दरभंगा मे 23.92 करोड़क सड़क निर्माणक जांच, कतेको ठाम काज अधूरा रहबाक शिकायत
दरभंगा। बेनीपुर-मनीगाछी सड़क निर्माण मे गुणवत्ता आ देरीक शिकायत पर शनिदिन नेशनल क्वालिटी मॉनिटरक टीम जांच कयलक। करीब 18 किलोमीटर लम्बा एहि सड़कक निर्माण 23 करोड़ 92 लाख रुपैयाक लागत सं वर्ष 2024 सं कराओल जा रहल अछि। नियमानुसार, जनवरी 2026 धरि…
ईंट-भट्ठा संचालक सभक सुविधाक लेल ब्रिक्स क्लस्टरक भौगोलिक विस्तार होयत : सांसद
डॉ. गोपाल जी ठाकुर कहलनि जे ईंट-भट्ठा उद्योग कें स्थानीय रोजगार सृजन सं जोड़बाक होयत पहल दरभंगा, समदिया मिथिला क्षेत्र मे ईंट-भट्ठा उद्योग ग्रामीण अर्थव्यवस्था, स्थानीय रोजगार, आवास एवं निर्माण कार्य आ सरकारी राजस्वक महत्वपूर्ण आधार अछि।…
लोक परंपरा सभ सं बच्चा सभ कें कराओल गेल अवगत
बिस्फी, समदिया बिस्फी प्रखंड क्षेत्रक उच्च माध्यमिक विद्यालय परसौनी उत्तरी आ मध्य विद्यालय परसौनीक परिसर मे शनिदिन शिक्षक-अभिभावक संगोष्ठीक आयोजन कयल गेल। संगोष्ठीक अध्यक्षता विद्यालयक प्रधानाध्यापक राजेश कुमार झा कयलनि। बच्चा सभक समुचित आ…
पटना मे रिलायंस, फ्लिपकार्ट आ बिग बास्केटक गोदाम मे गड़बड़ी, खाद्य सुरक्षा मानकक उल्लंघन
पटना, समदिया पटना आ लगपासक क्षेत्र मे संचालित ई-कॉमर्स आ खुदरा कारोबारक नामी कंपनी सभक गोदाम मे खाद्य सुरक्षा मानकक खुल्लमखुल्ला उल्लंघनक मामिला सोझां आएल अछि। खाद्य सुरक्षा विभागक विशेष जांच मे रिलायंस रिटेलक दूटा गोदाम सहित फ्लिपकार्ट आ बिग बास्केटक…
सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान सुपौल। सुपौल मे मंगल राति भीषण आगलगी मे 13 परिवारक करीब 30 घर जरि कए राखि भए गेल। आगिक चपेट मे अयला सं गणेश पासवान (30) गंभीर रूप सं झुलसि…
बेगूसराय मे महिला डांसर कें थप्पड़ मारि भीड़ पर पिस्तौल तनलनि दारोगा
बेगूसराय, समदिया बेगूसराय जिला मे एकटा पुलिस अधिकारीक दबंगईक बाद भारी बवाल भए गेल। घटनाक एकटा वीडियो सेहो सोशल मीडिया पर खूब प्रसारित भए रहल अछि। वायरल वीडियो मे देखाइत अछि जे दुर्गा पूजा कार्यक्रमक दौरान एकटा दरोगा पहिने महिला डांसर कें थापड़ मारैत छथि आ…
कटरा मे पिंडी स्वरूप मे विराजैत छथि भगवती, दूर-दूर सं अबैत छथि श्रद्धालु
मान्यता अछि जे चंड-मुंडक संहार करयबाली मां चामुंडा छथि राजा जनकक कुलदेवी मुजफ्फरपुर, समदिया शारदीय नवरात्रक अवसर पर भगवती दुर्गाक दर्शन लेल मंदिर सभ मे श्रद्धालुक भीड़ उमड़ि रहल अछि। मुजफ्फरपुर जिलाक कटरा प्रखंड स्थित मां चामुंडा…
दरभंगा मे दरबज्जा पर सुतल बुजुर्गक गोली मारि हत्या
विशनपुर थाना क्षेत्रक रुपौली गामक अछि मामिला दरभंगा, समदिया दरभंगा जिलाक विशनपुर थाना क्षेत्रक रुपौली गाम मे शुक्रदिन राति घरक दरबज्जा लग सुतल 65 वर्षीय बुजुर्गक माथ मे गोली मारि हत्या कए देल गेलनि। शनिदिन भोर हुनकर शव घरक दरबज्जा मे…
दुर्गा पूजा लेल प्रशासन सतर्क, 450 स्थान पर सुरक्षाक पुख्ता इंतजाम
डीएम-एसएसपीक नेतृत्व मे फ्लैग मार्च, ड्रोन आ सीसीटीवी सं होयत निगरानी दरभंगा, समदिया दुर्गा पूजाक दौरान शांति आ विधि-व्यवस्था बनौने रखबाक संगहि लोकसभक सुरक्षा सुनिश्चित करबाक लेल शनिदिन जिलाधिकारी कौशल कुमार आ वरीय पुलिस अधीक्षक जगुनाथ…
मिथिला मे दुर्गोत्सवक धूम, सप्तमी पर खुजल पट, दर्शन लेल उमड़ल भीड़
मिथिला मे महासप्तमीक अवसर पर धर्म, लोकपरंपरा आ सामुदायिक सहभागिताक मनोरम दृश्य देखल पटना, समदिया शारदीय नवरात्रिक महासप्तमी पर मिथिलाक विभिन्न जिला मे दुर्गापूजाक उत्साह चरम पर पहुंचि गेल। पूजा-पंडाल सभक पट खुलिते भगवती दुर्गाक दर्शन-पूजन…