टीआरई-4 मे 32,388 शिक्षक पद पर बहाली, 25 सितंबर सं आवेदन; बीपीएससीक नव विज्ञापन जारी
पटना, समदिया बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) टीआरई-4 केर अंतर्गत 32,388 पद पर विद्यालय अध्यापकक नियुक्ति लेल नव विज्ञापन जारी केलक अछि। एहि भर्ती लेल अभ्यर्थी 25 सितंबर 2026 सं ऑनलाइन आवेदन कए सकताह। आवेदन जमा करबाक अंतिम तिथि 26 अक्टूबर 2026 निर्धारित…
जमुई कांडक बाद 120 सोशल मीडिया प्रोफाइल पर प्राथमिकी, पीड़िताक पहिचान उजागर नहि करबाक चेतावनी
जमुई, समदिया जमुई मे नाबालिग छात्रा आ ओकर सहपाठी छात्रक संग भेल अमानवीय घटनाक बाद पुलिस कठोर कारबाइ शुरू कए देने अछि। घटनाक वीडियो सोशल मीडिया पर प्रसारित कए पीड़िताक पहिचान उजागर करयबला लोकक विरुद्ध सेहो पुलिस कारबाइ कए रहल अछि। एहि सिलसिला मे अखन धरि…
बिहार बनि रहल ‘उड़ता पंजाब’? एनसीबी रिपोर्ट मे मादक पदार्थक तस्करीक चिंताजनक संकेत
पटना, समदिया देश मे बढ़ैत मादक पदार्थक तस्करीक जाल मे बिहार एक महत्वपूर्ण पारगमन आ संपर्क गलियाराक रूप मे उभरि रहल अछि। मादक पदार्थक तस्करी लेल कखनो पंजाबक जे छवि बनल छल, ओहि संदर्भ मे आब बिहारक बढ़ैत भूमिका पर चर्चा तेज भेल अछि। नारकोटिक्स कंट्रोल…
बेनीपट्टीक अकौर मे बच्चाक हत्या, बोरी मे बंद कए खदहा मे फेकबाक आरोप, पितियौत मामी हिरासत मे
बेनीपट्टी सं विद्याधर झाक रिपोर्ट स्थानीय थाना क्षेत्रक अकौर गाम मे सोमदिन एक बच्चाक निर्मम हत्या सं पूरा गाम दहलि उठल। करीब 8 सं 10 वर्षक बच्चाक हाथ-पैर बान्हि, आंखि पर पट्टी लगा बोरी मे बंद कए हत्या करबाक आरोप लगाओल गेल अछि। मृत बच्चाक पहिचान हरलाखी…
सारेगामापाक मंच पर सहरसाक श्रद्धा श्री बिखेरलनि सुरक जादू
अंतिम 12 मे बनौलनि स्थान, दमदार प्रस्तुति सं कुमार शानू, शंकर महादेवन सहित दिग्गज भेला श्रद्धा श्री सं प्रभावित सहरसा, समदिया संगीत क्षेत्र मे सहरसाक नवोदित गायिका श्रद्धा श्री राष्ट्रीय स्तर पर अपन पहचान बनेबाक दिस आगू बढ़ि रहल छथि।…
ग्राम संसद बिहार चैप्टर मे कोइलखक मुखिया शेखर सुमन सम्मानित
मधुबनी, समदिया ग्राम संसद बिहार चैप्टरक कार्यक्रम मे मधुबनी जिलाक कोइलख पंचायतक मुखिया शेखर सुमन कें सम्मानित कएल गेल। कार्यक्रम मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी हुनका सर्वश्रेष्ठ मुखिया सम्मान प्रदान कएलनि। सम्मान भेटलाक बाद पंचायत क्षेत्रक लोक…
‘प्लीज… हम बेस्ट फ्रेंड छी’, जमुईक वायरल वीडियो पर एसआइटी जांच, 3 आरोपित गिरफ्तार
जमुई, समदिया जमुई मे नाबालिग छात्र-छात्राक संग भेल अभद्रता आ दुर्व्यवहारक घटनाक नव वीडियो सामने आयल अछि। वीडियो मे छात्रा आरोपित युवक सभक आगू हाथ जोड़ि अपन साथी कें छोड़ि देबाक लेल विनती करैत देखाइ पड़ैत छथि। मुदा आरोपित सभ हुनकर आग्रहक कोनो परवाह नहि…
भागलपुर गंगा हादसा : कर्मा-धर्मा पूजाक समय 6 बच्चाक मृत्यु, 4 लापता
प्रदीप विद्रोहीक रिपोर्ट भागलपुर जिला सं अत्यंत दुखद आ हृदयविदारक घटना सामने आएल अछि। सुल्तानगंज मे गंगा नदी मे स्नान करबा लेल गेल 10 बच्चा डूबि गेल। एहि भीषण दुर्घटना मे एखन धरि 6 बच्चाक शव बरामद कएल जा चुकल अछि, जखन कि 4 बच्चा एखनहुं लापता अछि। लापता…
बिहार बाढ़ि मे 2000 किलोमीटर ग्रामीण सड़क प्रभावित, मरम्मति पर खर्च होयत 1000 करोड़ सं बेसी
अभिषेक आनंद एहि बेर बिहार मे आयल बाढ़ि सं जनजीवनक संग-संग ग्रामीण सड़कक नेटवर्क पर सेहो पैघ असरि पड़ल अछि। ग्रामीण कार्य विभागक प्रारंभिक रिपोर्टक अनुसार राज्यक 17 जिला मे 1050 सं बेसी ग्रामीण सड़क बाढ़िक चपेट मे आएल अछि। करीब 2000 किलोमीटर ग्रामीण सड़क…
LPG Subsidy Rule: 1 अक्टूबर सं बदलत नियम, बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण नहि करेला सं की होयत?
पटना, समदिया एलपीजी उपभोक्ताक लेल 1 अक्टूबर सं नव नियम लागू होमय जा रहल अछि। सब्सिडी सहित विनियमित खुदरा मूल्य यानी आरएसपी पर घरेलू एलपीजी रिफिल लेबाक लेल बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण यानी बीएए अनिवार्य होयत। जिनका उपभोक्ता पहिनहि ई प्रमाणीकरण करा चुकल…