Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

जयनगर मे गैस सिलिंडरक अवैध जमाखोरीक भंडाफोड़, 7 भरल आ 14 खाली सिलिंडर जब्त

Avatar
By Samadiya Mithila
July 16, 2026 2 Min Read
0

 

जयनगर, समदिया

 

गुप्त सूचनाक आधारपर जयनगर अनुमंडल प्रशासन बेला चौकस्थित एकटा दोकान आ संबंधित स्थानसभपर छापेमारी कए घरेलू गैस सिलिंडरक अवैध जमाखोरीक भंडाफोड़ कएलक। कारवाईक क्रम मे कुल 7टा भरल आ 14टा खाली गैस सिलिंडर बरामद कएल गेल। अवैध भंडारणक पुष्टि भेलाक बाद आरोपीक विरुद्ध आवश्यक वस्तु अधिनियम सहित आन संबंधित कानूनी धाराक अंतर्गत प्राथमिकी दर्ज करबाक प्रक्रिया आरंभ कएल गेल अछि।

 

प्रशासनिक जानकारीक अनुसार बेला निवासी वीरेंद्र चौधरी (पिता–कितई चौधरी)क दोकान सं 2टा भरल आ 9टा खाली गैस सिलिंडर बरामद भेल। जांचक क्रम मे हुन कें संबंधित ललिता देवीक घर सं 5टा भरल आ 5टा खाली गैस सिलिंडर सेहो बरामद कएल गेल। एहि प्रकारें कुल 21टा गैस सिलिंडर जब्त कएल गेल।

 

छापेमारी अभियानक नेतृत्व अनुमंडल पदाधिकारी दीपक कुमार कएलनि। अभियान मे अञ्चलाधिकारी अखिलेश चौधरी, जयनगर थानाक अवर निरीक्षक बलाल खान सहित पुलिस आ प्रशासनक आन पदाधिकारी तथा कर्मी सभ उपस्थित छलाह।

 

प्रशासनिक पदाधिकारी सभ जनौलनि जे घरेलू गैस सिलिंडरक अवैध भंडारण, जमाखोरी आ दुरुपयोग कानूनक दृष्टि सं दंडनीय अपराध अछि। जांच मे अवैध भंडारणक पुष्टि भेलाक बाद वीरेंद्र चौधरीक विरुद्ध आवश्यक वस्तु अधिनियम आ आन संबंधित कानूनी प्रावधानक अंतर्गत प्राथमिकी दर्ज कएल जा रहल अछि।

 

अधिकारी सभ आमजन सं अपील कएलनि जे जं कतहु गैस सिलिंडरक कालाबाजारी, जमाखोरी अथवा अवैध भंडारणक सूचना भेटए तं तत्काल प्रशासन कें अवगत कराबथि, जाहि सं समय पर प्रभावी कारवाई कएल जा सकए।

 

एहि कारवाईक उपरांत क्षेत्र मे अवैध रूप सं गैस सिलिंडरक जमाखोरी आ कालाबाजारी मे संलग्न लोक सभ मे हड़कंप मचि गेल अछि। प्रशासन स्पष्ट कएलक जे आम उपभोक्तासभक हितक रक्षा आ आवश्यक वस्तुसभक निर्बाध उपलब्धता सुनिश्चित करबाक लेल एहन अभियान आगू सेहो निरंतर चलैत रहत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

गुप्त सूचनाक आधार पर मद्यनिषेध टीमक पैघ कारवाई, 1,011 लीटर विदेशी शराब आ बीयर सं संग एक गोटे गिरफ्तार

Next

स्कूली वैन मे आगि लागल, धू-धू कए जरल गेल वाहन, बाल-बाल बचल चालक

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech