जननायक कर्पूरी ठाकुर : जे देशक आजादीक संगहि समाजक स्वतंत्रता लेल केलनि संघर्ष
‘भारत छोड़ो आंदोलन’ मे पकड़ल गेलाह कर्पूरी, जेल मे बितौलनि 26 मास पटना, समदिया समस्तीपुरक पितौंझिया गाम। एकटा साधारण परिवारक युवक अपन भविष्यक सपना देखैत छल। नाम छल – कर्पूरी ठाकुर। पढ़बाक तीव्र इच्छा छल, आगू बढ़बाक…
बिहारक खजाना खाली, वेतन-पेंशन देबय लेल सेहो पाइ नहि – तेजस्वी यादव
पटना। बिहार विधानसभा मे विपक्षक नेता तेजस्वी यादव मंगल दिन राज्य सरकार पर वित्तीय कुप्रबंधन आ भ्रष्टाचार कें लए कए निशाना साधलनि। ओ कहलनि जे बिहारक खजाना पूरा तरहे खाली भए चुकल अछि आ सरकारक पास ठेकेदार सभक भुगतानक संग-संग कर्मचारी सभकें वेतन आ पेंशन देबय…
बांकीपुर उपचुनावक बाद प्रशांत किशोरक पैघ घोषणा, 10 हजार युवाकें नोकरी दियेबाक वादा
पटना। जन सुराजक सूत्रधार आ बांकीपुर विधानसभा उपचुनाव मे नवनिर्वाचित विधायक प्रशांत किशोर मंगल दिन जीतक बाद पहिल बेर क्षेत्रक लोक सभक बीच पहुंचलाह आ आभार सभा सभ मे शामिल भेलाह। एहि दौरान ओ युवासभक रोजगार, शिक्षा, राशन कार्ड आ पेंशनक विषय मे कतेको…
दिल्ली सं चलि रहल अछि बिहारक सरकार, मुख्यमंत्री सम्राट छथि रबर स्टांप : तेजस्वी
रोहतासक दियारा मे गोलीकांडक पीड़ित परिवार सं भेंट करबा लेल पहुंचलाह नेता प्रतिपक्ष फोटो : तेजस्वी पटना, समदिया रोहतासक दिनारा मे चंदेश्वर चौधरीक हत्या मामिला मे बिहारक नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक सरकार पर जमि कए…
पीएम श्री योजनाक नाम पर ग्रामीण विद्यालय कें बंद करब बर्दाश्त नहि : भाकपा-माले
स्कूल मर्जरक विरुद्ध आइसा-भाकपा-माले मधुबनी मे करत पैघ आंदोलन मधुबनी, समदिया पीएम श्री योजनाक नाम पर ग्रामीण क्षेत्रक सरकारी विद्यालय कें बंद करबाक अथवा एक विद्यालय कें दोसर विद्यालय मे मर्ज करबाक नीतिक विरुद्ध आइसा आ भाकपा-माले…
पानि आ बिजली संकट सहित 10 सूत्री मांग कें लए कांग्रेस देलक धरना
धरना मे नेता आ पदाधिकारी सभ पर बरसलाह जिलाध्यक्ष नलिनी रंजन झा बेनीपट्टी, समदिया कांग्रेस पार्टीक नेता आ कार्यकर्ता सभ गहराइत पेयजल संकट, नल-जल योजनाक बदहाल स्थिति आ लगातार बिजली कटौती सहित 10 सूत्री मांग लए कए बेनीपट्टी प्रखंड सह अंचल…