कृषि विज्ञान केंद्र सुखेत मे किसान वैज्ञानिक संवाद कार्यक्रम आयोजित
पोषक तत्व आ कीटव्याधिक समेकित प्रबंधन पर वैज्ञानिक सभ देलनि उपयोगी सुझाव खरीफ फसिलक प्रबंधन पर देल गेल जानकारी आत्मा मधुबनीक सहयोग सं भेल आयोजन, किसान सभ पूछलनि सवाल 403 झंझारपुर, समदिया डॉ. राजेंद्र प्रसाद केंद्रीय कृषि विश्वविद्यालय, पूसाक अधीन…
बाढ़ि कटाव प्रभावित 350 परिवारक बीच राहति सामग्री वितरित
सहरसा, समदिया कोसी नदीक बढ़ैत जलस्तर आ तेज कटाव सं प्रभावित नौला पंचायतक परिवार सभक सहायता लेल सेवा इंटरनेशनल राहति काज तेज कए देलक अछि। सेवा इंटरनेशनल आ कोटक महिंद्रा बैंकक सहयोग सं पंचायत क्षेत्र मे 350 सं बेसी बाढ़ि आ कटाव प्रभावित…
पंचायतवार आधारभूत संरचनाक आवश्यकता चिह्नित कए दू दिन मे रिपोर्ट देथि : डीएम
दरभंगा, समदिया जिलाधिकारी कौशल कुमारक अध्यक्षता मे सोम दिन समाहरणालय स्थित बाबा साहेब डॉ. भीमराव आंबेडकर सभागार मे जिला स्तरीय समन्वय समितिक बैसार भेल। बैसार मे विकास आ कल्याणकारी योजना, विभागीय काज, जन शिकायत, न्यायालय सं संबंधित मामिला…
धुरियान एक्सप्रेसक नव रूप, एलएचबी कोचक संग हावड़ाक यात्रा होयत बेसी सुरक्षित आ आरामदायक
समस्तीपुर। समस्तीपुर जंक्शन होइत हावड़ा जाए वाली प्रमुख आ पुरान ट्रेन सभ मे शामिल धुरियान एक्सप्रेसक स्वरूप शीघ्र बदल’ बला अछि। ट्रेन कें आधुनिक एलएचबी रैक सं चलाब’क प्रक्रिया आखरी चरण मे अछि। पूर्व रेलवे दिस सं रैक बदलबाक प्रक्रिया शुरू कएल गेल अछि।…
रिंग बांध रोड निर्माण कार्यक जिलाधिकारी कएलनि स्थलीय निरीक्षण
सीतामढ़ी, समदिया जिलाधिकारी तनय सुल्तानिया रविदिन शहर मे निर्माणाधीन रिंग बांध रोडक स्थलीय निरीक्षण कए निर्माण कार्यक प्रगतिक जायजा लेलनि। एहि दौरान ओ संबंधित विभागक अधिकारी सभ सं निर्माणक वर्तमान स्थिति, सामने आबि रहल बाधा आ निर्धारित समय-सीमाक…
बिहार महोत्सव मे छायल सहरसाक उग्रतारा स्थान आ भारती मंडन धाम
बेंगलुरु मे प्रदर्शनी आ पुस्तिकाक माध्यम सं सहरसाक ऐतिहासिक धार्मिक स्थल सभक चर्चा सहरसा, समदिया दक्षिण भारत मे बिहारक समेकित ब्रांडिंग आ राज्यक प्रमुख पर्यटन स्थल सं पर्यटक सभ कें परिचित करयबाक उद्देश्य सं बेंगलुरु मे आयोजित बिहार महोत्सव मे…
दरभंगाक इम्तियाज अहमद इसरो मे रचलनि नव अध्याय, ईओएस-05 मिशनक बनलाह परियोजना निदेशक
दरभंगा। जाले प्रखंडक रेवढ़ा गाम निवासी वैज्ञानिक इम्तियाज अहमद भारतीय अंतरिक्ष अनुसंधान संगठन (इसरो) मे महत्वपूर्ण जिम्मेदारी निभा दरभंगा आ मिथिलाक नाम रोशन कएने छथि। चारि सितंबर केँ ईओएस-05 मिशनक सफल प्रक्षेपणक संग हुनकर अंतरिक्ष अनुसंधान करियर…
रूपौली मे कोसीक कहरि, आठ पंचायतक दर्जन भरि गाम मे घुसल बाढ़िक पानि, पलायन शुरू
पूर्णिया, रूपौली। कोसी नदी खतरा स्तर सं बहुत ऊपर बहि रहलाक कारण पूर्णियाक रूपौली प्रखंड क्षेत्र मे बाढ़िक स्थिति गंभीर होइत जा रहल अछि। प्रखंडक आठ पंचायत मे बाढ़िक पानि फैल’ लागल अछि। दर्जन भर गाम मे लोकक घर-आंगन धरि पानि पहुंचि गेल अछि। सभ सं…
विद्यालय सभक निरीक्षण मे डीएम देलनि सुधारक कड़गर निर्देश
506 सहरसा, समदिया जिला मे विद्यालयी शिक्षाक गुणवत्ता मे सुधार आ अनुशासित शैक्षणिक वातावरण सुनिश्चित करबाक लेल जिलाधिकारी दीपेश कुमार सिमरी बख्तियारपुरक उच्च विद्यालय तथा सलखुआ प्रखंडक उत्क्रमित उच्च माध्यमिक विद्यालय उटेसराक सघन निरीक्षण केलनि।…
कोसी मे जलस्तर बढ़ल सं निचला इलाका मे घुसल पानि, मधेपुराक दू प्रखंडक करीब एक दर्जन गाम प्रभावित; 55 ठाम नाव उतारल गेल
मधेपुरा। कोसी नदीक जलस्तर लगातार बढ़ि रहल अछि। एहि कारण चौसा आ आलमनगर प्रखंडक निचला इलाका मे पानि फैलि गेल अछि। कतेको गाम मे पानि पहुँचि गेलासं ग्रामीणक परेशानी बढ़ि गेल अछि। निचला इलाका मे आवागमन प्रभावित होयबाक संग मवेशक लेल चारा जुटेनाइ सेहो…