रोसड़ा शहर कें जाम सं भेटत मुक्ति, 8718.95 लाखक लागति सं बाइपास सड़कक भेल शिलान्यास
सांसद शांभवी चौधरीक संग पथ निर्माण मंत्री कुमार शैलेंद्र कएलनि शिलान्यास समस्तीपुर/रोसड़ा, समदिया रोसड़ा शहर मे लगातार बनल रहनिहार जामक समस्या सं आब लोक कें शीघ्र राहति भेटबाक उम्मीद अछि। बाजार क्षेत्र मे वाहनक बढ़ैत दबाव कें कम करबाक…
जिला मे नव राशन कार्ड लेल 5,920 आवेदन प्राप्त, 4,919 कार्ड बनेबाक लक्ष्य
पात्र लाभुकक आवेदनक जांच जारी, योग्य पाओल गेल तं जरूर बनत राशन कार्ड सहरसा, समदिया पंचायत विकास दिवसक अवसर पर नव राशन कार्ड बनेबाक प्रक्रिया अंतर्गत जिलाक सभ 10 प्रखंड सं करीब 5,920 आवेदन प्राप्त भेल अछि। विभागक दिस सं जिला मे 4,919 नव राशन…
पृथक मिथिला राज्यक गठन लेल जंतर मंतर पर देल गेल धरना
प्रदर्शनकारी लोकनि कहलनि, मैथिलक मान-सम्मान आ गौरवशाली पहिचान लेल अलग मिथिला राज्य जरूरी अछि नई दिल्ली, समदिया अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक तत्वावधान मे पृथक मिथिला राज्यक गठन लेल रविदिन राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली स्थित जंतर मंतर पर…
कृष्णा बमक पैर मे आइयो अछि ओहने तेजी
74 वर्षक उम्र मे फेर दौड़ल बोल बमक जुनून भागलपुर, प्रदीप विद्रोही उम्र 74 वर्ष पार कए चुकल अछि आ ठेहुन कतेको बेर विश्रामक संकेत देने अछि, मुदा कृष्णा बम लेल महादेवक बाट मे ठहरब आइयो स्वीकार्य नहि अछि। साओन अबिते सुलतानगंजक…
समदिया मिथिलाक संपादकीय प्रभारी सच्चिदानंद सच्चू कें भेटतनि लक्ष्मी-हरि स्मृति उपन्यास सम्मान 2026
‘जाल’ उपन्यास लेल सच्चिदानंद सच्चू कें देल जायत ई सम्मान नई दिल्ली, समदिया “लक्ष्मी-हरि स्मृति उपन्यास सम्मान 2026″ ‘जाल’ उपन्यास लेल मैथिलीक महत्त्वपूर्ण उपन्यासकार सच्चिदानंद सच्चू कें देल जायत। तीन सदस्यीय निर्णायक-मंडलक सर्वसम्मति सँ…
बेनीपट्टी मे भीषण सड़क दुर्घटना, तीन महिलाक मृत्यु, सड़क जाम
बेनीपट्टी सं विद्याधर झाक रिपोर्ट स्थानीय थाना क्षेत्रक जगदंबा पेट्रोल पंप सरिसबक समीप रविदिन भोर करीब साढ़े पांच सं छह बजेक बीच भीषण सड़क दुर्घटना भेल। एहि दुर्घटना मे मॉर्निंग वॉक करबाक लेल सड़कक कात सं दूर बैसल सात महिला मे सं तीन कें तेज गति सं आबि…
पीएम श्री योजनाक नाम पर ग्रामीण विद्यालय कें बंद करब बर्दाश्त नहि : भाकपा-माले
स्कूल मर्जरक विरुद्ध आइसा-भाकपा-माले मधुबनी मे करत पैघ आंदोलन मधुबनी, समदिया पीएम श्री योजनाक नाम पर ग्रामीण क्षेत्रक सरकारी विद्यालय कें बंद करबाक अथवा एक विद्यालय कें दोसर विद्यालय मे मर्ज करबाक नीतिक विरुद्ध आइसा आ भाकपा-माले…
पानि आ बिजली संकट सहित 10 सूत्री मांग कें लए कांग्रेस देलक धरना
धरना मे नेता आ पदाधिकारी सभ पर बरसलाह जिलाध्यक्ष नलिनी रंजन झा बेनीपट्टी, समदिया कांग्रेस पार्टीक नेता आ कार्यकर्ता सभ गहराइत पेयजल संकट, नल-जल योजनाक बदहाल स्थिति आ लगातार बिजली कटौती सहित 10 सूत्री मांग लए कए बेनीपट्टी प्रखंड सह अंचल…
‘हर घर तिरंगा’ अभियान लेल जीविका दीदी तैयार करतीह 40 हजार तिरंगा
‘हर घर तिरंगा’ अभियान लेल जीविका दीदी तैयार करतीह 40 हजार तिरंगा प्रत्येक घर धरि राष्ट्रध्वज पहुंचेबाक लक्ष्य सहरसा, समदिया स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर 9 सं 17 अगस्त 2026 धरि आयोजित होमए बला राष्ट्रव्यापी हर घर तिरंगा अभियान 2026 के सफल…
सहरसा मे पूजाक प्रसाद खेला सं 100 सं बेसी लोक बीमार, गाम पहुंचल स्वास्थ्य विभागक टीम
सहरसा। प्रखंड क्षेत्रक सरडीहा पंचायतक सरडीहा गाम स्थित मध्य टोल मे सत्यनारायण भगवानक पूजाक प्रसाद ग्रहण कएलाक बाद 100 सं बेसी लोक बीमार पड़ि गेलाह। एक संग पैघ संख्या मे लोकक स्वास्थ्य बिगड़ला सं गाम मे अफरातफरीक स्थिति उत्पन्न भए गेल। महिला, पुरुष…