आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
4 सितंबर कें मनाओल जायत श्रीकृष्ण जन्माष्टमी
रोहिणी नक्षत्र मे व्रत आ पूजाक विशेष महत्व सहरसा, समदिया श्रीकृष्ण जन्माष्टमी कें लए कए श्रद्धालु सभ मे उत्साह अछि। पंडित तरुण झा कहलनि जे एहि बरख श्रीकृष्ण जन्माष्टमीक व्रत आ भगवान श्रीकृष्णक पूजा 4 सितंबर, शुक्रदिन कें कएल जायत। मिथिला मे…
राष्ट्रीय खेल दिवस पर चारि दिवसीय खेल महोत्सवक आयोजन
दरभंगा, समदिया ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगाक निर्देशानुसार महाराज लक्ष्मेश्वर सिंह मेमोरियल महाविद्यालय, दरभंगा मे राष्ट्रीय खेल दिवसक उपलक्ष्य मे चारि दिवसीय खेल महोत्सवक आयोजन कएल जा रहल अछि। 1 सं 4 सितंबर धरि आयोजित होमयबला…
रामपुर पंचायत कें आदर्श पंचायत बनेबाक चर्चा तेज, डीएम अधिकारी सभ कें देलनि निर्देश
सहरसा, समदिया जिलाक सौरबाजार प्रखंडक रामपुर पंचायत कें आदर्श पंचायत बनयबाक लेल जिला प्रशासन कवायद तेज कए देलक अछि। बुधदिन पंचायत सरकार भवन मे जिलाधिकारी दीपेश कुमार प्रखंड स्तरीय पदाधिकारी आ पंचायत जनप्रतिनिधिसभक संग समीक्षा बैसार कए…
शव नहि भेटला पर कुशक प्रतिरूप बना कएल जा रहल सामूहिक दाह संस्कार
आशा आ निराशाक बीच समय कटबा लेल विवश छथि पीड़ित परिवार काठमांडू, समदिया रसुवाक भोटेकोशी नदी मे आएल विनाशकारी बाढ़िक बाद संपर्क विहीन सिंधुपाल्चोकक 239 लोकक खोज मे परिजन भटकि रहल छलाह। बाढ़ि आएल एक सप्ताह बीतलाक बादो परिवारक सदस्यक…
घर-द्वारि छीनि रहल अछि गंडक, गाम-गाम घुसि रहल अछि गंगा
– नेपाल मे लगातार भए रहल बरखा सं बिगड़ल गंडकक स्थिति पटना, भागलपुर मे गाम-गाम पहुंचि रहल अछि गंगाक पानि पटना मे गंगा कात भेटल तीन गोटेक शव पटना, समदिया राज्यक विभिन्न जिला मे बाढ़िक कहर देखल जा रहल अछि। स्थिति एहन अछि जे लोक…
बिहार मे सीएम सम्राट चौधरीक घोषणा- 6 करोड़ लोकक होयत स्वास्थ्य जांच, सभ नागरिकक बनत डिजिटल हेल्थ रिकॉर्ड
पटना। बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बुधदिन राज्यक सभ 38 जिला मे ‘जांच एवं उपचार-चिकित्सा अहांक द्वार’ अभियानक शुरुआत केलनि। एहि दौरान ओ जागरूकता रथ सभ कें हरियर झंडी देखाकए विदा केलनि। ई विशेष अभियान 2 सितंबर सं 30 नवंबर धरि चलत। मुख्यमंत्री जिलाधिकारी…
स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड सं औद्योगिक क्षेत्र धरि, 27 एजेंडा पर लागल मुहर
पटना। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे बुधदिन भेल राज्य मंत्रिमंडलक महत्वपूर्ण बैसार मे विकास, शिक्षा, रोजगार, स्वास्थ्य, आधारभूत संरचना आ समाज कल्याण सं जुड़ल कुल 27 एजेंडा पर मंजूरी देल गेल। सरकार बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना कें वित्तीय…
एयर मार्शल जितेंद्र मिश्र अयोध्या राममंदिरक नव सीईओ
ट्रस्टक बैठक मे लेल गेल कतेको महत्वपूर्ण निर्णय अयोध्या, एजेंसी अयोध्या मे श्रीराम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र ट्रस्टक महत्वपूर्ण बैठक बुधदिन भेल। ट्रस्टक अध्यक्ष महंत नृत्य गोपाल दासक मणिरामदास छावनी स्थित आवास पर दिउस 2 बजे शुरू भेल बैठक मे…
अमेरिकाक ईरान पर फेर हमला, 12 गोटेक मृत्यु; जवाब मे अमेरिकी सैन्य अड्डा पर ईरानी प्रहार
सिरिक मे विवाह समारोहक समय मिसाइल खसला सं पांच गोटेक मृत्यु नई दिल्ली, एजेंसी अमेरिकाक सेना मंगलदिन राति ईरानक सिरिक, खुजस्तान, केश्म द्वीप आ बंदर अब्बास मे मिसाइल आ ड्रोन सं हमला केलक। ईरानक अनुसार एहि हमला मे 12 गोटेक मृत्यु आ 68 गोटे…