पटना मे वित्तविहीन शिक्षक सभ निकाललनि कफन यात्रा
जेपी गोलंबर पर पुलिस रोकलक तं सड़क पर बैसल प्रदर्शनकारी पटना। देशभरि मे शनि कें शिक्षक दिवस मनाओल जा रहल अछि। एक दिस शिक्षक सभ कें सम्मानित कएल जा रहल अछि, तं दोसर दिस बिहारक राजधानी पटना मे वित्तविहीन शिक्षक सभ सरकारक विरुद्ध अनोखा…
पटना विश्वविद्यालय परिसर मे सुतली बम फोड़ल गेल, जियोग्राफी विभाग परिसर मे धमाका
लग मे ठाढ़ छात्र बाल-बाल बचलाह पटना। पटना विश्वविद्यालयक जियोग्राफी विभाग परिसर मे धमाका भेल अछि। परिसर मे सुतली बम फेंकल गेल अछि। घटनाक जानकारी छात्र सभ पुलिस कें देलनि। पुलिस मौकापर पहुंचल आ मामिलाक जांच-पड़ताल शुरू कए देलक। बताओल जा रहल अछि जे…
कोसी मे जलस्तर बढ़ल सं निचला इलाका मे घुसल पानि, मधेपुराक दू प्रखंडक करीब एक दर्जन गाम प्रभावित; 55 ठाम नाव उतारल गेल
मधेपुरा। कोसी नदीक जलस्तर लगातार बढ़ि रहल अछि। एहि कारण चौसा आ आलमनगर प्रखंडक निचला इलाका मे पानि फैलि गेल अछि। कतेको गाम मे पानि पहुँचि गेलासं ग्रामीणक परेशानी बढ़ि गेल अछि। निचला इलाका मे आवागमन प्रभावित होयबाक संग मवेशक लेल चारा जुटेनाइ सेहो…
नवगछिया मे गंगाक तेज कटाव स्थल पर पहुँचलनि मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी, फ्लड फाइटिंग काजक लेलनि जानकारी
नवगछिया (भागलपुर)। गंगा नदीक तेज कटाव सं उत्पन्न स्थिति केर जायजा लेबाक लेल मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी शनिदिन भागलपुर पहुँचलनि। मुख्यमंत्री विमान सं भागलपुर पहुँचलनि, जतय सं सड़क मार्गे राघोपुर तटबंधक कटाव स्थल पर गेलनि। तटबंध पर पहुँचि ओ कटावक स्थिति केर…
सीएम सम्राट चौधरीक घोषणा- आब एक सप्ताह मे आयत मैट्रिक-इंटरक रिजल्ट, खुजत बीएचयूक सेंटर
पटना। शिक्षक दिवसक अवसर पर बिहार सरकार शिक्षा व्यवस्था केँ लए कतेको पैघ घोषणा कएलक अछि। एसके मेमोरियल सभागार मे आयोजित राजकीय शिक्षक सम्मान समारोह केँ संबोधित करैत मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी मैट्रिक आ इंटरक परीक्षा सं लए शिक्षक सभक प्रशिक्षण धरि…
बिहारक 12 जिला मे करीब 10 लाख लोक बाढ़ि सं प्रभावित, हाई अलर्ट मोड मे प्रशासन
एनडीआरएफ-एसडीआरएफक टीम तैनात पटना। बिहार मे गंगा सहित प्रमुख नदीसभक जलस्तर बढ़लाक बाद बाढ़िक दायरा लगातार बढ़ि रहल अछि। राज्यक 12 जिलामे करीब 10 लाख लोक बाढ़िसं प्रभावित भेल छथि। एहि मे अरवल, पटना, भोजपुर, बक्सर, बेगूसराय, भागलपुर, मुंगेर,…
आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
ब्रिक्स सम्मेलनक दौरान दिल्ली मे लगाओल जायत मिथिला पेंटिंगक विशेष गैलरी
मिथिला चित्रकला संस्थान, मधुबनी सं उच्च गुणवत्ता बला प्रतिनिधि पेंटिंग मंगाओल गेल अछि 8 सं 15 सितंबर धरि चलत ई प्रदर्शनी मधुबनी, समदिया ब्रिक्स सम्मेलनक अवसर पर मिथिला चित्रकला कें अंतरराष्ट्रीय मंच पर नव पहिचान देबाक लेल राजधानी दिल्ली मे…
नेपाल त्रासदी : नौ दिन बाद कादो तर सं सुरक्षित निकलल सप्तरीक संजय
सुरंग मे नौ दिन धरि हरे कृष्ण मंत्रक करैत रहल जाप, जन्माष्टमीक दिन बचाओल गेल काठमांडू, समदिया नेपालक त्रिशूली-3ए जलविद्युत परियोजनाक सुरंग मे नौ दिन धरि फंसलाक बाद शुक्रदिन सुरक्षित बाहर निकालल गेल एकटा व्यक्ति कहलनि जे एहि दौरान ओ…
खगड़िया एसपीक पत्नी कहलनि, हमरा पीटल गेल, बेटी सेहो छीनि लेलनि
पत्नी कहलनि, दोसर विवाह करबाक छनि इच्छा, तलाक लेल बना रहल छथि दबाव गोली मारबाक धमकी देबाक सेहो लागल आरोप खगड़िया, समदिया खगड़िया जिलाक एसपी भानु प्रताप सिंह पर हुनकर पत्नी पूजा गंभीर आरोप लगौलनि अछि। पत्नीक आरोप अछि जे हुनकर 5 वर्षीय…