श्रीकृष्ण जन्मोत्सव कें लए कए निकलल कलश शोभायात्रा
कमला नदी सं जल बोझि पूजा स्थल पहुंचल श्रद्धालु सभक टोली जयनगर, समदिया श्री श्री 108 श्री कृष्ण जन्मोत्सव समिति, सुभाष चौक गोइत टोल, जयनगरक तत्वावधान मे श्रीकृष्ण जन्मोत्सव कें लए कए शुक्रदिन भव्य कलश शोभायात्रा निकालल गेल। भक्तिमय वातावरण…
नेपाल त्रासदी मे मधुबनीक युवक लापता, निर्माणाधीन हाइड्रोपावर मे छलाह कार्यरत
परिजन भारत आ नेपाल सरकार सं लगेलनि मदति केर गोहारि मधुबनी, समदिया नेपाल मे 26 अगस्त कें आएल भीषण बाढ़िक त्रासदीक बाद मधुबनी जिलाक लौकही प्रखंडक मंसापुर गाम निवासी रंजीत कुमार गुप्ता (39 वर्ष) लापता छथि। रंजीत कुमार गुप्ता, भोला प्रसाद…
मिथिला पेंटिंग संस्थान मे गुरु वंदना छात्र सम्मान कार्यक्रम
गुरुजन आ मेधावी छात्र सभ सम्मानित मधुबनी, समदिया चित्राक्षर संस्थाक संस्थापिका डॉ. अरुणा झा कोलकाता सं आबि कएलनि सम्मान समारोह, मिथिलाक्षर लेखन पर आधारित दूटा पेंटिंग संस्थान कें समर्पित मिथिला चित्रकला संस्थानक सभागार मे संस्थानक दिस सं एक भव्य…
राघोपुर पंचायतक तीन टोल पर कटावक खतरा, घर छोड़ि सुरक्षित ठाम दिस पलायन करैत लोक
भागलपुर, समदिया करीब 10 वर्षक बाद राघोपुर मे गंगा फेर अपन रौद्र रूप देखबैत अछि। पछिला 11 दिन सं खैरपुर मार्जिनल बांध सं जमींदारी बांध आ रेलवे लाइनक बीच करीब 300-400 मीटर क्षेत्र मे अलग-अलग स्थान पर कटाव जारी अछि। नदीक धार जाहि तरह सं जमीन…
राष्ट्रीय लोक अदालत लेल झंझारपुर न्यायालय परिसर सं 3 ई-रिक्शा विदा, गाम गाम होयत प्रचार
प्रधान जिला न्यायाधीशक निर्देश पर 12 सितंबर कें लागत राष्ट्रीय लोक अदालत झंझारपुर, समदिया राष्ट्रीय लोक अदालत कें सफल आ प्रभावकारी बनेबाक लेल झंझारपुर मे जागरूकता अभियान तेज भए गेल अछि। बृहस्पति कें झंझारपुर न्यायालय परिसर सं 3 प्रचार वाहन…
अयोध्या जनकपुर रेल परिचालन लेल जयनगर मे भारत नेपालक बीच उच्चस्तरीय बैसार
अप्रैल 2027 मे रामायण सर्किट रेल चलबाक संभावना सुरक्षा आ यात्री सुविधाक संबंध मे घंटो भेल विचार-विमर्श जयनगर, समदिया नेपालक श्रद्धालु सभ कें भगवान श्रीरामक नगरी अयोध्या धरि सीधा रेल यात्रा सुविधा देबाक दिशा मे महत्वपूर्ण पहल भेल अछि।…
4 सितंबर कें मनाओल जायत श्रीकृष्ण जन्माष्टमी
रोहिणी नक्षत्र मे व्रत आ पूजाक विशेष महत्व सहरसा, समदिया श्रीकृष्ण जन्माष्टमी कें लए कए श्रद्धालु सभ मे उत्साह अछि। पंडित तरुण झा कहलनि जे एहि बरख श्रीकृष्ण जन्माष्टमीक व्रत आ भगवान श्रीकृष्णक पूजा 4 सितंबर, शुक्रदिन कें कएल जायत। मिथिला मे…
राष्ट्रीय खेल दिवस पर चारि दिवसीय खेल महोत्सवक आयोजन
दरभंगा, समदिया ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगाक निर्देशानुसार महाराज लक्ष्मेश्वर सिंह मेमोरियल महाविद्यालय, दरभंगा मे राष्ट्रीय खेल दिवसक उपलक्ष्य मे चारि दिवसीय खेल महोत्सवक आयोजन कएल जा रहल अछि। 1 सं 4 सितंबर धरि आयोजित होमयबला…
रामपुर पंचायत कें आदर्श पंचायत बनेबाक चर्चा तेज, डीएम अधिकारी सभ कें देलनि निर्देश
सहरसा, समदिया जिलाक सौरबाजार प्रखंडक रामपुर पंचायत कें आदर्श पंचायत बनयबाक लेल जिला प्रशासन कवायद तेज कए देलक अछि। बुधदिन पंचायत सरकार भवन मे जिलाधिकारी दीपेश कुमार प्रखंड स्तरीय पदाधिकारी आ पंचायत जनप्रतिनिधिसभक संग समीक्षा बैसार कए…
शव नहि भेटला पर कुशक प्रतिरूप बना कएल जा रहल सामूहिक दाह संस्कार
आशा आ निराशाक बीच समय कटबा लेल विवश छथि पीड़ित परिवार काठमांडू, समदिया रसुवाक भोटेकोशी नदी मे आएल विनाशकारी बाढ़िक बाद संपर्क विहीन सिंधुपाल्चोकक 239 लोकक खोज मे परिजन भटकि रहल छलाह। बाढ़ि आएल एक सप्ताह बीतलाक बादो परिवारक सदस्यक…