जिला स्तरीय अभिमुखीकरण कार्यशाला आयोजित
पेयजल आ स्वच्छता सेवा कें सुदृढ़ करबाक लेल मंथन समस्तीपुर, समदिया जिला मे पेयजल, स्वच्छता आ स्वच्छता व्यवहार सं संबंधित सेवा सभ कें बेसी प्रभावी, गुणवत्तापूर्ण आ जनोपयोगी बनयबाक उद्देश्य सं जिला स्तरीय अभिमुखीकरण कार्यशालाक आयोजन कएल…
राष्ट्रीय खेल दिवस पर हॉकी खेलाड़ी सभ कें कएल गेल सम्मानित
सहरसा, समदिया राष्ट्रीय खेल दिवसक अवसर पर मंगलदिन पटेल मैदान मे हॉकी एसोसिएशनक दिस सं कार्यक्रम आयोजित कएल गेल। कार्यक्रम मे जिलाक हॉकी खेलाड़ी सभ कें प्रोत्साहित करैत हुनका सभ कें टी-शर्ट प्रदान कएल गेल। एहि सं पूर्व पटना स्थित…
मध्य विद्यालय रूपौली मे अभिभावक-शिक्षक संगोष्ठी आयोजित
सीतामढ़ी, समदिया मध्य विद्यालय रूपौली मे अभिभावक-शिक्षक संगोष्ठीक आयोजन कएल गेल। एहि अवसर पर विद्यालय परिवारक सभ सदस्य, शिक्षा समितिक सभ सदस्य, पदेन अध्यक्ष सह वार्ड सदस्य मोहम्मद गफ्फार तथा सभ अभिभावक उपस्थित छलाह। …
समाहरणालय परिसर मे चोरक आतंक, कतेको कार्यालयक एसीक कॉपर वायर चोरी
सुरक्षा गार्डक मौजूदगीक बावजूद चोरी सं उठल सवाल, डीएम-एसपी कार्यालयक वायर बचल 502 सहरसा, समदिया शहर मे बढ़ैत चोरीक घटनाक बीच आब समाहरणालय परिसर सेहो चोरक निशाना बनि गेल अछि। सुरक्षा कर्मीक मौजूदगीक बावजूद चोर समाहरणालय स्थित कतेको कार्यालय…
आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 1-09-2026
फरक्का बराज पर जदयू केर हल्ला बोल, 5 सितंबर सं बक्सर मे ‘नीतीश संवाद’क शंखनाद; 12 जिलामे होयत कार्यक्रम
पटना। फरक्का बराज आ फरक्का जल संधि केर मुद्दा पर जदयू पांच सितंबर सं ‘नीतीश संवाद’ कार्यक्रमक पहिल चरणक शुरुआत करत। एहि अंतर्गत पार्टीक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष संजय कुमार झा आ प्रदेश अध्यक्ष उमेश सिंह कुशवाहा संयुक्त रूप सं संवाद करताह। गंगा कात बसल…
जं कोइ दोषी पाओल गेलाह तं कड़ा सजा भेटतनि : चिराग पासवान
चिराग कहलनि, होटल कांडक सरकार कराबय निष्पक्ष जांच संजय सिंह तेजप्रताप कें पठौलनि 50 करोड़क मानहानिक नोटिस पटना, समदिया बिहार सरकारक पीएचईडी मंत्री आ महुआ सं लोजपा-रामविलासक विधायक संजय सिंह पर जेजेडी नेता तेज प्रताप यादव द्वारा लगाओल…
मात्र घर नहि, हजारो स्वप्न कें बहा लए गेल त्रिशूली नदी
सर्लाहीक पूर्व विधायक अशोक यादव प्रभावित क्षेत्रक दौरा कए ‘समदिया मिथिला’ कें बतौलनि ओहि ठामक पीड़ा कहलनि, एहन भयावह दृश्य अपन जीवन मे कहियो नहि देखने रही कमर अख्तर, सीतामढ़ी नेपालक नुवाकोट जिला मे हालहि आयल विनाशकारी…
नीट प्रदर्शनकारी छात्र सभ पर दर्ज एफआईआर होयत रद्द? केंद्र सरकार पहुंचल सुप्रीम कोर्ट, 1 सितंबर कें सुनवाइ
नई दिल्ली। नीट परीक्षा पेपर लीकक विरोध मे प्रदर्शन कएनिहार छात्र सभ पर दर्ज एफआईआर रद्द करबाक केंद्र सरकारक याचिका पर सुप्रीम कोर्ट सुनवाइ लेल सहमत भए गेल अछि। एहि मामिला पर 1 सितंबर कें सुनवाइ होयत। मुख्य न्यायाधीश सूर्यकांत, न्यायमूर्ति जॉयमाल्य…
भागलपुर मे बाढ़ि-कटाव रोकबाक लेल प्रशासनक तैयारी तेज, राघोपुर मे गंगाक धारा मोड़बाक तैयारी
भागलपुर। बिहारक भागलपुर जिलामे बाढ़ि आ कटावक चुनौती सं निपटबाक लेल जिला प्रशासन राहत, बचाव आ सुरक्षात्मक काज कें तेज कए देने अछि। संवेदनशील स्थल पर अतिरिक्त बल, भारी मशीन, तकनीकी विशेषज्ञ आ श्रमबल तैनात कएल गेल अछि। प्रशासनक टीम प्रभावित आ संवेदनशील…