अपरंपार अछि 250 वर्ष पुरान जफरा भगवतीक महिमा
नवरात्रि मे नेपालो सं अबैत छथि पैघ संख्या मे श्रद्धालु मधुबनी, समदिया मिथिलालक प्रसिद्ध सिद्धपीठ सभ मे जफरा दुर्गा मंदिरक विशिष्ट स्थान अछि। एहि ठाम नवरात्रिक अवसर पर भगवतीक दर्शन-पूजन लेल श्रद्धालु सभक भारी भीड़ जुटैत अछि। एहि…
मधेपुरा मे बीच सड़क पर छात्र कें गोली मारि हत्या
मधेपुरा मे बीच सड़क पर छात्र कें गोली मारि हत्या बिहारक पूर्व शिक्षा मंत्री चंद्रशेखरक ममियौत भाइ छल छात्र मधेपुरा, समदिया राज्यक पूर्व शिक्षा मंत्री आ राष्ट्रीय जनता दल (राजद) विधायक चंद्रशेखर यादवक संबंधीक शुक्रदिन गोली मारि हत्या कए देल…
अबला कें सबल बनौनिहार छथि रहिकेश्वरी अष्टभुजी दुर्गा, दूर-दूर धरि पसरल अछि महिमा
अबला कें सबला बनबैत छथि माता रहिकेश्वरी रहिका, समदिया मधुबनी जिलाक प्रखंड मुख्यालय रहिका स्थित माता रहिकेश्वरी दुर्गा देवीक ख्याति दूर-दूर धरि पसरल अछि। एहि मंदिरक इतिहास अत्यंत प्राचीन अछि। मान्यता अछि जे माता रहिकेश्वरी अबला कें सबला…
बेगूसराय मे दिन-देखाड़ 40 लाखक गहनाक लूट, 15 राउंड फायरिंग
अपराधी काउंटर आ तिजोरी मे राखल गहना बैग मे भरि लेलक बेगूसराय, समदिया बेगूसराय जिलाक फुलवड़िया थाना क्षेत्रक फुलवड़िया बाजार मे शुक्रदिन दिन-देखाड़ बाइक सवार छह अपराधी एकटा गहना दोकान सं करीब 40 लाख टाकाक गहना लूटि लेलक। घटना करीब 1:45 बजे…
सहरसा हवाई अड्डा पर जल्दिये शुरू होयत रनवे निर्माणक काज, दू कंपनी लगौलक बोली
42.52 करोड़ टाकाक योजना, 15 मास मे पूरा होयत निर्माण सहरसा, समदिया सहरसा हवाई अड्डाक विकास आ आधुनिकीकरण लेल भारतीय विमानपत्तन प्राधिकरण (एएआइ) 42.52 करोड़ टाकाक निविदा निकालने अछि। एहि काज लेल एलके बिल्डर्स आ एनएससी प्रोजेक्ट्स प्राइवेट…
डीआइजी कयलनि सुपौल एसपी कार्यालयक निरीक्षण, अपराध नियंत्रण पर देलनि जोर
लंबित कांडक निष्पादन आ दुर्गापूजा मे शांति व्यवस्था बनौने रखबाक निर्देश सहरसा, समदिया कोसी क्षेत्र, सहरसाक पुलिस उपमहानिरीक्षक डॉ. कुमार आशीष सुपौल जिला पुलिस अधीक्षक कार्यालयक निरीक्षण कयलनि। एहि दौरान ओ कार्यालयक विभिन्न शाखा मे राखल पंजी…
रबी कार्यशाला मे मखानक उत्पादन बढ़ेबाक आ संतुलित खादक प्रयोग पर जोर
23 सं 31 अक्टूबर धरि सभ प्रखंड मुख्यालय मे वासंतिक कार्यशाला आयोजित कयल जायत सहरसा, समदिया वासंतिक (रबी) कार्यशाला-सह-प्रशिक्षण कार्यक्रम आयोजित कयल गेल। कार्यक्रमक उद्घाटन जिलाधिकारी दीपेश कुमार, पुलिस अधीक्षक विक्रम सिहाग, नगर आयुक्त…
प्रस्तावित नगर परिषद मे बेलही दक्षिणी वार्ड-16 कें शामिल करबाक उठल मांग
मांग पूरा नहि भेल तं चरणबद्ध जनांदोलनक चेतावनी जयनगर, समदिया प्रस्तावित नगर परिषद जयनगरक क्षेत्र विस्तार मे जयनगर प्रखंड क्षेत्रक बेलही दक्षिणी पंचायतक वार्ड संख्या-16 कें शामिल करबाक मांग लए पंचायतक इस्लामपुर मोहल्ला मे जनप्रतिनिधि,…
ग्रामीण सभक अटूट आस्था आ परंपराक प्रतीक अछि लोहनाक दुर्गा पूजा
छिटटोल लोहना मे 101 बरख सं भए रहल अछि मां दुर्गाक पूजा मधुबनी, समदिया लोहना प्रखंडक छिटटोल लोहना गाम मे विगत 101 बरख सं लगातार मां दुर्गाक पूजा-अर्चना होइत आबि रहल अछि। एतुक्का दुर्गा पूजा ग्रामीण सभक अटूट आस्था आ पारंपरिक धार्मिक परंपराक…
बेनीपट्टी मे एनबीएफसी कर्मीक कथित अपहरण कांडक त्वरित उद्भेदन, 5 अभियुक्त गिरफ्तार
मधुबनी, समदिया मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी थाना क्षेत्र मे एनबीएफसी कर्मी राहुल रंजनक कथित अपहरण कांडक पुलिस त्वरित उद्भेदन कयलक अछि। अपहृत युवक कें घटना के मात्र 3-4 घंटाक भीतर सकुशल बरामद क लेल गेल। एहि मामिला मे घटना मे संलिप्त 5 अभियुक्त कें…