पीएम श्री जवाहर नवोदय विद्यालय पचाढ़ीक व्यवस्थापर डीएम देलनि निर्देश
स्टेडियम, सड़क, बिजली, पेयजल आ प्रकाश-व्यवस्था मे सुधारक प्रस्ताव दरभंगा, समदिया समाहरणालय स्थित बाबा साहेब डॉ. भीमराव आंबेडकर सभागार मे जिलाधिकारी कौशल कुमारक अध्यक्षता मे पीएम श्री जवाहर नवोदय विद्यालय, पचाढ़ी की विद्यालय प्रबंधन समिति आ…
राति सं गायब मासूमक शव भोर मे गाछी सं भेटल
दलसिंहसराय, समदिया विद्यापतिनगर थाना क्षेत्रक बढ़ौना पंचायतक वार्ड संख्या-3 स्थित मधुवन टोल मे शनिदिन भोर गाछी सं 10 वर्षीय बच्चाक शव भेटला सं सनसनी पसरि गेल। शव फुलवंतो स्थानक आगू पूर्व मटखनमा गाछी मे भेटल। भोर मे शौच लेल निकलल एक ग्रामीणक…
बाबूबरही लूटक घटना 24 घंटाक भीतर उद्भेदन, चारि अपराधी गिरफ्तार
3 देसी कट्टा, 3 जिंदा कारतूस, 2 मोटरसाइकिल, 2.5 किलो गांजा आ 2.36 लाख रुपैया बरामद मधुबनी, समदिया बाबूबरही थाना क्षेत्र मे भेल लूटक घटनाक पुलिस 24 घंटाक भीतर सफलतापूर्वक उद्भेदन करैत चारि अभियुक्त कें गिरफ्तार कए लेलक अछि। गिरफ्तार अभियुक्त…
आइआरसीटीसी मामिला : ईडी तय नहि कए सकल आरोप, सुनवाइ टरल
लालू-राबड़ी-तेजस्वी राउज एवेन्यू कोर्ट पहुंचलाह, आब 30 अक्टूबर कें होयत अगिला सुनवाइ पटना, समदिया राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव, हुनकर पत्नी आ बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी तथा पुत्र तेजस्वी यादव दिल्लीक राउज एवेन्यू कोर्ट पहुंचलाह।…
सीतामढ़ी मे महिस कें तकबा लेल खेत गेल 3 गोटेक करंट लगला सं मृत्यु
खेतक चारूकात जंगली सुग्गर सं फसिल कें बचेबाक लेल लगाओल गेल छल कंटीला तार, ओहि मे दौड़ि रहल छल करंट फोटो : सीता सीतामढ़ी, समदिया बैरगनिया प्रखंडक अक्ता पश्चिमी चकवा पंचायतक तकिया टोला वार्ड नंबर-5 मे शनिदिन भोर बिजलीक करंटक चपेट मे अएला सं…
गांधी जयंती पर स्वच्छता सेवाक समापन, नमामि गंगे विशेष अभियानक शुभारंभ
801 समस्तीपुर, समदिया जिला ग्रामीण विकास अभिकरण (जिला जल एवं स्वच्छता समिति)क तत्वावधान मे महात्मा गांधीजीक जयंतीक अवसर पर समाहरणालय सभाकक्ष मे उप विकास आयुक्त सूर्य प्रताप सिंहक अध्यक्षता मे स्वच्छता ही सेवा-2026 अभियानक समापन सह सम्मान…
गांधी जयंती पर नगर परिषद देलक स्वच्छताक संदेश, कचरा सं मुक्ति सभक सहभागिता
झंझारपुर, समदिया महात्मा गांधीजीक जयंतीक अवसर पर 2 अक्टूबर कें नगर परिषद झंझारपुरक दिस सं स्वच्छता ही सेवा 2026 अभियानक अंतर्गत जागरूकता कार्यक्रम आयोजित कएल गेल। एहि दौरान नगर परिषद कार्यालय परिसर मे सेल्फी प्वाइंट सेहो बनाओल गेल छल, जतय…
प्रधानमंत्री आ मुख्यमंत्री आवास योजना मे केहन परिवार कें भेटैत अछि लाभ
सहरसा, समदिया गरीब आ आवासविहीन ग्रामीण परिवार कें पक्का मकान उपलब्ध कराबय लेल केंद्र आ बिहार सरकारक दिस सं अलग-अलग आवास योजना चलाओल जा रहल अछि। प्रधानमंत्री आवास योजना-ग्रामीणक संग बिहार मे मुख्यमंत्री ग्रामीण आवास योजना सेहो एहन…
भागलपुर आ कहलगांव मे बढ़ि रहल गंगाक जलस्तर
भागलपुर, समदिया बिहार मे गंगा सहित प्रमुख नदी सभक जलस्तर मे शुक्रदिन कतेको स्थान पर उतार-चढ़ाव दर्ज कएल गेल। केंद्रीय बाढ़ि नियंत्रण कक्ष, जल संसाधन विभाग, पटना द्वारा 2 अक्टूबर कें अपराह्न 2 बजे जारी रिपोर्टक अनुसार भागलपुर आ कहलगांव मे…
राष्ट्रपिता महात्मा गांधी आ पूर्व प्रधानमंत्री शास्त्रीक जयंती पर कांग्रेस कार्यालय मे श्रद्धांजलि सभा
सीतामढ़ी, समदिया सत्य, अहिंसा आ शांतिक पुजारी राष्ट्रपिता महात्मा गांधीजी आ पूर्व प्रधानमंत्री लाल बहादुर शास्त्रीजीक जयंतीक अवसर पर जिला कांग्रेस कमिटी कार्यालय, ललित आश्रम गांधी मैदान मे जिलाध्यक्ष अमित कुमार टुन्नाक अध्यक्षता मे…