प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी देलनि ज्ञापन, कारी पट्टी लगा कए जतौलनि विरोध
मांग पूरा नहि भेलापर सामूहिक अवकाश आ आंदोलनक चेतावनी सीतामढ़ी, समदिया बिहार पंचायत सेवा संघक आह्वान पर प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी सभ अपन विभिन्न लंबित मांग कें लए आंदोलनक रुख अपना लेलनि अछि। संघक दिस सं 8 सितंबर 2026 कें पंचायती राज विभाग,…
आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल क्रियान्वयन लेल समीक्षा बैसार आयोजित
406 सीतामढ़ी, समदिया केंद्रीय महिला एवं बाल विकास मंत्री श्रीमती अन्नपूर्णा देवीक अध्यक्षता मे आंगन मिलन कार्यक्रमक सफल आ प्रभावी आयोजनक संबंध मे वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगक माध्यम सं समीक्षा बैसार आयोजित भेल। बैसार मे बिहार सरकारक समाज कल्याण…
गंगा उफनल तं श्मशान सेहो डूबल, सड़कक कात सजि रहल चिता
भागलपुर मे जलमग्न भेल बरारी श्मशान घाट, सुल्तानगंज बनल टापू कहलगांव मे सेहो श्मशान भूमि पानि मे डूबल 810 भागलपुर, समदिया गंगाक उफान आब घर, खेत आ सड़क धरि सीमित नहि रहल अछि। बाढ़ि लोकक आखरी विदाईक स्थान सेहो छीनि लेने अछि। बरारी श्मशान घाट पानि मे…
दिल्ली मोड़ बस पड़ाव आ मदारपुर मे निर्माणाधीन नालाक डीएम कएलनि निरीक्षण
बस पड़ावक निर्माण कार्य मे तेजी आ गुणवत्ताक संग पूरा करबाक देलनि निर्देश दरभंगा, समदिया जिलाधिकारी कौशल कुमार रविदिन दिल्ली मोड़ स्थित बस पड़ाव परिसरक विस्तृत निरीक्षण कएलनि। एहि दौरान ओ बस पड़ाव मे निर्माणाधीन प्रशासनिक भवन सहित विभिन्न विकास आ…
गणेश चतुर्थी पर 151 कलशक यात्रा, वैदिक मंत्रोच्चार सं गूंजल रोसड़ा
समस्तीपुर/रोसड़ा, समदिया गणेश चतुर्थीक अवसर पर रविदिन रोसड़ा नगर परिषद सहित प्रखंड क्षेत्रक विभिन्न स्थान पर धार्मिक उत्साह आ श्रद्धाक माहौल रहल। जगह-जगह भगवान गणेशक प्रतिमा स्थापित कए पूजा-अर्चना कएल जा रहल अछि। एहि क्रम मे रोसड़ा मे गणेश चतुर्थी…
’50 लाख तैयार राखू… नहि तं सभ गोली शरीर मे उतारि देब…’
मुजफ्फरपुरक निजी स्कूल पर 18 राउंड फायरिंग, रंगदारीक मांग फोटो : मुज. मुजफ्फरपुर, समदिया मुजफ्फरपुर जिलाक कांटी थाना लग एकटा निजी स्कूल पर अज्ञात अपराधी सभ शनिदिन आ रविदिनक मध्यरात्रि अंधाधुंध गोली चला कए डर केर माहौल बना देने अछि। कांटी…
हमर बेटी कें लए कए भागि गेल छथि खगड़िया एसपी : पूजा
पति सं भेंट करबाक लेल बिहार सं राजस्थान पहुंचली खगड़िया एसपीक पत्नी मुदा घर मे नहि भेटल प्रवेश थाना पहुंचि सासुर पक्षक केलनि शिकायत, पुलिस कहलक ई पारिवारिक मामिला अछि पटना, समदिया खगड़िया मे पुलिस अधीक्षक पद पर कार्यरत आइपीएस अधिकारी…
बाढ़ि कें राष्ट्रीय आपदा घोषित करय केंद्र : तेजस्वी
तेजस्वी केलनि प्रेस कान्फ्रेंस, कहलनि, डबल इंजन सरकारक दुनू इंजन फेल भए गेल अछि पटना, समदिया नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव राज्य मे आयल भयावह बाढ़ि कें राष्ट्रीय आपदा घोषित करबाक मांग केलनि अछि। एहि संबंध मे ओ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कें…
दुनियां आब ब्रिक्स सं विचार आ वादा नहि, ठोस परिणामक अपेक्षा रखैत अछि : पीएम मोदी
अगिला साल होमयबला ब्रिक्स सम्मेलनक अध्यक्षता करत चीन, पीएम देलनि शुभकामना नई दिल्ली, एजेंसी प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी रविदिन अगिला ब्रिक्स शिखर सम्मेलनक मेजबानी करबाक लेल चीन कें शुभकामना देलनि। ओ कहलनि जे आब दुनियां ब्रिक्स सं मात्र…