एके-47 चलाबैक आदेश के देलक?’ डीजीपी विनय कुमार सं भेट कए तेजस्वी यादव उठौलनि सवाल
कहला- एहि मामिला मे संबंधित डीएम आ एसपी पर हो कारबाइ पटना। बिहारक नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव शुक्र दिन पुलिस मुख्यालय पहुंचि डीजीपी विनय कुमार सं भ्रेंट कएलनि। एहि दौरान राष्ट्रीय जनता दल (राजद) क कतेको वरिष्ठ नेता सेहो हुनका संग उपस्थित छलाह। भेंटक…
बिहार मे खुजत 400 नव डिग्री कॉलेज आ भागलपुर मे एआई विश्वविद्यालय
मुख्यमंत्री केलनि घोषणा शिक्षक नियुक्ति बढ़त पटना। संत रविदासक 650म जयंतीक अवसर पर पटना स्थित ज्ञान भवन मे ‘समरसता संकल्प अभियान’ कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। एहि कार्यक्रम मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी, भाजपा प्रदेश अध्यक्ष संजय सरावगी, मंत्री राम…
सड़क दुर्घटना मे युवकक मृत्यु पर हंगामा, बस सहित 10 गाड़ी फूंकल गेल
ट्रैफिक पुलिस चौकी जराओल गेल, हाईवे केलक जाम पटनाक अगमकुआं थाना क्षेत्रक जीरो माइल लग भेल घटना पटना। पटना मे सड़क दुर्घटना मे एक युवकक मृत्युक बाद स्थिति बेकाबू भए गेल। ई घटना अगमकुआं थाना क्षेत्रक जीरो माइल लग शुक्र भोरक अछि, जतय तेज गति बसक चपेट…
बिहार मे 8 अगस्त सं शनिदिन स्कूल मे हाफ डे, 31 अक्टूबर धरि शिक्षक तबादलाक प्रक्रिया पूरा होयत
पटना। बिहारक सरकारी स्कूल सभ मे आब प्रत्येक शनिदिन आधा दिन धरि पढ़ाइ होयत। शिक्षा विभाग एहि संबंध मे नव आदेश जारी केने अछि। ई व्यवस्था 8 अगस्त सं राज्यक सभ सरकारी स्कूल मे लागू भए जाएत। नव व्यवस्था अनुसार शनिदिन स्कूल मे छात्र-छात्रा सभक…
बीपी कम छल… जांच नहि भेल… हमर माय मरि गेल… स्वास्थ्य मंत्री निशांतक समक्ष भावुक भेल युवक
आइजीआइएमएस केर औचक निरीक्षण करबा लेल पहुंचलाह स्वास्थ्य मंत्री निशांत कुमार रोगीक परिजन लोकनि अस्पतालक व्यवस्था पर उठेलनि सवाल पटना, समदिया बिहारक स्वास्थ्य विभागक जिम्मेदारी आब नव स्वास्थ्य मंत्री निशांत कुमारक हाथ मे अछि। ओ लगातार सरकारी…
बिहार मे 51,600 करोड़ रुपैया निवेश लेल एमओयू, स्टील हब बनेबा पर सरकारक जोर
पटना। बिहार मे औद्योगिक निवेश कें गति देबाक दिशा मे बृहस्पतिदिन पैघ कदम उठाओल गेल। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक उपस्थितिक बीच राज्य सरकार आ देशक विभिन्न औद्योगिक समूह सभक बीच करीब 51,600 करोड़ि रुपैया निवेश लेल समझौता ज्ञापन (एमओयू) पर हस्ताक्षर…
अमेरिका सं वापस आनल गेल 101 दुर्लभ मिथिला पेंटिंगक
बिहार संग्रहालयक स्थापना दिवस पर सात अगस्त कें सजत कलाक विशेष संसार पटना, समदिया…
आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी
एहि मामिला कें लए कए सुप्रीम कोर्ट मे चलि रहल अछि सुनवाइ 27 अगस्त कें होमक अछि एहि मामिलाक अगिला सुनावाइ पटना, समदिया राज्यक पंचायती राज मंत्री दीपक प्रकाश विधान परिषदक सदस्य बनि गेल छथि। राज्यपाल सैयद अता हसनैन हुनका भाजपा एमएलसी देवेश कुमारक त्यागपत्र…
चीनी सं तेल आ चाउर धरि महग, बिहार मे हर मास 800 टाका धरि बढ़ल रसोईक खर्च
पटना। राजधानीक किराना बजार मे महगाइक असर आब आम लोकक रसोई पर स्पष्ट देखाय लागल अछि। गेल चारि मासक दौरान चीनी, चाउर, खाद्य तेल, आटा, दालि आ डिटर्जेंट सहित दैनिक उपयोगक कतेको आवश्यक वस्तुक दाम बढ़ि गेल अछि। एकर सीधा असर मध्यम आ निम्न आय वर्गक परिवार सभक…
बिहार मंत्रिमंडलक बैठक मे कतेको पैघ निर्णय, पीपीपी मॉडल पर 16 मेडिकल कॉलेजक संचालन कें मंजूरी
पटना। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे बुध दिन भेल बिहार मंत्रिमंडलक बैठक मे कुल 17 प्रस्ताव कें मंजूरी देल गेल। बैठक मे स्वास्थ्य, शिक्षा, उद्योग, खेल, न्यायिक व्यवस्था, जलापूर्ति, पर्यटन, संस्कृति आ प्रशासनिक संरचना सुदृढ़ बनेबा सं जुड़ल कतेको…