पहिल टेस्ट : जीतक दहलीज पर टीम इंडिया, आखरी दिन मात्र 6 विकेटक दरकार
गाले, 18 अगस्त भारतीय टीम गाले इंटरनेशनल स्टेडियम मे जारी पहिल टेस्ट मैच मे जीतक दहलीज पर अछि। मुकाबलाक चारिम दिन जीत लेल 372 रनक लक्ष्यक पीछा करैत श्रीलंकाक टीम दिनक खेल समाप्त होय धरि दोसर पारी मे 4 विकेट गमा कए मात्र 84 रन बना सकल अछि। एतय सं भारत…
तन्वी शर्मा कोरिया मास्टर्सक क्वार्टर फाइनल मे पहुंचली, आब रक्षिता रामराज सं होयत मोकाबला
भारतक 17 वर्षीय उभरैत बैडमिंटन खेलाड़ी तन्वी शर्मा शानदार प्रदर्शन जारी रखैत कोरिया मास्टर्स 2026क महिला एकल वर्गक क्वार्टर फाइनल मे स्थान बना लेलनि। बृहस्पति कें खेलल गेल दोसर दौरक मोकाबला मे तन्वी अपनहि देशक श्रियांशी वालिशेट्टी कें 21-16,…
हॉकी इंडिया जूनियर एशिया कप लेल भारतीय महिला टीमक घोषणा कएलक, शिलेइमा चानू बनली कप्तान
हॉकी इंडिया बृहस्पति कें एएचएफ जूनियर एशिया कप 2026 लेल भारतीय महिला टीमक घोषणा कएलक। ई टीम 30 अगस्त सं 13 सितंबर धरि चीन मे होमय बला टूर्नामेंट मे भाग लेत। टीम मे 18 खेलाड़ीक अतिरिक्त 2 वैकल्पिक खेलाड़ी कें सेहो स्थान देल गेल अछि। टीमक अगुआई…
दू मैचक टेस्ट सीरीज मे हिस्सा लेबाक लेल श्रीलंका पहुंचल टीम इंडिया
शुभमन गिलक अगुआई मे भारतीय टीम दू मैचक टेस्ट सीरीज मे हिस्सा लेबाक लेल श्रीलंका पहुंचि गेल अछि। भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्ड (बीसीसीआई) अपन सोशल मीडिया मंच एक्स पर टीम इंडियाक यात्रा संबंधी वीडियो साझा कएलक। बीसीसीआई द्वारा जारी वीडियो मे…
आईसीसी रैंकिंग : वनडे रैंकिंग मे नीदरलैंड्सक खेलाड़ी सभ कें बढ़त
नामीबियाक खेलाड़ी सभ कें सेहो लाभ आईसीसी बुध दिन पुरुष सभक ताजा वनडे रैंकिंग जारी कएलक, जाहि मे नीदरलैंड्सक खेलाड़ी सभ कें आईसीसी मेंस क्रिकेट वर्ल्ड कप लीग 2 मे उत्कृष्ट प्रदर्शनक पुरस्कार भेटल अछि। नव रैंकिंग मे डच टीमक कतेको खेलाड़ी सभक रैंकिंग…
महिला टी20: पाकिस्तान 4 विकेट सं जीतल तेसर मोकाबला, श्रीलंका 2-1 सं जीतलक श्रृंखला
श्रीलंका महिला क्रिकेट टीम विरुद्ध मंगल कें खेलल गेल तेसर टी20 मोकाबला मे पाकिस्तान 4 विकेट सं जीत दर्ज कएलक। शुरुआती दूनू मोकाबला हारि पहिने सं श्रृंखला गंमा चुकल पाकिस्तान लेल ई जीत आत्मविश्वास बढ़ेबला मानल जा रहल अछि। श्रीलंका 2-1…
आईसीसी महिला टी20 रैंकिंग: श्रीलंकाक कप्तान अथापथु आ बल्लेबाज दुलानी कें पैघ लाभ
आईसीसी मंगल कें महिला टी20 रैंकिंग जारी कएलक। नव रैंकिंग मे श्रीलंकाक कप्तान चमारी अथापथु आ बल्लेबाज इमेशा दुलानी कें पैघ फायदा भेटल अछि। पाकिस्तान विरुद्ध श्रीलंकाक 2-1 सं जीतल टी20 श्रृंखला मे दूनू खेलाड़ी सभक महत्वपूर्ण योगदान…