विक्रमशिला सेतु 1 अक्टूबर सं बंद, जनवरी 2027 धरि स्थायी मरम्मतिक लक्ष्य
भागलपुर : भागलपुरक विक्रमशिला सेतु कें क्षतिग्रस्त हिस्साक स्थायी मरम्मतिक लेल 1 अक्टूबर सं बंद कएल जाएत। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सड़क निर्माणक समीक्षा करैत बेली ब्रिज हटा कए जनवरी 2027 धरि मरम्मतिक काज पूरा करबाक निर्देश देने छथि। मुख्यमंत्री कहलनि जे…
मधेपुरा मे नशा बेचला पर 21 हजार आ सेवन कएला पर 11 हजारक लागत जुर्माना
मधेपुरा : उदाकिशुनगंज नगर परिषदक वार्ड संख्या 26 स्थित लक्ष्मीपुर गाम मे नशाक विरुद्ध ग्रामीण सभ सख्त रुख अपनौने छथि। गाम कें पूर्ण रूप सं नशामुक्त बनेबाक उद्देश्य सं ग्रामीण सभक महत्वपूर्ण बैसार आयोजित भेल, जाहि मे शराब, स्मैक आ अन्य मादक पदार्थक…
सहरसा मे बिजलीक पोल सं टकरायल हाई स्पीड बाइक, 25 वर्षीय युवकक मृत्यु
सहरसा : थाना क्षेत्रक सोनवर्षाराज-बैजनाथपुर मुख्य मार्ग पर सहमौरा गाम लग राम मंदिरक समीप बृहस्पतिक भोर तेज रफ्तार बाइक अनियंत्रित भए सड़कक कात मे लागल बिजलीक पोल सं जा टकरायल। एहि दुर्घटना मे बाइक सवार युवकक घटनास्थले परे मृत्यु भए गेल। मृतकक पहिचान…
Bihar Panchayat Chunav 2026: बदलि जाएत मुखिया-सरपंचक वोटर? परिसीमन सं बदलत चुनावी समीकरण
अररिया : बिहार मे आगामी त्रिस्तरीय पंचायत आम चुनावक आहटि भेटिते ग्रामीण क्षेत्र मे राजनीतिक गतिविधि तेज भए गेल अछि। सामान्यतः पंचायत चुनावक चर्चा शुरू होइतहि आरक्षण रोस्टर आ सीटक बंटवारा प्रमुख मुद्दा बनैत अछि, मुदा एहि बेर अररियाक सिकटी, कुर्साकांटा…
दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
दरभंगा, समदिया दरभंगा जिलाक जाले थाना क्षेत्रक मुरैठ गाम स्थित विद्यापति चौक पर मंगलदिन राति अज्ञात असामाजिक तत्व द्वारा महाकवि विद्यापतिक प्रतिमाक मस्तक तोड़ि देबाक घटना सोझां आयल अछि। बुधदिन भोर लोकक नजरि प्रतिमा पर पड़ल तं ओकर मस्तक क्षतिग्रस्त छल।…
भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंताक घर विजिलेंसक छापा
पटना आ पूर्णियाक 3 ठिकाना पर जांच, आय सं बेसी संपत्तिक आरोप पटना। पटना मे विजिलेंस बुधदिन भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंता सत्येंद्र कुमार चौधरीक विरुद्ध पैघ कारबाइ कएलक अछि। आय सं बेसी संपत्ति अर्जित करबाक आरोप मे विजिलेंस टीम हुनकर…
राजद विधायक भाई वीरेंद्र जदयू सं कहलनि, आउ, हमसब मिलि कए बनाबी सरकार
जदयू कहलक – राजद की चाहैत अछि, ओहि सं हमरा सब कें कोनो मतलब नहि अछि पटना, समदिया नीतीश कुमारक पार्टी जनता दल यूनाइटेड (जदयू) कें लालू प्रसाद यादव आ तेजस्वी यादवक पार्टी राष्ट्रीय जनता दल (राजद) बिहार मे गठबंधन सरकार बनेबाक…
पितृपक्ष मे पिंडदान लेल पांच प्रकारक पैकेज, ऑनलाइन बुकिंगक सुविधा शुरू
देश-विदेश सं आबयवला श्रद्धालुक लेल विशेष व्यवस्था, ई-पिंडदान पैकेज सेहो उपलब्ध गयाजी, समदिया पितृपक्षक अवसर पर गयाजी आबयवला देश-विदेशक श्रद्धालुक सुविधा लेल पर्यटन विभागक निर्देश पर बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम विशेष पिंडदान पर्यटन…
नीतीश मिश्रक उपस्थिति मे बिहार नगर विकास आ सीईपीटीक बीच भेल महत्वपूर्ण समझौता
पटना। बिहार मे सुनियोजित, आधुनिक एवं भविष्यक आवश्यकताक अनुरूप शहरी विकास कें नव दिशा देबाक पहलाक तहत आइ मंत्री, नगर विकास एवं आवास विभाग, श्री नीतीश मिश्रा क उपस्थिति मे नगर विकास एवं आवास विभाग तथा सेंटर फॉर इनवायरमेंट प्लानिंग एंड टेक्नोलॉजी एडवाइजरी…
बिहार : 70वीं बीपीएससी आ दारोगा भर्ती रद्द करबाक मांग; पटना मे छात्र सभ कएलनि प्रदर्शन, बैरिकेडिंग पर चढ़लाह अभ्यर्थी
पटना। बिहार मे दारोगा भर्ती, बीपीएससीक 70वीं संयुक्त प्रतियोगिता परीक्षा आ बिहार कर्मचारी चयन आयोग (बीएसएससी)क लंबित परीक्षा सभ सहित प्रतियोगी परीक्षा सं जुड़ल विभिन्न मांग कें लए मंगल कें पैघ संख्या मे छात्र-अभ्यर्थी पटनाक सड़क पर उतरि अएलाह। गांधी…