जितियाक नहाय-खाय पर खूब बिकायल माछ आ मरुआक आटा
शहर सं गाम धरि बजार मे रहल चहल-पहल, बढ़ल माछक दाम सहरसा, समदिया जितिया पर्व कें लए कए शुक्रदिन जिलाक विभिन्न माछ बजार मे जबरदस्त रौनक देखल गेल। नहाय-खाय परंपराक अंतर्गत माछ आ मरुआक रोटी खेनाइ कें लए कए भोरे सं माछ खरीदय लेल बजार सभ…
दरभंगा, मुजफ्फरपुर आ पटनाक पता पर अफगानी आ बांग्लादेशी नागरिक बनबौलक पासपोर्ट
सभ सं बेसी 30 अफगानी नागरिक केलक पटनाक पताक प्रयोग पटना, समदिया राज्य मे अलग-अलग पताक उपयोग कए विदेशी नागरिक द्वारा भारतीय पासपोर्ट प्राप्त कएल गेलाक सूचना सामने एलाक बाद पुलिस मुख्यालय सक्रिय भए गेल अछि। पुलिस मुख्यालयक सूत्रक अनुसार,…
जिलास्तरीय विद्यालय खेलकूद प्रतियोगिता-2026 केर भव्य शुभारंभ
मधुबनी, समदिया बिहार राज्य खेल प्राधिकरण, पटना, खेल विभाग आ जिला प्रशासन, मधुबनीक संयुक्त तत्वावधान मे आयोजित मधुबनी जिला स्तरीय विद्यालय खेलकूद प्रतियोगिता-2026 केर भव्य शुभारंभ मंगलदिन पंडौल उच्च विद्यालयक प्रांगण मे भेल। प्रतियोगिताक उद्घाटन उप…
कोनो परिस्थिति मे बाल श्रम सहन नहि होयत : जिलाधिकारी
धावा दलक टीम 7 बाल श्रमिक कें करौलक मुक्त मधुबनी, समदिया जिला पदाधिकारी, मधुबनी आनंद शर्माक मार्गदर्शन मे श्रम अधीक्षक रतीश कुमारक नेतृत्व मे गठित धावा दल द्वारा विशेष धावा दल संचालनक आखरी दिन बाल श्रमक विरुद्ध सघन जांच अभियान चलाओल गेल।…
मखान अनुसंधान केंद्र में हिंदी कार्यशाला, साहित्य सं संवेदना आ विज्ञान सं समाधान पर जोर
दरभंगा, समदिया राष्ट्रीय मखान अनुसंधान केंद्र, दरभंगा मे बृहस्पति कें त्रैमासिक हिंदी कार्यशालाक आयोजन कएल गेल। संस्थानक राजभाषा प्रभारी आ वरिष्ठ वैज्ञानिक डॉ. मनोज कुमार मुख्य वक्ता महात्मा गांधी महाविद्यालयक सहायक प्राध्यापक डॉ. लाल कुमार सहित…
प्रधानमंत्री आवास योजनाक सूची मे भारी गड़बड़ीक आरोप
पक्का मकान आ वाहन रखनिहारक नाम शामिल करबाक शिकायत, फेर सं जांचक मांग सहरसा। प्रधानमंत्री आवास योजना (ग्रामीण) अंतर्गत प्रकाशित लाभुकक सूची मे गड़बड़ी कएल गेलाक मामिला सामने आएल अछि। जिला प्रशासनक निर्देश पर जिलाक विभिन्न पंचायत मे आमसभा आयोजित कए…
रामधनी घाट पर आयोजित भेल गंगा आरती
श्रद्धालु आ कार्यकर्ता सभके सांसद देलनि स्वच्छताक संदेश दरभंगा। सेवा संकल्प महाअभियानक अंतर्गत भाजपाक दिस सं चलाओल जा रहल सेवा पखवाड़ाक अंतर्गत जिला गंगा समितिक दिस सं बुधवारक सांझ शुभंकरपुर स्थित बागमती तट पर रामधनी घाट मे भव्य गंगा आरतीक आयोजन…
एसएच-88 पर यातायात नियमक पालन लेल लोक कें कएल गेल जागरूक
बेनीपुर, समदिया प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक जन्मदिवसक अवसरपर आयोजित सेवा-संकल्प-समर्पण महा-अभियानक अंतर्गत दरभंगा पूर्वी जिला भाजपाक दिस सं अंटौर मे एसएच-88 पर सड़क सुरक्षा जागरूकता अभियान चलाओल गेल। एहि दौरान राहगीर आ वाहन चालक सभ कें…
डॉ. भास्कर ज्योति कें भेटलनि मैसाम युवा सम्मान, डॉ. रामानंद झा रमणक भेल व्याख्यान
नई दिल्ली/सहरसा, समदिया मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृतिक संरक्षण, संवर्धन आ प्रसार लेल समर्पित संस्था मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम), दिल्ली द्वारा रविदिन कॉन्स्टिट्यूशन क्लब ऑफ इंडिया, नई दिल्ली मे 12म विद्यापति स्मृति एकल व्याख्यान आ मैसाम…
साहित्यकार धीरेंद्रक चुनल रचनासभक एकत्र संचयन प्रकाशित
मधेपुरा, समदिया बीएन मंडल विश्वविद्यालयक पीजी मैथिली विभाग मे साहित्य अकादमी द्वारा प्रकाशित आ शिवशंकर निवास एवं अतुलेश्वर झा द्वारा संपादित पुस्तक धीरेंद्र : रचना संचयनक लोकार्पण कार्यक्रम आयोजित कएल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता…