टीआरई-4 मे 32,388 शिक्षक पद पर बहाली, 25 सितंबर सं आवेदन; बीपीएससीक नव विज्ञापन जारी
पटना, समदिया बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) टीआरई-4 केर अंतर्गत 32,388 पद पर विद्यालय अध्यापकक नियुक्ति लेल नव विज्ञापन जारी केलक अछि। एहि भर्ती लेल अभ्यर्थी 25 सितंबर 2026 सं ऑनलाइन आवेदन कए सकताह। आवेदन जमा करबाक अंतिम तिथि 26 अक्टूबर 2026 निर्धारित…
भवन निर्माण निगमक जीएमक ठिकाना पर ईओयू रेड
गहना, बैंक इन्वेस्टमेंट, कतेको लग्जरी गाड़ीक कागज भेटल पटना-नालंदा मे छापेमारी पटना। बिहार राज्य भवन निर्माण निगम लिमिटेडक महाप्रबंधक (तकनीकी) कमलेश कुमारक विरुद्ध आय सं बेसी संपत्तिक मामिला मे आर्थिक अपराध इकाई (ईओयू) बुध दिन भोर मे पैघ कारबाइ…
बिहार एमएलसी चुनावक घोषणा : 23 अक्टूबर कें मतदान, 4 स्नातक आ 4 शिक्षक सीट पर चुनाव
29 सितंबर कें जारी होयत अधिसूचना, 27 अक्टूबर कें आओत परिणाम पटना, समदिया बिहार विधान परिषदक स्नातक आ शिक्षक निर्वाचन क्षेत्रक 8 सीट लेल चुनावक घोषणा कए देल गेल अछि। भारत निर्वाचन आयोग द्वारा जारी कार्यक्रमक अनुसार 4 स्नातक आ 4 शिक्षक…
जमुई कांडक मुख्य आरोपीक हाफ एनकउंटर, पुलिस कें देखिते चलबय लागल छल गोली
फ्लायर जमुई कांडक मुख्य आरोपीक हाफ एनकउंटर, पुलिस कें देखिते चलबय लागल छल गोली पुलिस पैर मे गोली मारि मुख्य आरोपी कें पकड़लक अखन धरि सात आरोपीक भए चुकल अछि गिरफ्तारी वीडियो बनौनिहार आ वायरल केनिहारक सेहो कएल जा रहल अछि तलाश फोटो : जमुई जमुई, समदिया जमुई…
जमुई घटनाक लए तेजस्वीक सरकार पर निशाना, मुठभेड़ मे मुख्य आरोपी कें गोली लगलाक बाद उठौलनि सवाल
पटना। बिहार विधानसभा मे विपक्षी दलक नेता आ राजदक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष तेजस्वी यादव मंगल दिन कानून-व्यवस्थाक मुद्दा पर प्रेस वार्ता कए जमुईक घटना कें लए राज्य सरकार पर निशाना साधलनि। ओ महिला आ बच्ची सभक सुरक्षा कें लए सवाल उठबैत मुख्यमंत्री…
जमुई घटनाक लए कांग्रेसक प्रदर्शन, सीएमक इस्तीफाक मांग, जांच लए आठ सदस्यीय समिति गठित
पटना। बिहारक जमुई मे स्कूली छात्राक संग कथित दुर्व्यवहार आ उत्पीड़क घटनाक लए मंगल दिन कांग्रेस राज्य सरकारक विरुद्ध विरोध प्रदर्शन कएलक। पटना मे कारगिल चौक पर युवा कांग्रेसक कार्यकर्ता बिट्टू यादवक नेतृत्व मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक पुतला दहन…
बिहार बनि रहल ‘उड़ता पंजाब’? एनसीबी रिपोर्ट मे मादक पदार्थक तस्करीक चिंताजनक संकेत
पटना, समदिया देश मे बढ़ैत मादक पदार्थक तस्करीक जाल मे बिहार एक महत्वपूर्ण पारगमन आ संपर्क गलियाराक रूप मे उभरि रहल अछि। मादक पदार्थक तस्करी लेल कखनो पंजाबक जे छवि बनल छल, ओहि संदर्भ मे आब बिहारक बढ़ैत भूमिका पर चर्चा तेज भेल अछि। नारकोटिक्स कंट्रोल…
गामक ईंटा-भट्ठा, निजी स्कूल आ मोबाइल टावर पर लागत टैक्स
मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कहलनि, परिसीमनक बाद होयत पंचायत चुनाव, मुखिया बनब आसान नहि पटना, समदिया मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कहलनि जे गरीब लोक पर कोनो कर नहि लगाओल जायत, मुदा पंचायत कें आत्मनिर्भर बनेबाक लेल गाम मे चलि रहल ईंट-भट्ठा,…
‘प्लीज… हम बेस्ट फ्रेंड छी’, जमुईक वायरल वीडियो पर एसआइटी जांच, 3 आरोपित गिरफ्तार
जमुई, समदिया जमुई मे नाबालिग छात्र-छात्राक संग भेल अभद्रता आ दुर्व्यवहारक घटनाक नव वीडियो सामने आयल अछि। वीडियो मे छात्रा आरोपित युवक सभक आगू हाथ जोड़ि अपन साथी कें छोड़ि देबाक लेल विनती करैत देखाइ पड़ैत छथि। मुदा आरोपित सभ हुनकर आग्रहक कोनो परवाह नहि…
करमा-धरमा पूजाक समय 8 बच्चाक डूबला सं मृत्यु
सुल्तानगंज मे 6 गोटेक डूबि कए मरल, कजरैली मे 2 बच्चीक भेटल शव प्रदीप विद्रोही, भागलपुर करमा-धरमा पर्वक तैयारीक बीच भागलपुर मे सोमदिन 8 परिवार लेल एहन पीड़ादायक दिन बनि गेल, जे ओ सभ कहियो नहि बिसरि सकत। सुल्तानगंज मे पूजा लेल पोखरि मे…