सोनबरसा प्रखंडक निचला इलाका मे पसरल बाढ़िक पानि
सीतामढ़ी, समदिया नेपाल क्षेत्र मे लगातार भए रहल वर्षाक कारण अधवारा समूहक नदी सभ मे उफान आबि गेल अछि। एकर प्रभाव सोनबरसा प्रखंड क्षेत्रक निचला इलाका मे देखाइ पड़ि रहल अछि। खाप खोपराहा पंचायतक मोहचटी गामक वार्ड संख्या 12 आ 13 मे लखनदेई नदीक…
आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
सिमरा गाम मे एनएच-27 पर आनंद हॉस्पिटलक लग भेल हादसा झंझारपुर, समदिया गरीबीक कठिनाइ कें पछाड़ि भविष्य बनयबाक सपना देखनिहारि 17 वर्षीय छात्रा वैष्णवी कुमारीक सड़क दुर्घटना मे दर्दनाक मृत्यु भए गेल। अज्ञात वाहनक ठोकर सं छात्राक घटनास्थल परे…
ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
यूएन सं आतंकवाद पर प्रस्ताविक अंतरराष्ट्री संधि कें शीघ्र लागू करबाक कएल गेल मांग अमेरिका द्वारा लगाओल गेल एकभगाह टैरिफक कएल गेल निंदा परमाणु हथियारक प्रयोगक आशंका पर जताओल गेल चिंता भारतक अध्यक्षता मे भेल ब्रिक्स सम्मेलनक सफलता आ आउटरिच…
सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित
सीतामढ़ी: जिलाक डुमरा थाना क्षेत्रमे मॉर्निंग वॉक पर निकलल जिला पार्षद पति बैद्यनाथ महतोक हत्या के बाद जमिकए बवाल भेल। लोकक भारी आक्रोश कें देखैत थानाध्यक्ष मुकेश कुमार कें निलंबित कए देल गेल अछि। ग्रामीणसभ हुनका आरोपितसभ कें बचयबाक आरोप लगौलनि…
नेपाल मे बाढ़िक बाद बिहार मे चमकी बुखारक खतरा, मधुबनी सहित 8 जिला मे अलर्ट
मधुबनी: नेपाल मे पिछला मास आयल भीषण बाढ़िक बाद बिहारक सीमावर्ती जिला मे एईएस (चमकी बोखार) आ जापानी इंसेफेलाइटिसक खतरा बढ़ि गेल अछि। बाढ़िक बाद जलजमाव आ मच्छरक प्रजनन स्थल मे वृद्धि कें देखैत राज्य स्वास्थ्य समितिक दिस सं अलर्ट जारी कएल गेल…
जिला पार्षदक पतिक हत्यापर बवाल, आरोपीक घर फूकल गेल, पथराव मे इंस्पेक्टर घायल
ताबड़तोड़ मारल गेल आठ गोली, घटनास्थले पर भए गेल मृत्यु स्थिति कें नियंत्रित करबा लेल बजाओल गेल 12 थानाक पुलिस सीतामढ़ी, समदिया सीतामढ़ी मे शनिदिन भोर मॉर्निंग वॉक लेल निकलल जिला परिषद प्रतिनिधि बैद्यनाथ महतोक अपराधी सभ गोली मारि हत्या कए देलक। करीब…
आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
पूर्व मंडल अध्यक्षक भागिन पर लागल हत्याक आरोप भागलपुर, समदिया भागलपुर मे अपराधी सभ भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)क मंडल अध्यक्ष उमा भूषण तांती (53)क गोली मारि हत्या कए देलक। अपराधी हुनकर कनपटी लग गोली मारलक, जाहि सं घटनास्थले पर हुनकर…
पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
जल संसाधन विभागक सचिव सं भेंट कए सांसद संशोधित डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति लेल केलनि आग्रह दरभंगा, समदिया उत्तर बिहार कें बाढ़ि सं बचेबाक लेल 1950क दशक मे दरभंगा जिलाक पूर्वी छोर पर बनाओल गेल पश्चिमी कोसी तटबंधक नवीनीकरण, सुरक्षा आ…