बिहार एमएलसी चुनाव: अनंत सिंहक समर्थित अनुज सिंह कें जन सुराजक टिकट, दोसर सूची मे 3 उम्मीदवारक घोषणा
पटना। बिहार विधान परिषदक शिक्षक आ स्नातक सीट पर होमय बला चुनाव कें लए राजनीतिक गतिविधि तेज भऽ गेल अछि। जन सुराज पटना स्नातक निर्वाचन क्षेत्र सं डॉ. अनुज सिंह कें अपन समर्थित उम्मीदवार घोषित कएलक अछि। अनुज सिंह कें मोकामा विधायक अनंत सिंहक समर्थन…
जमुई कांडक आरोपी हरेराम यादवक पिटाइ, वकील कोर्ट मे जड़लनि थापड़, 5 आरोपी गिरफ्तार
जमुई, समदिया बिहारक जमुई मे छात्रा सं छेड़खानीक चर्चित मामिलाक आरोपी हरेराम यादव कें बुधदिन न्यायालय मे पेश करबाक समय एक अधिवक्ता थापड़ लगा देलनि। अधिवक्ता आकाश पांडे पुलिसक सुरक्षा मे आरोपी कें न्यायालय सं बाहर अनबाक समय ओकरा पर हाथ उठा देलनि। एहि घटनाक…
दरोगा बहालीक मुख्य लिखित परीक्षा रद्द, प्रश्नपत्र वायरल होयबाक दावाक बाद बीपीएसएससीक फैसला
पटना, समदिया बिहार पुलिस अवर सेवा आयोग (बीपीएसएससी) दारोगा बहाली परीक्षा कें लए कए पैघ निर्णय लेने अछि। 1799 पद पर नियुक्तिक लेल 27 मई 2026 कें दू घंटी मे आयोजित मुख्य लिखित परीक्षा रद्द कए देल गेल अछि। आयोग बुधदिन एहि संबंध मे आधिकारिक सूचना जारी…
पटना मे मां सीता महिला विश्वविद्यालय, बेगूसराय मे दिनकर विश्वविद्यालयक स्थापना; कैबिनेटक पैघ फैसला
अमलेश आनंदक रिपोर्ट बिहारक पहिल महिला विश्वविद्यालय पटना मे स्थापित होयत। एकर नाम मां सीता महिला विश्वविद्यालय राखल गेल अछि। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे बुधदिन भेल बिहार मंत्रिमंडलक बैसार मे एहि प्रस्ताव पर स्वीकृति देल गेल। मंत्रिमंडल…
भाजपा जारी कएलक प्रभारी आ सह-प्रभारी सभक सूची, स्मृति ईरानी कें छत्तीसगढ़-हरियाणा
हरीश द्विवेदी कें बिहार-कर्नाटकक जिम्मेदारी फोटो 704 भाजपा आइ राज्य आ केंद्रशासित प्रदेश सभक प्रभारी आ सह-प्रभारी सभक सूची जारी कएलक। एहि मे उत्तर प्रदेश आ पंजाब जेकां ओ राज्य सेहो शामिल अछि, जतय किछु मास बाद विधानसभा चुनाव होयबाक अछि। उत्तर…
पांच दिवसीय बैंकिंग कार्य सप्ताहक मांग पर पटना मे बैंककर्मीक धरना
28 सं 30 सितंबर धरि जारी रहत हड़ताल पटना। यूनाइटेड फोरम ऑफ बैंक यूनियंस (यूएफबीयू)क राष्ट्रव्यापी आह्वान पर बुध दिन पटना मे बिहारक बैंक कर्मचारी आ अधिकारी सभ राज्यस्तरीय धरना-प्रदर्शन कएलनि। एहि मे पांच दिवसीय बैंकिंग कार्य सप्ताह लागू…
जेडीयू कार्यालयक बाहर बीयूएचएस अभ्यर्थीक प्रदर्शन
स्वास्थ्य मंत्री सं भेट करबाक संग 10 सूत्री मांग कें लए घेरलक गेट फोटो 202 पटना। पटना मे बीयूएचएस अभ्यर्थी सभ बुध दिन अपन 10 सूत्री मांग कें लए जेडीयू कार्यालयक बाहर प्रदर्शन कएलनि। प्रदर्शन मे अभ्यर्थी सभ कार्यालयक गेट घेरि देलनि आ स्वास्थ्य…
पटना मे हांगकांग लिखल हैंड ग्रेनेड बरामद,315 बोरक 5 गोली सेहो जब्त
2 युवक गिरफ्तार शीतला मंदिर ओवरब्रिजक लग पुलिस पकड़लक फोटो 201 पटना। अगमकुआं थाना क्षेत्र मे हैंड ग्रेनेड भेटल अछि। पुलिस 2 युवक कें गिरफ्तार कएलक अछि। तलाशी के दौरान 315 बोरक 5 जिंदा गोली भेटल अछि। बरामद सामानक जांच लेल बम निरोधक दस्ता कें…
भवन निर्माण निगमक जीएमक ठिकाना पर ईओयू रेड
गहना, बैंक इन्वेस्टमेंट, कतेको लग्जरी गाड़ीक कागज भेटल पटना-नालंदा मे छापेमारी पटना। बिहार राज्य भवन निर्माण निगम लिमिटेडक महाप्रबंधक (तकनीकी) कमलेश कुमारक विरुद्ध आय सं बेसी संपत्तिक मामिला मे आर्थिक अपराध इकाई (ईओयू) बुध दिन भोर मे पैघ कारबाइ…
बिहार एमएलसी चुनावक घोषणा : 23 अक्टूबर कें मतदान, 4 स्नातक आ 4 शिक्षक सीट पर चुनाव
29 सितंबर कें जारी होयत अधिसूचना, 27 अक्टूबर कें आओत परिणाम पटना, समदिया बिहार विधान परिषदक स्नातक आ शिक्षक निर्वाचन क्षेत्रक 8 सीट लेल चुनावक घोषणा कए देल गेल अछि। भारत निर्वाचन आयोग द्वारा जारी कार्यक्रमक अनुसार 4 स्नातक आ 4 शिक्षक…