बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड बला कॉलेज पर सरकारक सख्ती, आब हर संस्थानक होयत जांच
पटना। बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना सं जुड़ल शिक्षण संस्थान कें लए राज्य सरकार सख्ती बढ़ा देने अछि। योजना मे शामिल निजी शिक्षण संस्थानक आब भौतिक जांच होयत। शिक्षा विभाग सभ संबंधित संस्थान, कॉलेज आ विश्वविद्यालयक जांच लेल जिला स्तर पर समिति…
तेजस्वीक मार्च राजनीतिक लाभ लेल, बिहारक जनता पहिनहि कए देलक अस्वीकार: संजय झा
पटना। जदयू केर राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष आ राज्यसभा सांसद संजय झा बिहार विधानसभा मे विपक्ष कें नेता तेजस्वी यादवक मार्च पर तीखी प्रतिक्रिया देलनि। ओ कहलनि जे मामिला (छात्र आंदोलन) पहिनहि सुलझि चुकल अछि, मुदा तेजस्वी यादव एकर उपयोग राजनीतिक लाभ…
पेपर लीक आ सिवान गोलीकांडक विरुद्ध 19 अगस्त कें राजभवन मार्च करताह : तेजस्वी यादव
पटना। राजदक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष एवं बिहार विधानसभा मे विपक्षक नेता तेजस्वी यादव बिहार मे पेपर लीक, रोजगार आ सिवान मे छात्र सभ पर गोली चलाओल गेलाक घटना कें लए राज्य सरकार पर निशाना साधलनि। तेजस्वी यादव मीडिया सं गप्प करैत कहलनि जे एहि…
सीएम सम्राट चौधरी नीतीश कुमार सं कएलनि भेंट : 30 मिनट चलल बैठक
15 अगस्तक संभावित घोषणा सभ पर चर्चा, संजय झा सेहो छलाह उपस्थित पटना। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी आ पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक बीच आइ महत्वपूर्ण भेंटवार्ता भेल। सीएम सम्राट चौधरी 7 सर्कुलर रोड पहुंचि पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं मुलाकात कएलनि। लगभग…
मधुबनी मे बिजली व्यवस्था होयत आरो मजबूत
डीएम विद्युत पदाधिकारी सभक संग कएलनि समीक्षा 404 मधुबनी, समदिया जिला पदाधिकारी आनंद शर्मा जिला मे बढ़ैत विद्युत मांग आ शहरी क्षेत्रक विद्युत आपूर्ति व्यवस्था कें लए कए विद्युत कार्यपालक अभियंता संग समीक्षा बैसार कएलनि। बैसार मे विद्युत लोडक…
संसद मे उलटल राजनीतिक तस्वीर : सरकार बहस लेल तैयार, राहुल गांधीक नेतृत्व मे विपक्ष राजी नहि
नई दिल्ली, 13 अगस्त। संसदक मानसून सत्रक अधिकांश समय मे एहि बेर राजनीतिक तस्वीर किछु उलटल देखल गेल। सामान्यतः विपक्ष विवादित मुद्दा सभ पर चर्चा करबाक मांग करैत अछि आ सरकार एकरा टारबाक प्रयास करैत अछि, मुदा एहि बेर सरकार बहस लेल आग्रह करैत रहल आ…
भरत भूषण तिवारीक परिवार कें आर्थिक सहायता आ एक परिजन कें नौकरी देत सरकार : मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी
पटना, समदिया बिहारक चर्चित भरत भूषण तिवारीक कथित पुलिस मुठभेड़ मे भेल मृत्यु प्रकरण मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बृहस्पतिदिन पैघ घोषणा केलनि। हुनका अनुसार दिवंगत भरत भूषण तिवारीक परिवार कें आर्थिक सहायता देल जाएत आ परिवारक एक सदस्य कें सरकारी नौकरी…
सम्राट कैबिनेट मे 10 महत्वपूर्ण प्रस्ताव पर मोहर, युवा रोजगार आ उच्च शिक्षा लेल पैघ निर्णय
पटना। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे बुधदिन भेल राज्य मंत्रिमंडलक बैठक मे युवा रोजगार आ उच्च शिक्षा सं जुड़ल कतेको महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल। मंत्रिमंडल कुल 10 प्रस्ताव सभ कें स्वीकृति प्रदान केलक। एहि मे कुशल युवा कार्यक्रम कें आगांक पांच…
बेंगलुरु मे शुरू भेल प्रवासी श्रमिक सुविधा केंद्र, मंत्री अरुण शंकर प्रसाद पटना सं ऑनलाइन कएलनि उद्घाटन
पटना। बिहार सं बाहर रोजगार लेल जाए बला प्रवासी श्रमिक सभ कें कार्यस्थल पर सरकारी योजना आ कल्याणकारी सेवा सभक लाभ उपलब्ध कराबए दिश मे बिहार सरकार एक महत्वपूर्ण पहल केने अछि। बिहार श्रम संसाधन आ प्रवासी श्रमिक कल्याण विभागक दिस सं…
बिहारक खजाना खाली, वेतन-पेंशन देबय लेल सेहो पाइ नहि – तेजस्वी यादव
पटना। बिहार विधानसभा मे विपक्षक नेता तेजस्वी यादव मंगल दिन राज्य सरकार पर वित्तीय कुप्रबंधन आ भ्रष्टाचार कें लए कए निशाना साधलनि। ओ कहलनि जे बिहारक खजाना पूरा तरहे खाली भए चुकल अछि आ सरकारक पास ठेकेदार सभक भुगतानक संग-संग कर्मचारी सभकें वेतन आ पेंशन देबय…