मिथिलाक कलाक कायल भेल निर्वाचन आयोग, दिल्ली दरबार मे सजत 50 मधुबनी पेंटिंग
मधुबनी। विश्वप्रसिद्ध मधुबनी पेंटिंगक पहचान आब देशक लोकतंत्रक पैघ संस्थान सभ मे सेहो आओर मजबूत होमय जा रहल अछि। मिथिलाक एहि पारंपरिक कलासँ प्रभावित भारत निर्वाचन आयोग दिल्ली मे आधिकारिक प्रयोजन लेल पेंटिंग उपलब्ध कराबयबाक अनुरोध कएलक अछि। आयोगक…
तीन मास मे बनत वेंडिंग जोन, फुटकर विक्रेता सभ कें भेटत स्थायी ठेकान
महापौर बैन प्रिया कहलनि जे वेंडिंग जोन बनला सं फुटकर विक्रेताक समस्या दूर होयत सहरसा, समदिया नगर निगम क्षेत्रक फुटकर विक्रेतासभक समस्या समाधान आ हुनका सभ कें व्यवस्थित ठाम उपलब्ध करयबाक लेल महापौर बैन प्रिया बुधदिन नगर निगम कार्यालय स्थित…
शहर मे धड़ल्ले सं चलि रहल अवैध अल्ट्रासाउंड केंद्र, विभागीय जांच जरूरी
सिविल सर्जन आ जिला प्रशासन सं सख्त जांचक मांग डॉक्टरक योग्यता आ पंजीकरणक सेहो हो जां सहरसा, समदिया शहर मे पैघ संख्या मे अल्ट्रासाउंड केंद्र संचालित भए रहल अछि, मुदा एहि केंद्रसभक नियमित निगरानी आ जांच कें लए कए सवाल उठि रहल अछि। शहरवासी सभक कहब…
बेगूसराय मे झूला टूटबाक अफवाह सं मेला मे मचल भगदड़, 10-15 लोक चोटिल
बैरिकेडिंग टूटल, पुलिस माइक सं संभाललक भीड़ बेगूसराय। बेगूसराय जिलाक चेरिया बरियारपुर मे कृष्ण जन्माष्टमीक अवसर पर आयोजित मेला मे देर रात अचानक भगदड़ जकाँ स्थिति बनि गेल। मेला मे झूला लग सुरक्षा लेल कएल गेल बैरिकेडिंगक एकटा हिस्सा अचानक टूटि कए…
अररिया-गलगलिया नव रेल लाइनक कपलिंग टूटल, माटि बहल
साल भरि पहिने 4410 करोड़क लागति सं बनल रेललाइनक हलका बरखा मे खुजल पोल अररिया, समदिया अररिया जिला मे करीब एक वर्ष पहिने शुरू भेल 4,410 करोड़ रुपैयाक लागति सं बनल अररिया-गलगलिया नव रेललाइनक निर्माणक गुणवत्ता पर पहिले बरख गंभीर प्रश्न…
समस्तीपुर मे बाढ़ि सं 2.33 लाख प्रभावित, 58 सामुदायिक रसोइ सं 25 हजार लोक कें भोजन
803, 803 A समस्तीपुर, समदिया। जिलाक बाढ़ि प्रभावित मोहनपुर, मोहिउद्दीननगर आ विद्यापतिनगर प्रखंड मे राहति आ बचावक काज युद्धस्तर पर जारी अछि। तीनू प्रखंड मे करीब 2,33,212 लोक बाढ़ि सं प्रभावित भेल छथि। जिला प्रशासन प्रभावित लोकक लेल 58…
समस्तीपुर मे डीआइएसएचएक बैसार : गृह राज्यमंत्री नित्यानंद राय देलनि विकास काज मे तेजी आनबाक निर्देश, बाढ़ि राहति पर विशेष जोर
पूसा मे डीआइएसएचएक बैसार संपन्न, शिक्षा-स्वास्थ्य आ बाढ़ि राहति कें प्राथमिकता समस्तीपुर, 7 सितंबर 2026, समदिया। डॉ. राजेंद्र प्रसाद केंद्रीय कृषि विश्वविद्यालय, पूसा परिसर मे जिला विकास समन्वय एवं निगरानी समिति…
कृषि विज्ञान केंद्र सुखेत मे किसान वैज्ञानिक संवाद कार्यक्रम आयोजित
पोषक तत्व आ कीटव्याधिक समेकित प्रबंधन पर वैज्ञानिक सभ देलनि उपयोगी सुझाव खरीफ फसिलक प्रबंधन पर देल गेल जानकारी आत्मा मधुबनीक सहयोग सं भेल आयोजन, किसान सभ पूछलनि सवाल 403 झंझारपुर, समदिया डॉ. राजेंद्र प्रसाद केंद्रीय कृषि विश्वविद्यालय, पूसाक अधीन…
बाढ़ि कटाव प्रभावित 350 परिवारक बीच राहति सामग्री वितरित
सहरसा, समदिया कोसी नदीक बढ़ैत जलस्तर आ तेज कटाव सं प्रभावित नौला पंचायतक परिवार सभक सहायता लेल सेवा इंटरनेशनल राहति काज तेज कए देलक अछि। सेवा इंटरनेशनल आ कोटक महिंद्रा बैंकक सहयोग सं पंचायत क्षेत्र मे 350 सं बेसी बाढ़ि आ कटाव प्रभावित…
पंचायतवार आधारभूत संरचनाक आवश्यकता चिह्नित कए दू दिन मे रिपोर्ट देथि : डीएम
दरभंगा, समदिया जिलाधिकारी कौशल कुमारक अध्यक्षता मे सोम दिन समाहरणालय स्थित बाबा साहेब डॉ. भीमराव आंबेडकर सभागार मे जिला स्तरीय समन्वय समितिक बैसार भेल। बैसार मे विकास आ कल्याणकारी योजना, विभागीय काज, जन शिकायत, न्यायालय सं संबंधित मामिला…