मधेपुराक सिंहेश्वर मंदिर मे अफरातफरीक स्थिति: साओनक अंतिम सोमवारी पर श्रद्धालु आ पुलिसकर्मी घायल, आब स्थिति सामान्य
मधेपुरा। मधेपुराक सिंहेश्वर मंदिर मे साओनक आखरी सोमवारी पर जलाभिषेक लेल श्रद्धालुक पैघ भीड़ उमड़ि पड़ल। एहि दौरान अफरातफरी आ धक्का-मुक्की सं भगदड़ जेहन स्थिति बनि गेल, जाहि मे कतेको श्रद्धालु आ एकटा पुलिसकर्मी घायल भए गेलाह। भोर 8…
भागलपुर मे गंगाक तटबंध ध्वस्त, ऊर्जा मंत्री बुलो मंडलक आवास जलमग्न
भागलपुर। बिहारक भागलपुर मे गंगा नदीक बढ़ैत जलस्तर सं तबाहीक स्थिति बनि गेल अछि। नौगछिया इलाका मे कजिकोरैया-राघोपुर सीमांत तटबंध सोमदिनक भोर राति करीब 2 बजि कए 30 मिनट पर ध्वस्त भए गेल। तटबंध करीब 50 मीटरक दायरा मे टूटल अछि, जाहिक बाद बाढ़िक पानि तेजी सं…
चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
पटना, समदिया विद्यापति भवन मे रवि दिन चेतना समिति द्वारा प्रत्येक मासक चौथ रवि कें आयोजित होमयवला चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनीक उद्घाटन बिहार सरकारक शहरी विकास एवं आवास विभागक मंत्री नीतीश मिश्र दीप प्रज्वलित कए कयलनि। उद्घाटनक उपरांत…
समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
पूसा, समस्तीपुर। पूसा स्थित जवाहर नवोदय विद्यालयक छात्रावास मे रैगिंग आ माइरपीटक मामिला सामने आएल अछि। आरोप अछि जे सीनियर छात्र सभ बारी-बारी सं करीब दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटि कए घायल कए देलक। घटना कें बाद सभ घायल छात्र कें अनुमंडलीय…
फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार
न्यास समितिक श्रद्धालु सभ सं सहयोगक अपील कुशेश्वरस्थान, समदिया साओनक अंतिम सोमवारी कें लए कए मिथिलांचलक प्रसिद्ध बाबा कुशेश्वरनाथ धाम मे तैयारी पूरा कए लेल गेल अछि। रविदिन सांझ सं श्रद्धालु सभक पहुंचबाक सिलसिला शुरू भए गेल अछि। अंतिम…
चीनीक बढ़ैत दाम सं मिठाइ पर महंगाइक मारि, राखी सं पहिने बढ़ल दाम
राखी कें लए कए मिठाइक बढ़ल मांग, ग्राहक सभक जेब पर पड़त अतिरिक्त बोझ सहरसा, समदिया चीनीक दाम मे लगातार भए रहल बढ़ोत्तरीक असर आब मिठाइ बाजार पर सेहो देखाइ पड़य लागल अछि। चीनी महंग भेलाक बाद शहरक मिठाइक दोकान सभ मे विभिन्न प्रकारक मिठाइक दाम बढ़य…
दरभंगा: राशन डीलरक लाइसेंस रद्द, हजारो किलो अनाज गबन-कालाबाजारीक आरोप
बिरौल, दरभंगा। बिरौल प्रखंडक सुपौल पंचायतक जन वितरण प्रणाली विक्रेता मो. अफरोज आलमक लाइसेंस एसडीओ शशांक राज तत्काल प्रभाव सं रद्द कए देने छथि। डीलर पर लाभुक सभक अनाजक गबन कए कालाबाजारी करबाक, कतेको मास धरि दुकान बंद राखबाक आ जांच टीमक संग अभद्र व्यवहार…
जमीन कब्जा करबाक मामिला मे लोजपा विधायक अमित कुमार रानूक आवास पर छापा
छापामारी मे विधायकक आवास सं भेटल कतेको दस्तावेज खाली स्टांप पेपर सेहो बरामद कएल गेल सीतामढ़ी, समदिया मुजफ्फरपुर मे जमीन विवाद सं जुड़ल मामिला मे सीतामढ़ीक बेलसंड सं लोजपा (रामविलास) विधायक अमित कुमार रानूक मुजफ्फरपुर स्थित आवास पर…
दरभंगाक बहेड़ी मे शिक्षिका सं 50 हजार झपटलक, ठेकेदार सं मांगल गेल एक लाख रंगदारी
दरभंगा। बहेड़ी थाना क्षेत्र मे लगातार दू दिन मे दू पैघ आपराधिक घटना सं लोकक चिंता बढ़ि गेल अछि। एक दिस बैंक सं रुपैया निकालि घर लौटि रहल शिक्षिका सं बाइक सवार बदमाश 50 हजार रुपैया आ मोबाइल झपटि कए फरार भए गेल, जखनकि दोसर दिस हाईस्कूल मे निर्माण…
निशांत कहलनि-‘मां जानकीक जन्मभूमि कें नमन करैत छी’
सीतामढ़ी पहुंचला पर जेसीबी सं फूलक बरखा, कार्यकर्ता सभ लगौलनि नारा सीतामढ़ी। स्वास्थ्य मंत्री निशांत कुमार शनिचर दिन सीतामढ़ी पहुंचलाह। रुन्नीसैदपुरक कोरलैहिया लग हुनकर भव्य स्वागत कएल गेल। एहि दौरान जदयू विधायक पंकज मिश्रा, एमएलसी रेखा कुमारी आ…