बेगूसराय मे दिन-देखाड़ 40 लाखक गहनाक लूट, 15 राउंड फायरिंग
अपराधी काउंटर आ तिजोरी मे राखल गहना बैग मे भरि लेलक बेगूसराय, समदिया बेगूसराय जिलाक फुलवड़िया थाना क्षेत्रक फुलवड़िया बाजार मे शुक्रदिन दिन-देखाड़ बाइक सवार छह अपराधी एकटा गहना दोकान सं करीब 40 लाख टाकाक गहना लूटि लेलक। घटना करीब 1:45 बजे…
शराब तस्कर नहि, अपनहि टीमक गोली सं भेल सिपाहीक मृत्यु, महिला दारोगा सहित तीन हिरासत मे
गोली चलाबयवला होमगार्ड जवान सहित संबंधित कर्मी सभक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज घटनाक बाद वरीय अधिकारी सभ कें देल गेल गलत सूचना नालंदा, समदिया नालंदा जिला मे उत्पाद विभागक सिपाही अजीतक मृत्यु मामिलाक गहन जांच मे पूरा घटनाक्रम पर सवाल उठि…
अभिजीत दीपके आ नेहा बोरा हिरासत मे, तिरंगा लहरेबा सं रोकल गेल
कनॉट प्लेस मे सीजेपी दिस सं आयोजित कएल गेल छल ‘लहरा दो तिरंगा’ रैली नई दिल्ली, समदिया कॉकरोच जनता पार्टी (सीजेपी) कनॉट प्लेसक सेंट्रल पार्क मे लहरा दो तिरंगा रैली आयोजित केने छल। मुदा लगपासक इलाका मे भारतीय नागरिक सुरक्षा संहिता…
आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
सहरसा हवाई अड्डा पर जल्दिये शुरू होयत रनवे निर्माणक काज, दू कंपनी लगौलक बोली
42.52 करोड़ टाकाक योजना, 15 मास मे पूरा होयत निर्माण सहरसा, समदिया सहरसा हवाई अड्डाक विकास आ आधुनिकीकरण लेल भारतीय विमानपत्तन प्राधिकरण (एएआइ) 42.52 करोड़ टाकाक निविदा निकालने अछि। एहि काज लेल एलके बिल्डर्स आ एनएससी प्रोजेक्ट्स प्राइवेट…
अभियंता चंद्रशेखरक 4 स्थान पर छापा, पत्नीक नाम भेटल करोड़क जमीन
आय सं बेसी संपत्ति अर्जित करबाक आरोप, निगरानी अन्वेषण ब्यूरो केलक कारबाइ पटना, समदिया ग्रामीण कार्य विभागक कार्यपालक अभियंता चंद्रशेखर सिंहक चारि स्थान पर निगरानी अन्वेषण ब्यूरो बृहस्पति कें एकहि संग छापेमारी शुरू कयलक। आय सं करीब 1.10…
नालंदा मे शराब तस्कर सभ पुलिस टीम पर कयलक फायरिंग, गोली लगला सं सिपाहीक मृत्यु
बिहारशरीफ। बिहारक नालंदा जिला मे शराब तस्कर सभ के पकड़य गेल उत्पाद विभागक टीम पर बदमाश सभ ताबड़तोड़ फायरिंग कयलक। एहि घटना मे गोली लगला सं गंभीर रूप सं घायल सिपाही अजीत कुमारक इलाजक दौरान मृत्यु भए गेल। घटना पावापुरी-गिरियक इलाका मे हाईवे पर…
डीआइजी कयलनि सुपौल एसपी कार्यालयक निरीक्षण, अपराध नियंत्रण पर देलनि जोर
लंबित कांडक निष्पादन आ दुर्गापूजा मे शांति व्यवस्था बनौने रखबाक निर्देश सहरसा, समदिया कोसी क्षेत्र, सहरसाक पुलिस उपमहानिरीक्षक डॉ. कुमार आशीष सुपौल जिला पुलिस अधीक्षक कार्यालयक निरीक्षण कयलनि। एहि दौरान ओ कार्यालयक विभिन्न शाखा मे राखल पंजी…
रबी कार्यशाला मे मखानक उत्पादन बढ़ेबाक आ संतुलित खादक प्रयोग पर जोर
23 सं 31 अक्टूबर धरि सभ प्रखंड मुख्यालय मे वासंतिक कार्यशाला आयोजित कयल जायत सहरसा, समदिया वासंतिक (रबी) कार्यशाला-सह-प्रशिक्षण कार्यक्रम आयोजित कयल गेल। कार्यक्रमक उद्घाटन जिलाधिकारी दीपेश कुमार, पुलिस अधीक्षक विक्रम सिहाग, नगर आयुक्त…
प्रस्तावित नगर परिषद मे बेलही दक्षिणी वार्ड-16 कें शामिल करबाक उठल मांग
मांग पूरा नहि भेल तं चरणबद्ध जनांदोलनक चेतावनी जयनगर, समदिया प्रस्तावित नगर परिषद जयनगरक क्षेत्र विस्तार मे जयनगर प्रखंड क्षेत्रक बेलही दक्षिणी पंचायतक वार्ड संख्या-16 कें शामिल करबाक मांग लए पंचायतक इस्लामपुर मोहल्ला मे जनप्रतिनिधि,…