23 खेल विधा मे उत्कृष्ट प्रदर्शन कएनिहार खेलाड़ी प्रमंडलीय प्रतियोगिता लेल चयनित
सहरसा, समदिया जिला स्तरीय तीन दिवसीय विद्यालय खेलकूद प्रतियोगिताक समापन बृहस्पति कें भेल। एहि दौरान पुलिस लाइन मैदान, पटेल मैदान, जिला स्कूल मैदान, इंडोर स्टेडियम आ खेल भवनक व्यायामशाला मे एक संग विभिन्न खेल प्रतियोगिता आयोजित कएल गेल। तीन दिन धरि…
विज्ञान संगोष्ठी मे ऊर्जा भविष्य पर विद्यार्थीक विचार
सहरसा, समदिया स्थानीय सुपर मार्केट स्थित प्रमंडलीय पुस्तकालय मे विज्ञान संगोष्ठी-2026 आयोजित भेल। संगोष्ठीक विषय भारतीय ऊर्जा परिदृश्य-2047 : संभावना आ चुनौती रहल। एहि दौरान विभिन्न विद्यालयक विद्यार्थी सभ नवीकरणीय ऊर्जा, ऊर्जा सुरक्षा, जीवाश्म…
खगड़ियाक सरकारी स्कूलक सीढ़ी टूटल, दू छात्राक मृत्यु
तीन बच्ची अछि घायल, चलि रहल अछि इलाज फोटो : खगड़िया खगड़िया, समदिया मानसी थाना क्षेत्रक अमनी गाम स्थित जटाधर मिश्र प्राथमिक विद्यालय, पासवान टोला मे बुधदिन अनचोके सीढ़ी ध्वस्त भए गेल। सीढ़ीक मलबा मे दबि गेला सं 9 वर्षीया छात्रा रीतिका कुमारीक…
सच्चिदानंद सच्चू कें उपन्यास ‘जाल’ लेल सम्मानित कएल गेल
नई दिल्ली, समदिया आत्मा राम सनातन धर्म कॉलेज मे ‘लक्ष्मी-हरि स्मृति उपन्यास सम्मान अर्पण समारोह 2026’क आयोजन 28 सितंबर कें भव्यतापूर्वक संपन्न भेल। एहि अवसर पर मैथिलीक सुप्रसिद्ध उपन्यासकार सच्चिदानंद ‘सच्चू’ कें हुनकर तेसर उपन्यास ‘जाल’ लेल सम्मानित कएल…
चंपारण मे तीन बांध टूटल, नेपालक बरखा सं उत्तर बिहार बेहाल
बगहा-बेतिया मे तटबंध टूटला सं दर्जनों गाम मे भरल पानि एनडीआरएफ संभारलक मोर्चा फोटो 102 पटना। नेपाल मे भारी बरखा के बाद वाल्मीकिनगर आ वीरपुर बैराज सं भारी मात्रा मे पानि छोड़ल गेल। एहि सं उत्तर बिहार मे बाढ़िक स्थिति गंभीर भए गेल अछि। राज्यक 17…
बेगूसराय मे पुलिस टीम पर लाठी-डंडा आ चप्पल सं हमला
एसआईक पिस्टल छीनबाक सेहो कोशिश शराबक सूचना पर पहुंचल छल पुलिस दल बेगूसराय। बेगूसराय मे पुलिस टीम पर लाठी-डंडा आ चप्पल सं हमला कयल गेल। मारपीटक दौरान सब-इंस्पेक्टर (एसआई) कें पिस्टल सेहो छीनबाक कोशिश कयल गेल। बताओल जा रहल अछि जे पुलिस टीम कें…
सुपौल मे बढ़ल कोसीक जलस्तर, बराज सं 3.16 लाख क्यूसेक पानि छोड़ल गेल
60 सं बेसी गाम मे घुसल बाढ़क पानि मिथिला सहित उत्तर बिहारक नदी सभक जलस्तर बढ़ि रहल अछि फोटो 103 सुपौल। सुपौल सं सटल नेपाल मे लगातार भए रहल बरखाक कारण कोसी नदीक जलस्तर बढ़ि रहल अछि। शनि दिन भोरे 7 बजे कोसी बराज सं 3,16,795 क्यूसेक पानि डिस्चार्ज…
दरभंगा मे सड़क पर खसल विशाल गाछ: सुपौल-दरभंगा मुख्यपथ पर 1 किलोमीटर लंबा जाम, बरखा सं जड़ि भए गेल छल कमजोर
दरभंगा। दरभंगा मे पिछला 3 दिन सं बरखा भए रहल अछि। शुक्रदिन बरखा के बीच सुपौल-दरभंगा मुख्यपथ पर सिसौनी चौक लग एकटा विशाल गाछ खसि पड़ल। जाहि कारणे सड़क पर यातायात बाधित भए गेल। करीब 1 किलोमीटर सं बेसी लंबा जाम लागि गेल। बस, ट्रक, ऑटो आ बाइक सहित पैघ…
डीएमसीएच मे 2 दिन सं डॉक्टर सभक हड़ताल, 1 घंटा खुजल रजिस्ट्रेशन
फेर पीजी डॉक्टर सभ बंद करौलनि सुरक्षा-हॉस्टल सुधार सहित कतेको मांग दरभंगा। डीएमसीएच के इमरजेंसी मे बुध राति करीब 11 बजे सं जारी चिकित्सक सभक हड़ताल शुक्रदिन सेहो जारी रहल। इमरजेंसी सेवा प्रभावित रहबाक कारण दरभंगा के अलावा मधुबनी, समस्तीपुर, सहरसा,…
पूर्णिया मे अन्हर-पानि सं तबाही, 50 घरक छप्पर उड़ल; जलजमाव सं जनजीवन बेहाल
पूर्णिया, समदिया बिहार मे मौसिमक मिजाज अनचोके बदललाक बाद कतेको जिला मे अन्हर-पानि सं जनजीवन प्रभावित भेल अछि। पूर्णिया जिलाक बायसी प्रखंड क्षेत्रक गंगार पंचायत अंतर्गत मालोपाड़ा तेलंगा आ शेरण पोखरि गाम मे बृहस्पतिक तेज अन्हर सं अफरातफरी मचि गेल। दिन करीब…