गाद प्रबंधनक नव सूत्र : इलाजक नाम पर नदीक नव खनन तं नहि?
पुष्यमित्र काल्हि कैबिनेटक बैसार मे बिहार सरकार अपन गाद प्रबंधन नीति कें स्वीकृति दए देलक। केंद्र सरकारक निष्क्रियताक कारण बिहार सरकार कें एहि दिशा मे कोनो-ने-कोनो निर्णय लेबए पड़ल। एहि नीति मे सरकार गाद कें बेकार माटि नहि, बल्कि एकटा संसाधनक रूप मे…
विक्रमशिला सेतु 1 अक्टूबर सं बंद, जनवरी 2027 धरि स्थायी मरम्मतिक लक्ष्य
भागलपुर : भागलपुरक विक्रमशिला सेतु कें क्षतिग्रस्त हिस्साक स्थायी मरम्मतिक लेल 1 अक्टूबर सं बंद कएल जाएत। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सड़क निर्माणक समीक्षा करैत बेली ब्रिज हटा कए जनवरी 2027 धरि मरम्मतिक काज पूरा करबाक निर्देश देने छथि। मुख्यमंत्री कहलनि जे…
मधेपुरा मे नशा बेचला पर 21 हजार आ सेवन कएला पर 11 हजारक लागत जुर्माना
मधेपुरा : उदाकिशुनगंज नगर परिषदक वार्ड संख्या 26 स्थित लक्ष्मीपुर गाम मे नशाक विरुद्ध ग्रामीण सभ सख्त रुख अपनौने छथि। गाम कें पूर्ण रूप सं नशामुक्त बनेबाक उद्देश्य सं ग्रामीण सभक महत्वपूर्ण बैसार आयोजित भेल, जाहि मे शराब, स्मैक आ अन्य मादक पदार्थक…
सहरसा मे बिजलीक पोल सं टकरायल हाई स्पीड बाइक, 25 वर्षीय युवकक मृत्यु
सहरसा : थाना क्षेत्रक सोनवर्षाराज-बैजनाथपुर मुख्य मार्ग पर सहमौरा गाम लग राम मंदिरक समीप बृहस्पतिक भोर तेज रफ्तार बाइक अनियंत्रित भए सड़कक कात मे लागल बिजलीक पोल सं जा टकरायल। एहि दुर्घटना मे बाइक सवार युवकक घटनास्थले परे मृत्यु भए गेल। मृतकक पहिचान…
सुखाइत कांवर झील : मिथिलाक जल-धरोहरक अस्तित्व पर संकट, संरक्षणक प्रयास कतेक प्रभावी?
सच्चिदानंद सच्चू मिथिलाक बेगूसराय जिला मे पसरल कांवर झील मात्र एकटा जलाशय नहि, बल्कि उत्तर बिहारक जल, जैव-विविधता आ लोकजीवनक महत्वपूर्ण आधार अछि। कांवर झील नाम सं चिन्हल जाएबला ई झील एशियाक सब सं पैघ मीठ पानिक ऑक्सबो झीलक रूप मे परिचित अछि। गंडक नदीक…
Bihar Panchayat Chunav 2026: बदलि जाएत मुखिया-सरपंचक वोटर? परिसीमन सं बदलत चुनावी समीकरण
अररिया : बिहार मे आगामी त्रिस्तरीय पंचायत आम चुनावक आहटि भेटिते ग्रामीण क्षेत्र मे राजनीतिक गतिविधि तेज भए गेल अछि। सामान्यतः पंचायत चुनावक चर्चा शुरू होइतहि आरक्षण रोस्टर आ सीटक बंटवारा प्रमुख मुद्दा बनैत अछि, मुदा एहि बेर अररियाक सिकटी, कुर्साकांटा…
दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
दरभंगा, समदिया दरभंगा जिलाक जाले थाना क्षेत्रक मुरैठ गाम स्थित विद्यापति चौक पर मंगलदिन राति अज्ञात असामाजिक तत्व द्वारा महाकवि विद्यापतिक प्रतिमाक मस्तक तोड़ि देबाक घटना सोझां आयल अछि। बुधदिन भोर लोकक नजरि प्रतिमा पर पड़ल तं ओकर मस्तक क्षतिग्रस्त छल।…
आजुक ई पेपर
कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
राजद विधायक भाई वीरेंद्र जदयू सं कहलनि, आउ, हमसब मिलि कए बनाबी सरकार
जदयू कहलक – राजद की चाहैत अछि, ओहि सं हमरा सब कें कोनो मतलब नहि अछि पटना, समदिया नीतीश कुमारक पार्टी जनता दल यूनाइटेड (जदयू) कें लालू प्रसाद यादव आ तेजस्वी यादवक पार्टी राष्ट्रीय जनता दल (राजद) बिहार मे गठबंधन सरकार बनेबाक…
2,000 रुपैया सं बेसीक यूपीआई भुगतान पर लागत एमडीआर, छोट व्यापारिक लेल जारी रहत छूट
नई दिल्ली, 15 सितंबर (आईएएनएस)। नेशनल पेमेंट्स कॉरपोरेशन ऑफ इंडिया (एनपीसीआई) मंगलदिन घोषणा कएलक जे ओ चुनिंदा यूपीआई लेनदेन लेल मर्चेंट डिस्काउंट रेट (एमडीआर) फ्रेमवर्क मे बदलाव कएलक अछि। एकर अंतर्गत 2,000 रुपैया सं बेसीक किछु मर्चेंट…