बांकीपुर उपचुनावक बाद प्रशांत किशोरक पैघ घोषणा, 10 हजार युवाकें नोकरी दियेबाक वादा
पटना। जन सुराजक सूत्रधार आ बांकीपुर विधानसभा उपचुनाव मे नवनिर्वाचित विधायक प्रशांत किशोर मंगल दिन जीतक बाद पहिल बेर क्षेत्रक लोक सभक बीच पहुंचलाह आ आभार सभा सभ मे शामिल भेलाह। एहि दौरान ओ युवासभक रोजगार, शिक्षा, राशन कार्ड आ पेंशनक विषय मे कतेको…
मैथिली साहित्यक वरिष्ठ साधक डॉ. राजेन्द्र विमल नहि रहलाह
जनकपुरधाम, समदिया नेपाली आ मैथिली साहित्यक वरिष्ठ स्रष्टा, भाषाविद् आ शिक्षाविद् डा. राजेन्द्र विमल नहि रहलाह। 79 वर्षक उमेरमे मंगलदिन 11 अगस्त कें जनकपुरधामक प्रादेशिक अस्पताल मे हुनक निधन भेल। सोमदिन राति अचानक स्वास्थ्य खराब भेलाक बाद हुनका…
बेनीपट्टी मे पकड़ल गेल खूनियां स्कॉर्पियो, महिला सभ पीचि कए भागल छल
बेनीपट्टी सं विद्याधर झाक रिपोर्ट मो. अंजार कें हिरासत मे लए पुलिस कए रहल अछि पूछताछ बेनीपट्टी, समदिया स्थानीय थाना क्षेत्रक जगदंबा पेट्रोल पंपक समीप रवि दिन भोर मे सड़क सं दूर कात मे बैसल महिला सभ कें कुचलि फरार भेल कारी रंगक स्कॉर्पियो कें…
पृथक मिथिला राज्यक गठन लेल जंतर मंतर पर देल गेल धरना
प्रदर्शनकारी लोकनि कहलनि, मैथिलक मान-सम्मान आ गौरवशाली पहिचान लेल अलग मिथिला राज्य जरूरी अछि नई दिल्ली, समदिया अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक तत्वावधान मे पृथक मिथिला राज्यक गठन लेल रविदिन राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली स्थित जंतर मंतर पर…
भारत सरकारक राष्ट्रीय आर्थिक अनुसंधान परिषदक रिपोर्ट : शराबबंदी सं नहि थमल महिलाक विरुद्ध हिंसा, मादक पदार्थक सेवन सेहो बढ़ल
रिपोर्ट मे प्रतिबंध हटेबाक देल गेल अछि सलाह पटना, समदिया राष्ट्रीय अनुप्रयुक्त आर्थिक अनुसंधान परिषद (एनसीएईआर) केर एकटा अध्ययनक अनुसार, बिहार मे शराबबंदी खत्म कए देबाक चाही, कारण एहि नीति सं महिलाक विरुद्ध हिंसा रोकबा मे अपेक्षित सफलता नहि…
जस्टिस वी. कामेश्वर राव हेताह पटना हाईकोर्टक नव मुख्य न्यायाधीश
एससी कॉलेजियमक बैठक मे निर्णय पटना। पटना हाईकोर्ट कें शीघ्र नव मुख्य न्यायाधीश भेटए जा रहल छथि। सुप्रीम कोर्ट कॉलेजियम दिल्ली हाईकोर्टक न्यायाधीश जस्टिस वी. कामेश्वर राव कें पटना हाईकोर्टक मुख्य न्यायाधीश नियुक्त करबाक सिफारिश केने अछि। 6 अगस्त…
समदिया मिथिलाक संपादकीय प्रभारी सच्चिदानंद सच्चू कें भेटतनि लक्ष्मी-हरि स्मृति उपन्यास सम्मान 2026
‘जाल’ उपन्यास लेल सच्चिदानंद सच्चू कें देल जायत ई सम्मान नई दिल्ली, समदिया “लक्ष्मी-हरि स्मृति उपन्यास सम्मान 2026″ ‘जाल’ उपन्यास लेल मैथिलीक महत्त्वपूर्ण उपन्यासकार सच्चिदानंद सच्चू कें देल जायत। तीन सदस्यीय निर्णायक-मंडलक सर्वसम्मति सँ…
बेनीपट्टी मे भीषण सड़क दुर्घटना, तीन महिलाक मृत्यु, सड़क जाम
बेनीपट्टी सं विद्याधर झाक रिपोर्ट स्थानीय थाना क्षेत्रक जगदंबा पेट्रोल पंप सरिसबक समीप रविदिन भोर करीब साढ़े पांच सं छह बजेक बीच भीषण सड़क दुर्घटना भेल। एहि दुर्घटना मे मॉर्निंग वॉक करबाक लेल सड़कक कात सं दूर बैसल सात महिला मे सं तीन कें तेज गति सं आबि…
पटना यूनिवर्सिटीक दीक्षांत समारोह मे बिना भाषण देने घुरलाह राज्यपाल
पटना। पटना यूनिवर्सिटीक दीक्षांत समारोह शनि दिन पटना वीमेन्स कॉलेजक मदर वेरोनिका ऑडिटोरियम मे आयोजित भेल। कार्यक्रमक दौरान मंच पर बजाकए डिग्री देबाक मांग करैत छात्र सभ हंगामा शुरू कए देलक, जाहिक कारण राज्यपाल अपन संबोधन देने बिना…
दिल्ली सं चलि रहल अछि बिहारक सरकार, मुख्यमंत्री सम्राट छथि रबर स्टांप : तेजस्वी
रोहतासक दियारा मे गोलीकांडक पीड़ित परिवार सं भेंट करबा लेल पहुंचलाह नेता प्रतिपक्ष फोटो : तेजस्वी पटना, समदिया रोहतासक दिनारा मे चंदेश्वर चौधरीक हत्या मामिला मे बिहारक नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक सरकार पर जमि कए…