अवधेश नारायण सिंहक इस्तीफा, बिहार विधान परिषद सभापति पद जदयू कें जेबाक चर्चा
पटना, समदिया बिहार विधान परिषदक सभापति अवधेश नारायण सिंह अपन पद सं इस्तीफा दए देलनि। हुनकर इस्तीफाक खबरि सं राज्यक राजनीति मे हलचल तेज भए गेल अछि। भाजपा कोटाक विधान पार्षद अवधेश नारायण सिंहक पद छोड़लाक बाद विधान परिषदक सभापति पद जनता दल यूनाइटेडक खाता मे…
भागलपुर गंगा हादसा : कर्मा-धर्मा पूजाक समय 6 बच्चाक मृत्यु, 4 लापता
प्रदीप विद्रोहीक रिपोर्ट भागलपुर जिला सं अत्यंत दुखद आ हृदयविदारक घटना सामने आएल अछि। सुल्तानगंज मे गंगा नदी मे स्नान करबा लेल गेल 10 बच्चा डूबि गेल। एहि भीषण दुर्घटना मे एखन धरि 6 बच्चाक शव बरामद कएल जा चुकल अछि, जखन कि 4 बच्चा एखनहुं लापता अछि। लापता…
बिहार बाढ़ि मे 2000 किलोमीटर ग्रामीण सड़क प्रभावित, मरम्मति पर खर्च होयत 1000 करोड़ सं बेसी
अभिषेक आनंद एहि बेर बिहार मे आयल बाढ़ि सं जनजीवनक संग-संग ग्रामीण सड़कक नेटवर्क पर सेहो पैघ असरि पड़ल अछि। ग्रामीण कार्य विभागक प्रारंभिक रिपोर्टक अनुसार राज्यक 17 जिला मे 1050 सं बेसी ग्रामीण सड़क बाढ़िक चपेट मे आएल अछि। करीब 2000 किलोमीटर ग्रामीण सड़क…
LPG Subsidy Rule: 1 अक्टूबर सं बदलत नियम, बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण नहि करेला सं की होयत?
पटना, समदिया एलपीजी उपभोक्ताक लेल 1 अक्टूबर सं नव नियम लागू होमय जा रहल अछि। सब्सिडी सहित विनियमित खुदरा मूल्य यानी आरएसपी पर घरेलू एलपीजी रिफिल लेबाक लेल बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण यानी बीएए अनिवार्य होयत। जिनका उपभोक्ता पहिनहि ई प्रमाणीकरण करा चुकल…
बाढ़ि पीड़ित परिवार कें 15 हजार मुआवजा भेटक चाही : तेजस्वी यादव
पटना, समदिया बिहार विधानसभा मे नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव कहलनि जे बिहार एखन दोहरा प्राकृतिक आपदा सं जूझि रहल अछि। राज्यक एक भाग मे बाढ़िक स्थिति अछि, जखन कि दोसर भाग मे सुखाड़ सन परिस्थिति बनल अछि। हुनकर दावा अछि जे करीब 45 लाख लोक बाढ़ि सं प्रभावित…
नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
पटना, समदिया राज्य मे प्रत्येक वर्ष बाढ़ि सं भारी क्षति होइत अछि। नेपाल मे हाइडैम बनेबाक मांग वर्षो सं उठैत रहल अछि, मुदा एखन धरि एहि संबंध मे कोनो ठोस निर्णय नहि भए सकल अछि। बिहारक उपमुख्यमंत्री सह वित्त मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादव केंद्रीय वित्त…
बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
बेगूसराय/समस्तीपुर, समदिया दिन मे एहि सड़क पर गाड़ीक हल्ला-गुल्ला, बाजारक चहल-पहल आ लोकक आवाजाही रहैत अछि। मुदा सांझ ढलिते दृश्य बदलि जाइत अछि। सड़क सुनसान होइत अछि, अन्हार गहराइत अछि आ बसौना मोड़क नाम सुनिते लगपासक लोकक बीच एकटा अनकहल भय जागि उठैत अछि।…
जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
पटना, समदिया बिहार मे विधान परिषदक 8 सीट लेल होमयबला चुनाव कें लए कए राजनीतिक सरगर्मी तेज भए गेल अछि। विधान परिषदक 4 स्नातक आ 4 शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र लेल चुनाव होयत। चुनाव सं पहिने विभिन्न राजनीतिक दल अपन-अपन तैयारी तेज कए देने छथि आ जीतक दावा कए रहल…
ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल
सच्चिदानंद सच्चू दिल्ली मे 12 आ 13 सितंबर कें 18म ब्रिक्स शिखर सम्मेलन संपन्न भेल। दुनियां भरिक नजरि एहि सम्मेलन पर छल। भारतक अध्यक्षता मे भेल एहि सम्मेलनक विषय छल – लचीलापन, नवाचार, सहयोग आ स्थायित्वक माध्यम सं भविष्यक निर्माण। ब्रिक्सक दिल्ली…
मुजफ्फरपुरक मसाज सेंटर मे देह व्यापारक खुलासा, 6 महिला हिरासत मे
मुजफ्फरपुर, समदिया मुजफ्फरपुर शहर मे पुलिस मसाज सेंटरक आड़ मे चलि रहल देह व्यापारक नेटवर्कक खुलासा केने अछि। गुप्त सूचनाक आधार पर पुलिस कंपनी बाग रोडक बड़ा करबला इलाका मे संचालित मसाज सेंटर पर छापामारी कए संचालिका समेत 6 महिला कें हिरासत मे लेने अछि।…