31 दिसंबर 2028 धरि भव्य मंदिर मे स्थापित हेती माता जानकी : मुख्यमंत्री
नवनिर्मित अस्थायी काष्ठ मंडपम स्थापित कएल गेलनि सीता आ रामक प्रतिमा सीएम कहलनि, पुनौराधामक विकास कें भेटि रहल नव गति सीतामढ़ी, समदिया मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी माता जानकीक जन्मस्थली सीतामढ़ी स्थित पुनौराधाम मंदिर मे पूजा-अर्चना कएलनि।…
जयनगर मे सड़क दुघर्टना मे 4 वर्षीय बच्चा आ अधेड़क मृत्यु, एक गंभीर
ट्रक कें ओवरटेक करैत काल भैंस सं टकरायल बाइक, चलैत ट्रकक नीचां घुसल ग्रामीण सभ टायर जरा सड़क जाम कए जतौलनि विरोध जयनगर, समदिया जयनगर-दरभंगा एनएच-527 बी पर पेट्रोल पंपक लग नहरक समीप बृहस्पतिक देर रात भेल भीषण सड़क हादसा मे एक 4 वर्षीय बच्चा…
पीएम सूर्य घर योजना सं जुड़बाक लेल लोक मे देखल गेल उत्साह
डीएम कएलनि सोलर मेलाक शुभारंभ ऑन-द-स्पॉट रजिस्ट्रेशनक सुविधा, 3 किलोवाट धरि 78 हजार टाका सब्सिडी सहरसा, समदिया प्रधानमंत्रीक महत्वाकांक्षी पीएम सूर्य घर मुफ्त बिजली योजनाक व्यापक प्रचार-प्रसार आ सौर ऊर्जाक प्रति आम लोक कें जागरूक करबाक…
सहरसाक डीपीओक 4 ठेकान पर ईओयूक रेड ,छपरा मे पोस्टिंगक दौरान 3 करोड़क ट्रांजेक्शन भेटल छल
सहरसा। आर्थिक अपराध इकाई (ईओयू) आय सं अधिक संपत्तिक मामिला मे सहरसाक जिला कार्यक्रम पदाधिकारी (डीपीओ) अजीत अमरक विरुद्ध पैघ कारबाइ कएलक अछि। ईओयू शुक्र भोर अजीत अमरक 4 ठाम पर एकसंग छापामारी कएलक। ई कारबाइ आय सं अधिक संपत्तिक मामिला मे कएल गेल अछि।…
मिथिलाक मखानक 25 टनक पैघ खेप ऑस्ट्रेलिया पठाओल गेल
कृषि मंत्री देखौलनि हरियर झंडी पटना। मिथिलाक मखान वैश्विक बाजार मे अपन उपस्थिति आरो मजबूत केने अछि। आब ई सात समुंदर पारक लोकसभक भोजनक हिस्सा बनत। शुक्रदिन कृषि मंत्री विजय कुमार सिन्हा बिहटा स्थित सिकंदरपुर औद्योगिक क्षेत्रक इंटीग्रेटेड यूनिट ऑफ…
दरभंगाक भावना कंठ बनलीह देशक पहिल महिला ‘टॉप गन’ ,आब लड़ाकू मिशनक करतीह लीड
2016 मे बनल छलीह पहिल महिला फाइटर पायलट बैचक हिस्सा शुरुआती पढ़ाइ डीएवी पब्लिक स्कूल, बरौनी रिफाइनरी सं केलीह फोटो 103 पटना। दरभंगा जिलाक एकटा छोट गाम सं निकलल स्क्वाड्रन लीडर भावना कंठ भारतीय वायुसेनाक इतिहास मे नव अध्याय जोड़ि देलनि अछि। ओ फाइटर…
केंद्रीय मंत्री सं सांसदक भेंट, दरभंगाक शहरी विकास योजना सभ शीघ्र पूरा करबाक आग्रह
सांसद कहलनि जे दरभंगा मे 186.16 करोड़ टाकाक जलापूर्ति परियोजनाक स्वीकृति दरभंगा, समदिया दरभंगा सहित उत्तर बिहारक शहर सभ मे आधुनिक शहरी आधारभूत संरचनाक विकास लेल केंद्र सरकार प्रतिबद्ध अछि। एहि क्रम मे दरभंगा मे सीवरेज आ सेप्टेज प्रबंधनक माध्यम सं…
अहिल्या गौतम स्थान मंदिरक जीर्णोद्धार आ विकास कार्यक डीएम केलनि निरीक्षण
निर्धारित समय-सीमाक भीतर गुणवत्तापूर्ण कार्य पूरा करबाक देलनि निर्देश दरभंगा, समदिया जिलाधिकारी कौशल कुमार आइ जिलाक अहियारी गामस्थित अहिल्या गौतम स्थान मंदिर परिसरक निरीक्षण कए ओतय चलि रहल जीर्णोद्धार आ विकास कार्यसभक प्रगतिक विस्तृत…
भारतक सांस्कृतिक विविधता भारतक सभ सं पैघ शक्ति अछि : डीएम
केंद्रीय विद्यालय मे एक भारत श्रेष्ठ भारत आ कला उत्सवक शुभारंभ सहरसा, समदिया जिला पदाधिकारी दीपेश कुमार बृहस्पति कें केंद्रीय विद्यालय मे आयोजित केवीएस राष्ट्रीय एकता दिवस 2026-27 केर अंतर्गत एक भारत श्रेष्ठ भारत आ कला उत्सव केर दीप…
5 कोठरी पर अवैध कब्जाक आरोप, पद सं नहि हटौल गेल तं आंदोलन तेज करबाक चेतावनी
अल्पसंख्यक छात्रावास अधीक्षकक विरोध मे छात्र जदयूक धरना भागलपुर। तिलकामांझी भागलपुर विश्वविद्यालय परिसर मे बृहस्पतिदिन छात्र जदयू अल्पसंख्यक छात्रावासक अधीक्षकक विरोध मे एकदिवसीय धरना-प्रदर्शन कएलक। संगठन अधीक्षक पर छात्रावासक 5 कमरा पर अवैध रूप…