आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
झारखंडक मंत्री सुदिव्य सोनूक हार्ट अटैक सं निधन, 2 दिनक राजकीय शोक घोषित
सीएम राज्यपाल आ स्पीकर देलनि श्रद्धांजलि गिरिडीह। झारखंड सरकारक कैबिनेट मंत्री आ झारखंड मुक्ति मोर्चा (जेएमएम)क वरिष्ठ नेता सुदिव्य कुमार सोनूक निधनक बाद सीएम हेमंत सोरेन, राज्यपाल संतोष कुमार गंगवार, स्पीकर रवींद्रनाथ महतो सहित तमाम…
आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
दरभंगाक इम्तियाज अहमद इसरो मे रचलनि नव अध्याय, ईओएस-05 मिशनक बनलाह परियोजना निदेशक
दरभंगा। जाले प्रखंडक रेवढ़ा गाम निवासी वैज्ञानिक इम्तियाज अहमद भारतीय अंतरिक्ष अनुसंधान संगठन (इसरो) मे महत्वपूर्ण जिम्मेदारी निभा दरभंगा आ मिथिलाक नाम रोशन कएने छथि। चारि सितंबर केँ ईओएस-05 मिशनक सफल प्रक्षेपणक संग हुनकर अंतरिक्ष अनुसंधान करियर…
रूपौली मे कोसीक कहरि, आठ पंचायतक दर्जन भरि गाम मे घुसल बाढ़िक पानि, पलायन शुरू
पूर्णिया, रूपौली। कोसी नदी खतरा स्तर सं बहुत ऊपर बहि रहलाक कारण पूर्णियाक रूपौली प्रखंड क्षेत्र मे बाढ़िक स्थिति गंभीर होइत जा रहल अछि। प्रखंडक आठ पंचायत मे बाढ़िक पानि फैल’ लागल अछि। दर्जन भर गाम मे लोकक घर-आंगन धरि पानि पहुंचि गेल अछि। सभ सं…
विद्यालय सभक निरीक्षण मे डीएम देलनि सुधारक कड़गर निर्देश
506 सहरसा, समदिया जिला मे विद्यालयी शिक्षाक गुणवत्ता मे सुधार आ अनुशासित शैक्षणिक वातावरण सुनिश्चित करबाक लेल जिलाधिकारी दीपेश कुमार सिमरी बख्तियारपुरक उच्च विद्यालय तथा सलखुआ प्रखंडक उत्क्रमित उच्च माध्यमिक विद्यालय उटेसराक सघन निरीक्षण केलनि।…
पटना विश्वविद्यालय परिसर मे सुतली बम फोड़ल गेल, जियोग्राफी विभाग परिसर मे धमाका
लग मे ठाढ़ छात्र बाल-बाल बचलाह पटना। पटना विश्वविद्यालयक जियोग्राफी विभाग परिसर मे धमाका भेल अछि। परिसर मे सुतली बम फेंकल गेल अछि। घटनाक जानकारी छात्र सभ पुलिस कें देलनि। पुलिस मौकापर पहुंचल आ मामिलाक जांच-पड़ताल शुरू कए देलक। बताओल जा रहल अछि जे…
आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
ब्रिक्स सम्मेलनक दौरान दिल्ली मे लगाओल जायत मिथिला पेंटिंगक विशेष गैलरी
मिथिला चित्रकला संस्थान, मधुबनी सं उच्च गुणवत्ता बला प्रतिनिधि पेंटिंग मंगाओल गेल अछि 8 सं 15 सितंबर धरि चलत ई प्रदर्शनी मधुबनी, समदिया ब्रिक्स सम्मेलनक अवसर पर मिथिला चित्रकला कें अंतरराष्ट्रीय मंच पर नव पहिचान देबाक लेल राजधानी दिल्ली मे…
नेपाल त्रासदी : नौ दिन बाद कादो तर सं सुरक्षित निकलल सप्तरीक संजय
सुरंग मे नौ दिन धरि हरे कृष्ण मंत्रक करैत रहल जाप, जन्माष्टमीक दिन बचाओल गेल काठमांडू, समदिया नेपालक त्रिशूली-3ए जलविद्युत परियोजनाक सुरंग मे नौ दिन धरि फंसलाक बाद शुक्रदिन सुरक्षित बाहर निकालल गेल एकटा व्यक्ति कहलनि जे एहि दौरान ओ…