साओनक तेसर सोमारी पर लखीसरायक अशोक धाम मे भगदड़, 7 महिला श्रद्धालुक मृत्यु, 19 घायल
लखीसराय, समदिया लखीसराय जिलाक प्रसिद्ध अशोक धाम मंदिर मे साओनक तेसर सोमारीक अवसर पर भोरहि मे भगदड़ मचि गेल, जाहि मे सात महिला श्रद्धालुक मृत्यु भए गेल। लखीसराय डीएम शैलेंद्र कुमार भगदड़ आ मृतकक संख्या पुष्टि कयलनि अछि। एहि दुर्घटना मे 19 लोक घायल भेल…
रामचरितमानस पर आधारित 108 मीटर लम्बा मिथिला पेंटिंग बनल विश्व रिकॉर्ड, डीएम कें भेटल मेडल
मधुबनी। स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर मधुबनी मिथिला कला आ संस्कृतिक क्षेत्र मे नव विश्व कीर्तिमान स्थापित कएलक अछि। रामचरितमानस पर आधारित 108 मीटर लम्बा विशाल मिथिला पेंटिंग विश्व रिकॉर्ड कायम कएलक अछि। एहि भव्य कलाकृति मे रामायणक संपूर्ण गाथा कें पारंपरिक…
पाटलिपुत्र सं पूर्णिया धरि 17 अगस्त सं चलत नाइट स्पेशल ट्रेन, सहरसा मे 30 मिनट ठहराव; कोसी-सीमांचल कें राहति
पटना। बिहारक कोसी आ सीमांचल क्षेत्र मे कनेक्टिविटी बढ़ेबाक लेल पैघ कदम उठाओल गेल अछि। रेलवे पाटलिपुत्र जंक्शन सं सहरसा होइत पूर्णिया कोर्ट धरि नव रात्रिकालीन स्पेशल ट्रेन चलाबयक अधिसूचना जारी कएलक अछि। ई ट्रेन 17 अगस्त सं 16 सितंबर धरि सप्ताह मे 5…
एलिवेटेड रोड आ आरओबी सहित दरभंगाक पैघ परियोजना सभक समीक्षा, भूमि अधिग्रहणक अड़चन दूर करबाक निर्देश
पटना। पथ निर्माण मंत्री इंजीनियर शैलेंद्र रवि दिन कहलनि जे मुख्यालय स्तर सं सड़क परियोजना सभक निगरानी कएल जाए। दरभंगाक महत्वपूर्ण सड़क परियोजना सभक अपन कक्ष मे समीक्षा करैत ओ ई बात कहलनि। बैठक मे भाजपा प्रदेश अध्यक्ष संजय सरावगी, पथ निर्माण विभागक सचिव…
मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमार पहुंचलाह मिथिला हाट, कएल गेलनि भव्य स्वागत
बिहार सं देशभरि मे शुरू होयत इलेक्ट्रॉल एजुकेशन 2.0 : ज्ञानेश कुमार पटना/ झंझारपुर, समदिया भारत निर्वाचन आयोगक मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमार रविदिन सं दू दिवसीय बिहार दौरा पर छथि। हुनकर संग निर्वाचन आयोगक उच्चस्तरीय प्रतिनिधिमंडल…
झंझारपुरक 11 वर्षीय साहित्यकार आदर्श भारद्वाजक नाम नेशनल बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड मे दर्ज
झंझारपुर (मधुबनी)। झंझारपुरक 11 वर्षीय बाल साहित्यकार आदर्श भारद्वाजक नाम ‘नेशनल बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड’ मे दर्ज भेल अछि। हुनकर असाधारण रचनात्मकता आ कतेको चर्चित कृति लेल हुनका ई सम्मान भेटल अछि, जाहि सं मिथिलांचलक गौरव बढ़ल अछि। स्वतंत्रता दिवसक…
खेग्रामसक दू दिवसीय दिन-राति सत्याग्रह आंदोलन समाप्त
10 दिन मे मांगक समाधान नहि भेल तं अनिश्चितकालीन घेरा डालो, डेरा डालो आंदोलनक चेतावनी जयनगर, समदिया अखिल भारतीय खेत एवं ग्रामीण मजदूर सभा (खेग्रामस)क आह्वान पर गरीब, भूमिहीन आ महादलित परिवारक 15 सूत्री मांग कें लए कए 13-14 अगस्त कें…
उत्तराखंडक भाजपा सरकारक विरोध मे कांग्रेसकर्मी सभक शहीद स्मारक पर प्रदर्शन
सीतामढ़ी, समदिया हल्द्वानीक रामलीला मैदान मे कांग्रेसक राष्ट्रीय अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खरगेक रैलीक बाद भाजपा समर्थित संगठन द्वारा गंगाजल सं शुद्धीकरण कार्यक्रम कें लए कए विवाद गहींर भए गेल अछि। सीतामढ़ी जिला कांग्रेस कमिटीक अध्यक्ष अमित कुमार…
दरभंगा तारामंडल मे अंतरिक्ष विज्ञानक नवाचार केंद्रक स्थापना लेल अंतरिक्ष आयोगक सहमति
दरभंगा। दरभंगाक प्राचीन शैक्षणिक गरिमा आ ज्ञान परंपराक विरासत कें जीवंत करबाक लेल केंद्रक मोदी सरकार प्रतिबद्ध अछि। दरभंगा तारामंडल मे अंतरिक्ष गैलरी आ अंतरिक्ष नवाचार केंद्रक स्थापना लेल भारतीय अंतरिक्ष आयोग द्वारा सहमति प्रदान कएल गेल अछि। आब आगूक…
मधुबनी मे उत्पाद विभागक छापेमारी, 9 गिरफ्तार : 102 स्थान पर कारबाइ मे 350 लीटर देसी शराब जब्त
मधुबनी। मधुबनी उत्पाद विभाग बृहस्पति दिन जिलाभरि मे शराबक अवैध कारोबार आ सेवनक विरुद्ध विशेष अभियान चलौलक। एहि दौरान 102 अलग-अलग स्थान पर छापेमारी कएल गेल, जाहि मे कुल 9 गोटे कें गिरफ्तार कएल गेल। गिरफ्तार लोक सभ मे 4 शराब तस्कर आ 5 शराब…