लेल गेल। कला आ संस्कृति विभागक पुरातत्व निदेशालय मे तकनीकी पद सभ पर संविदाक आधार पर नियुक्तिक निर्णय सेहो कएल गेल।
विशेष न्यायालय आ नव पदक सृजन
न्यायिक व्यवस्था मजबूत बनेबाक लेल पूर्णिया, भागलपुर आ गया प्रमंडल मे एनडीपीएस अधिनियमक मामला सभक सुनवाइ लेल विशेष न्यायालय गठन हेतु 27 नव पदक सृजन कें मंजूरी देल गेल।
अनुसूचित जाति आ अनुसूचित जनजाति (अत्याचार निवारण) अधिनियम अंतर्गत लंबित मामला सभक शीघ्र निष्पादन लेल राज्यक विभिन्न जिला मे 19 अतिरिक्त विशेष न्यायालय स्थापित कएल जाएत। एहि लेल 171 पदक सृजन स्वीकृत कएल गेल।
सामाजिक कल्याण विभाग अंतर्गत संचालित बाल गृह, बालिका गृह, विशेष गृह आ सुरक्षित स्थान सभक सुरक्षा व्यवस्था मजबूत बनेबाक लेल 330 गृह रक्षकक तैनाती आ एहि मद मे लगभग 14.53 करोड़ रुपैयाक वार्षिक व्यय कें मंजूरी भेटल।
स्वास्थ्य, पर्यटन आ शिक्षा क्षेत्र मे निर्णय
स्वास्थ्य क्षेत्र मे बिहार आयुष चिकित्सा सेवा नियमावली, 2026 मे संशोधन स्वीकृत कएल गेल। बिहार स्वास्थ्य विज्ञान विश्वविद्यालय, पटना लेल प्रशासनिक काजक उद्देश्य सं 6 नव पदक सृजनक निर्णय लेल गेल। राजकीय आयुर्वेदिक कॉलेज, पटना मे 2 सुपरन्यूमरेरी पदक सृजन कें सेहो मंजूरी देल गेल।
पर्यटन कें बढ़ावा देबाक उद्देश्य सं मुख्यमंत्री बिहार हेली-टूरिज्म आ एयर टूरिज्म सेवा योजना-2026 अंतर्गत हेलीकॉप्टर सेवा संचालन लेल वित्तीय स्वीकृति प्रदान कएल गेल।
पूर्वी चंपारण जिला मे केंद्रीय विद्यालय स्थापन लेल राज्य सरकारक भूमि 30 वर्षक लीज पर उपलब्ध करेबाक प्रस्ताव स्वीकृत भेल। गृह विभागक प्रस्ताव पर नवादा जिला मे बिहार औद्योगिक सुरक्षा बल (बीआईएसएफ) स्थापन लेल लगभग 44 एकड़ सरकारी भूमिक नि:शुल्क अंतर्विभागीय हस्तांतरण कें मंजूरी देल गेल।
एहि संग ‘हर घर तिरंगा अभियान-2026’ क सफल आयोजन लेल 6.12 करोड़ रुपैयाक व्यय कें सेहो मंत्रिमंडलक स्वीकृति भेटल।