Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

18 दिन सं आमरण अनशनक बाद पीएचडी धारक सभक लोकभवन मार्च

Avatar
By Samadiya Mithila
August 22, 2026 2 Min Read
0

 

आर ब्लॉक पर पटना पुलिस सं भेल आमना-सामना

पटना। राजधानी मे 18 दिन सं आमरण अनशन कए रहल पीएचडी डिग्रीधारी सभ शनिदिन अपन मांग कें लए लोकभवन मार्च पर निकललाह, मुदा पुलिस आर ब्लॉकक लग मे हुनका सभ कें रोकि देलक।

तिरंगा लए प्रदर्शनकारी वीर कुंवर सिंह पार्क सं आगां बढ़बाक प्रयास करय लगलाह, मुदा पहिने सं मुस्तैद पुलिस आर ब्लॉकक लग बैरिकेडिंग कए हुनका सभ कें रोकि देलक। प्रदर्शनकारी सभ आगां बढ़बाक लेल बैरिकेडिंग पर चढ़बाक प्रयास कएलनि, जकर बाद पुलिस आ प्रदर्शनकारी सभक बीच आमना-सामना भेल।

उच्च शिक्षा, युवाक रोजगार आ शोधार्थी सभक अकादमिक भविष्य सं जुड़ल मुद्दा कें लए ऑल पीएचडी होल्डर्स एंड रिसर्च स्कॉलर्स एसोसिएशन ऑफ बिहार दिस सं गर्दनीबाग मे 18 दिन सं आंदोलन चलि रहल अछि। संगठनक संयोजक कुमुद पटेल लगातार आमरण अनशन पर छथि।

शनिदिन प्रदर्शनकारी सभ लोकभवन दिस बढ़य लगलाह तं’ पुलिस हुनका सभ कें रोकि देलक। पुलिस पहिने सं बैरिकेडिंग कए रखने छल। प्रदर्शनकारी सभ आगां बढ़बाक लेल बैरिकेडिंग पर चढ़बाक प्रयास कएलनि, मुदा पुलिस हुनका सभ कें रोकय मे जुटल रहल।

प्रदर्शनकारी सभक कहब अछि जे हुनका सभक मांग मात्र नियुक्ति धरि सीमित नहि अछि, बल्कि बिहारक उच्च शिक्षा व्यवस्था आ शोधार्थी सभक भविष्य सं सेहो जुड़ल अछि।

आमरण अनशन पर बैसल संयोजक कुमुद पटेल कहलनि जे ई लड़ाइ मात्र किछु हजार पद पर नियुक्तिक प्रश्न नहि अछि। ई तय करबाक लड़ाइ अछि जे बिहारक उच्च शिक्षा कोन दिशा मे आगां बढ़त आ आबय बला पीढ़ीक भविष्य कोना होयत।

ओ कहलनि जे आंदोलन कोनो व्यक्ति, संगठन अथवा राजनीतिक दल विशेषक लड़ाइ नहि अछि। ई बिहारक उच्च शिक्षा, युवाक भविष्य, शोधार्थी सभक सम्मान आ आबय बला पीढ़ीक अधिकार सं जुड़ल संघर्ष अछि। ओ शिक्षा, रोजगार आ न्याय केर पक्ष मे ठाढ़ लोक सभ सं आंदोलन मे शामिल होयबाक अपील कएलनि।

आंदोलनकारी सभक कहब अछि जे जखन धरि सरकार दिस सं हुनका सभक मांग पर ठोस पहल नहि होइत अछि, तखन धरि आंदोलन जारी रहत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

असिस्टेंट प्रोफेसर नियुक्तिआर ब्लॉक प्रदर्शनपटना छात्र आंदोलनपटना पीएचडी आंदोलनपीएचडी धारक आंदोलनपीएचडी धारक आमरण अनशनबिहार पीएचडी धारकयूजीसी नियमलोकभवन मार्च पटनाशोधार्थी आंदोलन बिहार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बिहार मे राजस्व कर्मचारी सभक बदलीक नव नीति, एक जिला मे आब अधिकतम पांच साल रहताह

Next

पटना सं भागलपुर धरि खतराक घंटी, कम बरखाक बादो बिहारक नदी सभ रौद्र रूप मे

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech